मिथिलाक ब्रान्ड एम्बैसेडर रियल राइजिंग स्टार गायिका मैथिली ठाकुर केँ जन्मदिन पर शुभकामना

विशेष सम्पादकीय

विराटनगर – जुलाई २५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

गुदड़ी मे लाल केर कहाबत बहुत लोकप्रिय छैक। एहि संसार मे अधिकांश युग-पुरुष सब एहि तरहक विपन्न अवस्था मे जन्म लेलाक बाद अपन प्रखर ओजस्विता सँ एतेक उच्च स्थान पर पहुँचैत अछि जाहि सँ संसार भरि मे ओकर नामक डंका बाजय लगैत छैक। किछु तहिना सच होएत लगैत अछि मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर संग – संगीत साधना मे निपूण परिवार ‘दादा, पिता, अपने, दू छोट भाइ, पितियौत भाइ’ सब कियो एक्के परिवारक आ सब गीत-संगीत मे महारत हासिल व्यक्तित्व सब – आर ई सुन्दर संयोग जे प्रदर्शन मे एक मिसियो कमजोरी कतहु नहि अभरैछ। सचमुच, मैथिली ठाकुर एक आशीर्वाद थिकी – स्वयं सहित अपन परिवार आ समस्त मिथिला समाज लेल।

आइ २५ जुलाई मैथिलीक जन्मदिन छियन्हि। पैछला दिन दरभंगा मे इम्पल्स कोटा मे आयोजित एक कार्यक्रम मे हिनकर जन्मदिन पर मिथिला समाजक लोक केर तरफ सँ राइजिंग स्टार शो मे बेईमानीपूर्ण नियत सँ छीनल गेल ताज आ पुरस्कार राशि २० लाख केर दोब्बर देबाक एक घोषणा कएल गेल छल। परञ्च समयक अभाव मे संयोजन कार्य पूरा नहि होयबाक कारण ई राशिक हुनकर आजुक दिन हस्तान्तरण नहि कएल जा सकल। हलांकि मिथिला समाज सहित विभिन्न समाज मे मैथिली ठाकुर एक चमकैत ताराक रूप मे अपन सामर्थ्य सँ स्थापित भेलीह अछि, ई निश्चित रूप सँ ओहि टैलेन्ट शो मे देखायल हुनकर प्रखर प्रदर्शनक कमाल थिक, तथापि समाजक तरफ सँ जाहि स्तरक उपहार प्रदान करबाक सोच बनायल गेल छल ताहि मे सक्रिय संयोजन व गोटेक आन कमजोरीक कारण वादा नहि पूरा कएल जेबाक खेद गछनिहार मैथिल समाज मे देखल जा रहल अछि।

कतहु-कतहु ई विषय चर्चा होबय लागल अछि जे समाज मे मैथिली प्रति समर्थन आ समर्पण केँ कियो-कियो मूल्य लगाकय सौदाबाजी कय रहला अछि। आजुक व्यवसायिक युग मे कलाकार केँ यदि आर्थिक अवस्था सुदृढ नहि होयत तँ हुनक कला प्रदर्शन क्षेत्र मे नव आयाम नहि जुड़ि सकैत अछि। मैथिली ठाकुर मे सेहो जतेक संभावना छन्हि तेकरा मे निखार आनबाक लेल हुनका लेल योग्य स्थान दिल्लीक अपेक्षा मुम्बई होयत, मुदा मुम्बई मे ओ एखन असगर रहिकय गीत-संगीत क्षेत्र मे आगू बढबाक यत्न करती तेकर संभावना न्यून छैक। यदि हुनकर माता-पिता एवम् परिजन ओतय जाय सेटल हेता तखनहि मैथिली केँ मुम्बई मे हुनकर कलाक प्रस्तुति लेल वृहत् अवसर आर उचित प्रशिक्षण सेहो भेट पेतनि। ई भावना एक बेर रमेश ठाकुर मैथिलीक पिता हमरा संग शेयर कएने छलाह। परञ्च जाहि तरहें रमेश ठाकुर अपन कठिन परिश्रम – संगीत शिक्षक केर रूप मे कार्य कय केँ अर्जन करैत अपन बाल-बच्चा केँ तैयार कय सकलाह अछि ओ कम नहि बहुते भेल कहय पड़त। आर, सुन्दर संयोग भेलैक जे स्वयं मैथिली ठाकुर केर प्रोफेसनल सिंगर केर रूप मे सम्पूर्ण मिथिलावासीक नजरि मे स्वीकृति त भेटबे केलनि, हुनकर गायकीक दीवाना समूचा भारतवर्ष मे बनि गेल ईहो एकटा सुखद संयोग भेलैक।

मैथिली ठाकुर पहिनहु मैथिली मंच पर कतेको बेर अपन प्रस्तुति दैत रहली अछि। द राइजिंग स्टार सँ पूर्व हुनकर प्रस्तुति केँ हम कैरियर निर्माण लेल संघर्षक दिन कहैत छी। निश्चित एक परिश्रमी पिताक ज्येष्ठ सुपुत्रीक रूप मे हुनकर योगदान अर्थ उपार्जन मे बहुत पूर्वहि सँ परिवार लेल थोड़ो-बहुत होएत रहल अछि। लेकिन द राइजिंग स्टार शो मे हुनकर ख्याति सौंसे मिथिला संसारक संग भारत-नेपाल आर विभिन्न देश जतय हिन्दी गीत-संगीत बुझनिहार दर्शक श्रोता छथि, ओहि सब देश मे नाम भेलनि। नाम भेला पर बाजार सेहो बढैत छैक। आजुक तिथि मे मैथिली एकटा यथार्थ स्टार बनि गेल छथि। विराटनगर मे आयोजित अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल शिक्षाविद् सम्मेलन २०१७ मे ओ संयोगवश पहुँचि गेली, जतय हुनका दुइ गोट उपाधि प्रदान कएल गेल छलन्हि। ‘द रियल राइजिंग स्टार’ तथा ‘द रियल ब्रान्ड एम्बैसेडर अफ मिथिला’ – एकरा संग-संग हुनका नगद पारितोषिक सेहो एक प्रोफेसनल विजिटर आर्टिस्ट जेकाँ प्रदान कएल गेल छलन्हि। मैथिली जिन्दाबाद अभियान संग जुड़ल सभक ई सदिच्छा छलैक जे बेसी सँ बेसी कार्यक्रम मे मैथिली ठाकुर केँ प्रोमोट कएल जाएन, जाहि सँ हिनकर आर्थिक वलिष्ठता बढैत ई गीत-संगीत केर क्षेत्र मे आरो ऊपर जा सकैथ। आर एहि सद्भावक संग सोशल मीडिया मार्फत हिनका श्रेष्ठ सँ श्रेष्ठतर कलाकार केर रूप मे प्रस्तुत करैत चारूकात एकटा सकारात्मक माहौल बनि सकल।

मुदा सब ठाम अहाँ एक्के रंगक सहयोग केर अपेक्षा नहि राखि सकैत छी, एक्के तर्क सब पर फिट नहि बैसैत छैक। किछु सहयोगी हाथ रहैत छैक त किछु स्वार्थी तत्त्व सेहो रहैत छैक जे अपन गोटी सुतारि लेलाक बाद कलाकार केर हैसियत केँ नीचां देखा दैत छैक। दुःखक बात जे मैथिली ठाकुर संग सेहो एहि तरहक किछु वर्ताव भेलनि आर एकर शिकायत रमेश ठाकुर (मैथिलीक पिता) बहुतो जगह रखलैन। मुम्बई सँ पंकज भाइ होएथ या बिरौल सँ टिंकूजी या दिल्ली सँ प्रभाषजी – सब सँ ओ एहि तरहक व्यवहार मे भेल कमीक बात रखलैन। हालांकि पता लगेला पर ज्ञात होएत अछि जे कियो पोस्ट डेटेड चेक देलखिन तेकरा पहिनहि जमा करेलाक कारण ओ चेक बाउन्स कय गेल, त कतहु अपने देल समय केर भितरे फेरो ओकर शिकायत कतहु-कतहु कएलखिन – जे होएक, मिथिला समाज जँ सौहार्द्र देखाकय समग्र हित लेल सोचि रहल अछि त फेर शिकायत केकरो सँ किनको नहि होएक यैह उचित हेतैक। एना मे निर्दोष मैथिली पर असर पड़ैत छैक, ओकरा दिमाग मे जानि-बुझिकय ई बात आबि जाएत छैक जे केहेन अछि हमर समाज आर केहेन अछि एहि समाजक लोक जे शुरु मे कोन रूप देखबैत अछि आर बाद मे केहेन कूरूप सिद्ध होएत अछि। एहि सब बात सँ केकरो कल्याण त संभव नहि छैक, नोक्सान सभक होएत छैक। रहिमनक ओहि पाँति केँ मोन पाड़ैत सम्बन्धित पक्ष सब सँ धैर्य आ संयम रखबाक हार्दिक अपेक्षा करैत छी।

रहिमन निज मन की ब्यथा मन ही राखो गोय – सुनि अठिलैहें लोग सब बाँटि न लैहें कोय!

अन्त मे, ईश्वरक कृपा सब मिथिलावासी पर बनल रहय जाहि सँ मैथिली एहेन बेटी – सच्चा मातृभक्त सपूत सब बेर-बेर अबैत रहैथि। एक बेर फेर मैथिलीक जन्मदिन पर खूब रास शुभकामनाक संग आशीर्वाद आर सम्पूर्ण मिथिलावासीक आशीर्वाद हिनका भेटैत रहैन, ईश्वरक कृपादृष्टि बनल रहैक, एहि कामनाक संग! – प्रवीण

हरिः हरः!!