नेपाल मे स्थानीय तह केर दोसर चरणक चुनाव, जनताक उत्साहपूर्ण सहभागिता, देशमे शान्तिक मांग

नेपाल मे दोसर चरणक स्थानीय निकायक चुनाव सम्पन्न - मतगणना जारी - एमाले अग्रस्थान मे

विराटनगर, २८ जून, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

आखिरकार नेपाल मे दोसरो चरणक स्थानीय तहक जनप्रतिनिधिक चुनाव ३ प्रदेश मे शान्तिपूर्ण ढंग सँ आ जनताक खूब बैढ-चैढकय सहभागिताक संग सम्पन्न भेल। कतहु-कतहु छिटफूट घटना केँ छोड़ि देल जाय त बाकी स्थान पर जनता मे अपन जन प्रतिनिधि केर चुनाव करबाक एकटा विशेष उत्साह देखल जा रहल छल। विदित हो जे नेपाल सरकार द्वारा मधेशवादी तथा किछु अन्य दल केर विरोधक कारण एक्के दिनक बदला दुइ चरण मे मतदान करेबाक निर्णय लेल गेल छल, पुनः दोसर चरण सँ पूर्व राष्ट्रीय जनता पार्टी जे ६ मधेशवादी दलक एकजुट राजनीतिक दल थिक तेकर विरोधक कारण पहिल चरणक ३, ४ आर ६ नंबर केर प्रदेश मे चुनाव संपन्न करा दोसर चरण मे १, २, ५ आ ७ नंबर केर प्रदेश मे चुनाव करेबाक नियार केँ पुनः १, ५ आ ७ मे आइ चुनाव कराओल गेल। प्रदेश नंबर २ मे आश्विन २ गते चुनाव करेबाक बात कहि नेपाल सरकार द्वारा असन्तुष्ट पक्ष केँ सेहो चुनाव मे अनबाक विशेष प्रयास जारी अछि।

आइ प्रदेश १, ५ आ ७ मे ७०.५% मतदान होयबाक बात निर्वाचन आयोग नेपाल द्वारा प्रेस केँ जानकारी देल गेल अछि। अलग-अलग स्थान पर मतगणनाक कार्य सेहो आइये देर राति सँ आरम्भ होयबाक सूचना भेट रहल अछि। एहि बीच असन्तुष्ट पक्ष द्वारा चुनाव बहिष्कार करबाक उद्घोषणाक कोनो विशेष असर आम जनता पर नहि पड़ल से बात खसायल गेल वोटक प्रतिशतता सँ जगजाहिर भेल अछि। देशक जनता शान्ति चाहैत अछि। राजनीतिक विवाद केर समाधान राजनीतिक तौर-तरीका सँ संविधान निर्माण आ संशोधनक स्थान सदन मे मात्र चाहैत अछि। वर्तमान संविधान मे जाहि तरहें नेपालक संघीयताक मूल मर्म स्थानीय निकाय मे सौंपल गेल अछि ताहि लेल सर्वप्रथम स्थानीय निकायक चुनाव केँ सफल करेनाय वर्तमान संविधान केर क्रियान्वयनक पहिल डेग थिक – यैह बुझाइ आम जनमानस आ राज्य संचालनकर्ता मे अछि। राजपा केर प्रभाव क्षेत्र मानल जायवला प्रदेश नंबर २ मे सेहो आश्विन ४ गते तक सब समाधान आ आपसी सहमति करैत सब पक्ष स्थानीय निकायक चुनाव मे जायत ई लगभग तय अछि। नेपाल मे एहि चुनाव केर सफलता उपरान्त देश अवश्य आगू बढत ई कहि सकैत छी।