भागिरथ मिश्र, नरुआर, झंझारपुर। मई २, २०१५, मैथिली जिन्दाबाद।
झंझारपुर प्रखंड प्रमुख सह नरुआर गाम-पंचायतक समिति सदस्य रहल अत्यन्त लोकप्रिय आ जुझारू युवा नेतृत्वकर्मी शंकर चौधरीक दुखद मृत्यु आइ रात्रि १ बजे दिल्लीक एक अस्पताल मे हेबाक समाचार भेटल अछि। प्रारंभिक कारण हृदय-गति रुकबाक कहल गेल अछि। स्व. चौधरीक उम्र ३० वर्ष करीब छल। योगेन्द्र चौधरीक बालक, स्वयं विवाहित आ एक पुत्रक पिता – स्व. चौधरी काफी तेज-तर्रार आ लोकप्रिय नेताक रूप मे परिचित छलाह। हालहि झंझारपुर प्रखंडक प्रमुख सेहो चुनल गेल छलाह। अपन कार्यकाल मे काफी रास विकासक कार्य करैत रहबाक कारणे आगामी समयक विधायक रूप मे हिनक चुनाव जितबाक भरपूर संभावना छल।
कहियो कोनो बीमारी नहि होयबाक आ सदिखन पूर्ण स्वस्थ रहैत जनताक सेवा मे रत चौधरीक मृत्युक पाछाँ राजनैतिक विद्वेषक शंका सेहो कैल जा रहल अछि। लेकिन पारिवारिक सदस।य आ नजदीकी लोकक एहि आरोपक पाछाँ एखन धरि कानून मे कोनो शिकायतक खबैड़ नहि भेटल अछि। मृतकक परिवार मे आइ दिन भरि शोक प्रकट कएनिहारक लाइन लागल रहल। हिनक अन्तिम संस्कार लेल गाम मे लोक लाश अयबाक इन्तजार कय रहल अछि। ईश्वर एहि महान युवाक आत्माकेँ शान्ति प्रदान करैथ – मैथिली जिन्दाबाद सेहो शोकाकुल परिवारक एहि विपत्ति घड़ी संग अछि आ ईश्वर सँ प्रार्थना करैत अछि जे मिथिला मे एहि खाली जगह केँ भरपाई करबाक लेल लाखों युवा बीरा उठबय।


1 Comment
Badi dukh holo