Search

बेनीपट्टी एसडीपीओ निर्मला कुमारीः समाज सेवी, गायिका, चित्रकार आ सभक प्रेरणास्रोत

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः बेनीपट्टी अनुमंडल केर एसडीपीओ निर्मला कुमारी

“व्यक्ति एक – गुण अनेक” एहि कहावत केँ चरितार्थ करैत छथि बेनीपट्टी (मधुबनी) अनुमंडल केर पुलिस पदाधिकारी सुश्री निर्मला कुमारी। सोशल मीडिया पर सेहो उपलब्ध आ काफी लोकप्रिय पुलिस पदाधिकारीक रूप सुपरिचित चेहरा निर्मला कुमारी वर्तमान समय अपन कर्तब्य आ कर्म सँ एक सामाजिक अभियन्ता, गायिका, चित्रकार आर प्रहरीक भूमिका निर्वाह कय रहली अछि। सुश्री निर्मला हालहि उच्चैठ भगवती स्थान सँ मधुबनी समाहरणालय केर दहेज मुक्त मिथिला लेल मिनी मैराथन दौड़ केर उद्घाटन कएने छलीह। लगभग प्रत्येक दिन अपन विभागीय दायित्वक संग-संग हिनका द्वारा अत्यन्त सक्रियतापूर्वक क्षेत्रक विशिष्टता प्रति कतेको रास अभियान मे भाग लैत प्रोत्साहित कएल जाएत अछि। एक ईमानदार पुलिस अधिकारी द्वारा समाज केर लोक संग मिलिकय कखनहु विद्यालयक छात्र-छात्रा संग चित्रकारी करैत, कखनहु सांस्कृतिक आयोजन मे, कखनहु ग्रामीण सभक बीच मे पहुँचिकय विभिन्न विषय पर सौहार्द्र आ सद्भाव बँटैत – अनेक रूप मे हिनका देखल जाएत छन्हि।

मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी हिनका संग उच्चैठ मे उपरोक्त दहेज मुक्त मिथिला मैराथन दौड़ मे परिचित भेल छलाह। तदोपरान्त दौड़ केर मार्ग मे जगह-जगह नुक्कर सभाक आयोजन मे सुश्री निर्मला कुमारी द्वारा उद्घाटनक बात कहला पर लोकमानस मे एक ईमानदार, कर्मठ आ मिलनसार पुलिस अधिकारीक लोकप्रियता देखय योग्य होएत छल। आम लोक सब निर्मलाजीक योगदान आ गरीब तथा पिछड़ा तवकाक समाज प्रति दया व करुणा भाव आदिक बखूबी उदाहरण दैत हुनक भरपूर गुणगान करैत छल। पढल-लिखल सम्भ्रान्त लोक सँ लैत आम लोक सभक मुंह सँ एहि तरहक प्रतिष्ठा निर्मलाजीक योगदान केँ देखिकय कएल जाएत छल।

हिनकर अफिसियल फेसबुक पेज जेकर लिंक https://www.facebook.com/inirmalak/ थिक, ताहि ठाम अंग्रेजीक दुइ पाँति सेहो हिनकर यैह परिचय दैत अछि। Official Page of Ms Nirmala Kumari, SDPO, Benipatti, Bihar. A dedicated and honest police officer who is being widely admired and loved by people. सचमुच सभक सिनेह आ प्रशंसा हिनका भेटि रहल छन्हि। आर ईहो ओतबे तन्मयताक संग समाजक सब सरोकारक विषय मे ध्यान दैत देखाएत छथि। कवर पेज मे डान्स स्कूल केर संचालक विक्रान्त कुमार आ मिथिलाक प्रसिद्ध ‘झिझिया नाच’ केर बच्चा-कलाकार सभक संग देखाएत छथि निर्मलाजी आ पाछू मे जे बैकड्राप लागल अछि ताहि पर स्पष्ट स्लोगन बेनीपट्टी पुलिस केर तरफ सँ देखा रहल अछि। ओत्तहु एकटा कर्मठ आ युवा – ईमानदार पुलिस अधिकारीक निर्देशन अनुरूप हिन्दी मे लिखल अछिः बेनीपट्टी पुलिस प्रशासन का सपना – अमन चैन रहे बेनीपट्टी अपना।

दोसर कवर फोटो मे निर्मला कुमारी कोनो सरकारी विद्यालयक बालिका सभक बीच पुलिस वर्दी मे बैसि ओकरो सब मे एकटा सपना आ आत्मविश्वास जगबैत देखा रहली अछि। तहिना तेसर कवर फोटो मे निर्मलाजी कोनो सरकारी विद्यालयक छोट-छोट बच्चा सभक बीच मे प्रेरणाक संचरण हेतु पहुँचल देखा रहली अछि। लोकक बीच मे लोकप्रियता हासिल करबाक मक्सद आ उद्देश्य सँ बहुत ऊपर होएत छैक समाजक बीच मे पहुँचिकय अपना पास रहल सेवाशक्ति अनुरूप काज करब – एहि तरहें स्वतः केकरो प्रशंसा आ लोकप्रियता बढिते टा छैक। अहाँ मात्र देखाबा लेल समाचारपत्र मे समाचार छपबायब मुदा मनक भीतर चोर राखब, असल उद्देश्य केवल आत्मप्रशंसा रहत, तखन अहाँ बहुत बेसी टिकाउ नहि भऽ सकैत छी। लेकिन सुश्री निर्मला कुमारी मे करुणा सँ भरल हृदय छन्हि, सेवा लेल तत्परता छन्हि, समाज मे सकारात्मक परिवर्तन लेल जोश छन्हि आर सब सँ बेसी ओ अपना केँ सक्रिय रखबा योग्य चुस्त-दुरुस्त छथि। हिनकर फेसबुक पेज पर लंबा-चौड़ गपबाजी कतहु नहि भेटैत अछि, मुदा अभियानक भरमार लागल भेटैत अछि। निश्चिते आइ बेनीपट्टी आ आसपास सब कियो धन्य अछि एहि तरहक प्रखर पुलिस अधिकारी पाबिकय।

सुखद आश्चर्य ई देखि लगैत अछि कि जे काज स्वयं मैथिली-मिथिलाक नाम पर अपन कौलर चमकेनिहार सैकड़ों अभियानी नहि कय पाबि रहल अछि से काज निर्मलाजी करैत छथि। समूचा मिथिलाक धरातल पर अहाँ घूमि लेब, लेकिन विरले कतहु कोनो अभियान अपन मैथिलत्वक संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन लेल भेटत। परञ्च निर्मलाजी अपन कार्यकालक संभवतः एकोटा एहेन दिन नहि छैक जाहि मे कोनो न कोनो अभियान केँ गति देबाक लेल निजी प्रेरणा आ स्वयं ओहि अभियान केँ सोशल मीडिया मार्फत हजारों-लाखों मानव समुदाय धरि नहि पहुँचबैत होइथ। चाहे मिथिला पेन्टिंग हो, चाहे पर्यावरणक सुरक्षा हो, चाहे अशिक्षा सँ मुक्तिक अभियान हो, चाहे दहेज मुक्त मिथिला हो, चाहे मिथिला छात्र केर संगठन मिसू केर कोनो कार्यक्रम हो – मैडम निर्मला जँ उपलब्ध भऽ गेली त ओहि अभियान केँ चारि चाँद लागि जाएत छैक। विगत दहेज मुक्त मिथिला लेल मैराथन दौड़ केर दिन एकटा सुखद संयोग भेलैक जे बेसी दौड़ मे सहभागी धावक लोकनि केसरिया रंगक – संतोला रंगक भेस्ट पहिरने छल आर मैडम सेहो एली त ओहो एहि रंग मे रांगल देखेलीह। ई बात ओ स्वयं कहबो केली जे देखिये, कितना बढियां संयोग है कि आपलोगों ने जो कलर का टीशर्ट पहन रखा है उसी रंग में मैं भी रंगी हुई हूँ। हिनकर सहज भाव आ ताहू मे ईहो कहब जे यह उच्चैठवासिनी भगवतीका विशेष कृपा ही समझें – एहि सँ ई स्पष्ट होएत अछि जे ई स्वयं जानकीक पवित्र भूमि पर अधिकारी बनिकय अपन १००% सँ बहुत बेसी देबा लेल आतूर छथि। नमन अछि एहि समर्पण आ योगदान केँ!

गरीबक बेटीक विवाह हेतैक, खबैर लागि गेलनि निर्मला केँ – ओ अपने सँ पहुँचिकय अपन कठिन तनख्वाहक पाइ सँ ओहि बेटी लेल कपड़ा, उपहार आदि कीनिकय दैत छथि। बेनीपट्टी केँ क्लीन आ ग्रीन बनेबाक छैक, ओ अपन कमाई केर पाइ सँ पेन्टिंग आदि करैत लोकमानस मे अपील पहुँचेबाक कतेको तरहक जनजागरणमूलक कार्य करबाबैत छथि। वर्तमान स्वार्थपरक युग मे एकटा युवा पुलिस अधिकारी मे एहि तरहक सेवाभावना सचमुच हिनकर अवतारी नारी शक्ति होयबाक परिचय दैत अछि। एहि सँ हमर मिथिलाक ओहेन हाकिम-हुकुम आ सक्षम बेटा-बेटी सब केँ सोचबाक आ प्रेरणा लेबाक अवसर भेटि रहल अछि। निश्चित आइ समाजक सब वर्ग केर लोक बेटी हो त निर्मला जेहेन यैह सपना दिन आ राति दुनू समय देखि रहल अछि।

Related Articles