राहत कार्य मे मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन आगूः मैथिली लेखक चन्दन आ कामिनी द्वारा पोथीक दान

विशेष सम्पादकीय

सौंसे मिथिलाक लोक ईश्वर आ प्रकृतिक सोझाँ त्राहिमाम-त्राहिमाम कय रहल अछि। पूर्वहि सँ ई परम्परा रहल अछि जे अतिवृष्टि भेला पर अपन आ धिया-पुताक संग-संग माल-मवेशी, खेतीपाती, घर-अंगना आ समस्त मानव समुदायक संग-संग जीवमंडलक रक्षा लेल लोक सब सामूहिक रूप सँ ‘साहौर-साहौर’ शब्द उच्चारण करैत वर्खाक देवता इन्द्र केँ प्रसन्न भ कोप समेटबाक प्रार्थना करैत रहल अछि मिथिला मे। पैछला हप्ता करीब ५० घंटा लगातार पानि पड़ल – समस्त भारत आ नेपाल मे पड़ल। आर एकर असर सब तैर देखायल अछि। नेपालक उच्च-उच्च पहाड़ मे भूस्खलन आ निचाँ तराई मे डूबान, बहाव, कटाव मे मानव जन-धन केर छतिक संग माल-मवेशीक काफी नोक्सान भेल। आर आब ई सब पानि भारतक मिथिलाक्षेत्र मे जा कय तान्डव मचा रहल अछि। कमला-बलान, कोसी, गंडक – पैघ नदी सँ छोट नदी सब बाढिग्रस्त भेल अछि। बाढिक असर सँ मानव जनजीवन बेहाल भेल अछि। सरकारी संयंत्र द्वारा – निजी संघ-संस्था द्वारा – सबल-सामर्थ्यवान द्वारा – अपना-अपना तरहें एक मानव दोसर मानव केर सेवा मे दिन-राति लागि गेल अछि। राहत बँटवारा सब सँ पैघ धर्म थिक आर यैह अवसर परमार्थ लेल भेटल अछि। कहबियो छैक जे मनुष्य द्वारा कएल गेल दान-धर्म मात्र ओकरा एहि जीवनकाल सँ आनो-आन जीवन धरि काज दैत छैक। एहेन अवस्था मे जे कियो एहि परमार्थ मे लागल छथि ओ सब धन्यवादक पात्र छथि आर सच्चा मानवीयताक धर्म कय रहला अछि।

 

एतय सन्दर्भ लैत छी मिथिला भूभाग मे नदी सभक बान्ह टूटलाक बाद घर सँ बेघर भेल लाखों जनमानस बीच राहत बँटवाराक सुकार्य मे लागल मैथिल अभियानी लोकनिक। एहि समय मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन (भारत आ नेपाल दुनू ठाम) द्वारा राहत सामग्रीक संग बाढि पीड़ित बीच राहत वितरण कार्य कएल जा रहल अछि। तहिना मैथिली साहित्यकार ओ अभियानी अजित आजाद द्वारा मैथिली लेखक सब सँ कएल गेल अपील केर असैर सेहो सार्थक रूप सँ पड़ल देखा रहल अछि। कोलकाता कर्मक्षेत्र सँ मैथिली साहित्यक सेवा मे लागल चंदनकुमार झा अपन १०० पोथी बाढि पीड़ित हेतु राहत मे दान देबाक घोषणा कएलनि अछि। तहिना कामिनी चौधरी अपन १०० पोथी बाढि पीड़ित हेतु राहत कार्य लेल दान देबाक घोषणा केलनि अछि। मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन मार्फत सम्पूर्ण भारत सँ दानशील लोक सब अपन-अपन योगदान राहत कार्य लेल पठा रहला अछि। नेपालक प्रसिद्ध सिनेकर्मी धुर्मुस्-सुन्तलीक अभिनेता सेहो स्वयं बाढि पीड़ित सभक बीच आबिकय राहत एवं उद्धार कार्य मे लागि गेल छथि। समाजसेवी निराजन झा – संचारकर्मी ध्रुव कुमार झा एवम् टोली द्वारा नेपालक सप्तरी मे राहत कार्य कएल जा रहल अछि। मधेशी नागरिक समाज द्वारा विराटनगर केर बखरी बगैचा मे राहत केन्द्र केर संचालय कएल गेल अछि। अनेको संघ-संस्था एहि राहत कार्य मे अपन धन, समय, सेवा, औषधि, खाद्य पदार्थ आदि बाढि पीड़ित लेल दान कय रहल छथि। विपत्तिक समय एक-दोसरक संग देबाक एकटा नीक माहौल देखि आत्मसंतोष होएत अछि जे मानव समाज एखनहु मानवताक धर्म केँ सर्वोपरि मानि रहल अछि। आजुक युग मे स्वार्थ सब सँ बेसी अभरैत छैक, लेकिन असल पहिचान विपत्तिक समय होएछ से भरोस दैत अछि जे प्रकृतिक तान्डव सँ उत्पन्न महासंकट सँ ऊबार पेबाक लेल हम सब एक छी।