विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः युवा मिथिला केँ प्रशिक्षणक प्रसंग
नाम – कार्तिकेय मैथिल, वर्तमान – मेरठ (यूपी), पेशा – आइटी प्रोफेशनल
किछु वर्ष पहिने विदेश यात्रा पर मिथिलाक सम्मानक प्रतीक चिह्न ‘पाग’ पहिरा विदेशी नागरिक सभक बीच विश्व-प्राचीन संस्कृति मिथिलाक प्रचार-प्रसार करैत उभरलाह एक प्रतिभावान युवा कार्तिकेय मैथिल। हल्ला आ फसाद सँ दूर रहब, मुदा अपन सामर्थ्य आ शक्ति सँ मातृभूमि प्रति हमहूँ योगदान करब – यैह आत्मसंकल्प संग निरन्तर नव-नव तरकीब पर चिन्तन करैत मिथिला-मैथिली प्रति सेवारत युवा व्यक्तित्व छथि कार्तिकेय।
मिथिला प्रति समर्पण – मिथिलाक विशिष्ट संस्कार केर प्रशंसक – मिथ्याचार आ आडंबर केर सख्त विरोधी – राज्य अथवा विकास आन्दोलनक ढकोसला करबाक विरोधी – माता-पिता सँ पैघ आन किछु नहि होयबाक दृढता – ईमानदारी मानव जीवनक पहिल बुनियादी नींब – जीवनक चुनौती केँ सामना करबाक सामर्थ्य एहि सब सद्गुण सँ भेटबाक समझ रखनिहार कार्तिकेय – पत्नी ज्योति कार्तिकेय एवम् बेटी जान्हवी सहित जनकतुल्य माता-पिता सहित मोदीपुरम् – मेरठ मे अपन निवास स्थल मे रहि रहला अछि। मूल ग्राम ढेंगा (हरिपुर) – मधुबनी केर रहनिहार कार्तिकेय केर जन्म आ पालन-पोषण तथा संपूर्ण शिक्षा-दीक्षा दिल्ली मे होएतो दिल आ दिमाग़ स खाँटी मैथिल होयबाक दाबी करैत कहैत छथि जे अपन भाषा आ संस्कार यदि हमरा सभक पोर-पोर मे बसैत अछि आर ई आत्मज्ञान माँ-पिताक संस्कार सँ हम सब ग्रहण कय पबैत छी त निश्चित सुच्चा मैथिल होयबाक आत्मगौरव सेहो भेटैत अछि।
वर्तमान समय एकटा जर्मन कम्पनी मे Head of IT छथि। एहि बेर दिल्लीक यात्रा पर रही आर एक नव गठबंधन बनेबाक नियार छल, हार्दिक इच्छा ई छल जे लाखों युवा-युवती जे वर्तमान समय गाम-घर सँ दूर दिल्ली मे जाएत छथि हुनका सब सँ जुड़ल किछु विशेष कार्यक्रमक संचालन दिल्ली मे शुरु हो। कार्तिकेय मैथिल संग पहिनहि एहि सब दिशा मे जिज्ञासा राखने रही। ३० अगस्त नीलम कला केन्द्र केर आयोजन मे नाटक अगुरवान आ सम्मान समारोह कार्यक्रम मे हमरा लोकनि भेंटघांट तय केलहुँ, मुदा कार्यक्रमक चाप मे आपसी बातचीत बहुत नहि भऽ सकल। कार्तिकेयजी पूरा समय देलनि, लगभग ९ बजे कार्यक्रम समाप्त भेलाक बाद मेरठ लौटबाक क्रम मे शेष बात सब फोन पर करबाक नियार कएलहुँ। बाद मे हमरा लोकनि सविस्तार बातचीत कयलहुँ आर स्पष्टतः कार्तिकेय मैथिल अपन अनुभव सँ मैथिल युवा-युवती मे कैरियर निर्माण संग बेहतरीन चरित्र निर्माण आ मातृभूमि मिथिला प्रति समर्पण केर उद्देश्य संग एकटा अनुपम मुहिम संचालित करता ओ प्रतिबद्धता जनौलनि।
किछु वर्ष पूर्व जर्मनी मे मिथिला पाग केर प्रचार-प्रसार अभियान चलेबाक समय सँ कार्तिकेय मैथिल केर समर्पण हम सब देखैत आबि रहल छी। हालहि भारतीय डाक विभाग मे ‘मिथिला पाग’ पर डाक टिकट जारी कएला सँ कार्तिकेय जी सेहो काफी प्रसन्न छथि। पाग अभियान के शुरुआत लाइसपींग जर्मनी में २०१६ मे केना कयल गेल तेकर वीडियो पठेलनि। एहि वीडियो मे हिनक जर्मन मित्र “जैक” पाग पहिरैत एहि विन्दु पर चर्चा कएने छथि। मिथिलालोक फाउन्डेशन आ संचालक डा. बीरबल झा द्वारा पाग पर त एकटा धारावाहिक जेकाँ विभिन्न एपिसोड्स मे कार्यक्रम सभ आयोजन कएल गेल। अपन-अपन लेखनी सँ कतेको रास लेखक आ रचनाकार सब सेहो पागक अभियान पर लिखैत रहलाह। किछु आलोचक आ किछु विरोधी वर्ग द्वारा सेहो एहि अभियान मे संग देल गेल। आर भारतीय डाक विभाग केर पोस्टेज स्टाम्प मे ई स-सम्मान स्थापित भेल – ई केकरा प्रसन्नता नहि देत – कहला कार्तिकेय जी।कार्तिकेय मैथिल जे आगामी युवा प्रशिक्षण तथा काउन्सेलिंग सेन्टर केर संचालनक बात कहलनि ताहि लेल जल्दिये अनलाइन रजिस्ट्रेशन आरम्भ कएल जायत। एहि मे कोनो शुल्क नहि लागत। एकटा वेबसाइट केर मार्फत रजिस्ट्रेशन प्रक्रिया चलत। एहि वास्ते कार्तिकेय स्वयं एकटा निर्धारित स्थान आ तारीख-समय पर क्लासेज (कक्षा) संचालनक घोषणा करता। ओ कहैत छथि, “लाखों युवा-युवती जिनकर माता-पिता द्वारा कर्जो कय केँ दिल्ली पठाओल जाएत छथि ओ एहि राजधानी क्षेत्र मे अनेकों समस्याक सामना करैत छथि। एतय आबि दलाल सभक चक्कर मे फँसैत छथि। कतय डेरा राखब, कि पढब, कि खायब, कतय समय बितायब, हर बात मे दलालक सामना करैत ओ निर्दोष लाखों युवा-युवती परेशान रहैत छथि। हिनका सब केँ एकटा उचित गाइड चाही। ताहि हेतु एकटा व्यक्तित्व विकास करबाक संग-संग समुचित कैरियर सम्बन्धी परामर्श केन्द्र केर संचालनक जरुरत अछि दिल्ली मे। हम ई कार्य करबाक भार लैत छी।” सही छैक जे माय-बाप त बस दिल्ली पठा देलाक बाद मासिक खर्च जुटेबाक कार्य मे व्यस्त भऽ जाएत छथि, लेकिन दिल्ली मे पहुँचलाक बाद छात्र-छात्रा सब केँ बहुतो तरहक परेशानीक सामना करय पड़ैत छैक। कतेको निर्धन छात्र-छात्रा लेल त नौकरी ताकब पहिल चुनौती रहैत छैक। एहेन स्थिति मे कार्तिकेय मैथिल समान मातृभूमि मिथिला प्रति समर्पित सेवा देनिहार बड पैघ आशा जगा रहला अछि, यैह सत्य अछि।

4 Comments
बहुत निक हमरा सब के अहाँ पर गर्व अछि।
JAI MITHILA JAI METHALI
bahut nik
बहुत नीक भाईजी हमरा सबके आहा पर गर्व अछि