सन्दर्भ नैन्सी हत्याकाण्डः नया परिस्थिति मे परिवार पर शंकाक औचित्य
स्व. भुटकुन झा केर चारिम पीढीक संतति थिकी नैन्सी। मुख्य रूप सँ सुपौल जिलाक सिगरहटा गाम सँ भुटकुन झा महादेव मठ नैन्सीक पितामह संग एलाह कहल जाएछ। जगविदित बात छैक जे स्व. भुटकुन झा एतेक गरीब छलाह जे धियापुताक भरण-पोषण लेल भीख मांगिकय निर्वाह करैथ। विपन्न अवस्था मे रहितो शिक्षाक महत्व सँ धिया-पुता केँ अवगत करेबाक महान कार्य ओ केलनि सेहो सुनय मे अबैछ। हुनकर पाँच पुत्र आ फेर एहि पाँच पुत्र मे १५ गोट भैयारी, चुल्हा भले अलग आ घरो किछु अलग होएक मुदा ई सब एकठाम बैसला पर संयुक्त परिवार होयबाक बात एखनहु कहैत छथि। एहि परिवारक एक मुख्य कमासुत स्व. देवानन्द झा केर पुत्र कुमार रविन्द्र नारायण उर्फ रविन्द्र नारायण झा जे वर्तमान समय एकटा प्राइवेट विद्यालय चलबैत छथि महादेव मठ मे, तिनकर जेठ सुपुत्री छलीह नैन्सी झा – १२ वर्षक छलीह जिनकर हालहि २५ मई अपहरण आ फेर कथित बलात्कार, एसिड अटैक, आ हत्याक बात पूरे संचारक्षेत्र मे जगजाहिर भेल अछि।
काल्हिये नैन्सी हत्याकाण्ड केर छानबीन कएनिहार एसआइटी चीफ एएसपी झंझारपुर यानि निधि रानी तथा मधुबनी एसपी बर्णवाल द्वारा संयुक्त रूप सँ प्रेस कान्फ्रेन्स करैत नैन्सीक दुइ गोट चाचा केँ सन्देहक आधार पर हत्यारा होयबाक बात कहल गेल अछि। सन्देहक आधार पर विभिन्न मीडिया द्वारा अलग-अलग तरहक दाबी सेहो देखलहुँ। कियो त एतेक तक कहि देने अछि जे नैन्सी हत्याकाण्डक गुत्थी सुलझी, कियो कहने अछि जे नैन्सी के अपने ही लोगों द्वारा हत्या का शक….। एम्हर परिवारक लोक परसू साँझे एकटा वीडियो जारी कय केँ सोशल मीडिया सँ एहि बात केँ वायरल केने अछि जे ई सब साजिश अन्तर्गत भऽ रहल अछि जे पीडित परिवारहि केँ घेरा मे फँसाकय असली अपराधी केँ बचेबाक कुचेष्टा कएल जा रहल अछि। पब्लिक एहि दुइ अलग-अलग दाबी मे ‘नैन्सी’ केर हत्याक सबसँ पैघ न्यायकर्ता बनि न्यायाधीशक कुर्सी पर बैसि सामाजिक संजाल सँ भिन्न-भिन्न तरहक निर्णय सब सुना रहल अछि। एहि बीच हमरो स्थिति किंकर्तब्यविमूढ भेल अछि जे आखिर कोन बात सत्य आ कोन बात असत्य, हमहुँ पहिने सँ पीडित परिवारक सब बात केँ विश्वसनीय मानैत आबि रहल रही, एखनहु हुनके सभक बात केँ सत्य मानैत छी आ नैन्सी समान नाजुक बेटी केँ जे कियो एहेन चंडाल बनि गला दबौलक आ कि गला काटलक आ कि रेप केलक आ एसिड या किरासिन तेले सँ झरकेबाक चेष्टा केलक आ कि जे किछु केलक….. ओकरा मारिकय नदी मे फेकलक ओहि चण्डाल केँ भारतीय दंड विधान अन्तर्गत कड़ा सँ कड़ा दंड भेटय जाहि सँ फेरो दोसर नैन्सी केँ कियो एहि तरक जुलुम करय सँ पूर्व हजारों बेर सोचय, यैह जनादेशक संग छी।
परिवारक लोक पर शंका कियैक?
एखन धरि एहि केस मे ततेक तरहक बात सुनि लेलियैक अछि जे कोन सही, कोन गलत, कोन उचित, कोन अनुचित, ई विवेक हेरायल सन बुझा रहल अछि। तर्कशक्ति क्षीण पड़ि गेल अछि। एसआइटी द्वारा ३-४ दिन पूर्वहि जे दुइ चाचा केँ पूछताछ लेल फूलपरास लऽ जायल गेल छल आर ओतय जाहि तरहक सवाल सब पूछल जा रहल छल ताहि पर पारिवारिक स्रोत द्वारा जनतब भेटल जे ब्यर्थक प्रश्न जेना सब्जी कतेक किनलहुँ, जबाब १ किलो, कि मारय तड़ाक् झापड़ आ पढय गारि आ कहबाबय जे झूठ बजैत छी…. एतेक पैघ परिवार मे १ किलो सब्जी…. आ सेहो कीनय लेल कार सँ जायब…. आदि। मुदा आइ एकटा सम्भ्रान्त शोधकर्ता फ्रीलांसर पत्रकार संग गप भेल एहि मुद्दा पर आर ओ २-३ गोट नव बात सेहो कहलनि तखन स सोचबाक दृष्टिकोण कनेक परिवारक विरुद्ध हमरो गेल अछि। सच छैक जे जैह दुइ चाचा पकड़ेला अछि हुनका पहिनो थानेदार पकड़िकय ई सब बात पूछताछ केने छलनि, भले ओ डायरी मे नहि उल्लेख कएल गेल छैक…. आर फेर वैह दुइ गोटा असली गबाही सेहो छथि जे रस्ता मे नैन्सी केँ अपन घर दिशि जाएत देखने रहथिन आ संगहि पाछू स पवन आ लालू (आरोपी द्वय) केँ सेहो देखबाक बात कहलखिन। मुदा आब कहू जे एसआइटी केँ ओहि तारीखक ओहि समयक सीसीटिवी फूटेज लालू झा कार्यरत पेट्रोल पंप मे कोना भेटलैक, जे कि पुलिस दाबी केलक अछि? आ कि ई एकटा रणनीति थिकैक? खैर! ई त प्रमाण भेल जे ई दुइ चाचा अपन बयान मे गलत सिद्ध भेलाह आ फेर बदलैत बात करबाक कारण सन्देह मे घेरेलाह। दोसर बात, २५ मई केर ओहि समय मे हिनका लोकनिक मोबाइल कौल रेकर्ड लगातार २-३ घंटा धरि विभिन्न कौल मे या कोनो खास ३-४ कौल मे पूर्ण रूपेण व्यस्त रहल अछि। त कि ई सब घटनाक अंजाम देलाक बाद बचाव लेल ई सब कौल केलनि, या घटना केँ अंजाम देबाक समय ई कौल केलनि, या फेर हेरायल नैन्सी केँ तकैया मे ई कौल केलनि…. आब ई बात त एसआइटी कौल रेकर्ड जखन सम्बन्धित मोबाइल कंपनी सँ रेकर्ड लेत तखने पता लागत आ अदालत मे ई बात प्रस्तुत होयत। लेकिन ताबत काल लेल ई दुनू सन्देहक घेरा मे त फँसिते छथि। कि नहि?
राहतक बात ई छैक जे परिवार – नैन्सीक पिता एखनहु अपन परिवार केँ नार्को टेस्ट आ लाइ डिटेक्टर टेस्ट करेबाक तक केर बात कहैत छथि। हुनका एखनहु अपन परिवार पर भरोसा छन्हि। हेबाको चाही। सामान्य तौर पर जखन कियो अपने सँ अपन परिवार मे घटना घटबैत अछि मिथिला समाज मे त लाश केँ आनन-फानन मे जरबय लेल गाछी पहुँचि जाएत अछि। असामान्य मृत्यु केँ सामान्य या आकस्मिक देखाकय समाजक संग लैत सब बात पुलिसक कान मे पहुँचला सँ पहिने रफा-दफा कय दैत अछि। लेकिन एतय एसआइटी केर दाबी अलगे बात संकेत कय रहल अछि। लाश केँ सलटेबाक बदला लाश केँ नुकेबाक काज कएल जाएछ आ फेर विवाह कार्य सम्पन्न केला उत्तर परिवार द्वारा नैन्सी केर अता-पता नहि भेटत त आत्मदाहक बातक ड्रामा होएछ, ओम्हर यैह दुइ गोट भाइ केँ पुलिस पूछताछ लेल मारि-पीट सेहो करैछ, आ फेर लगभग साढे सात बजे राति मे लाश भेट जेबाक जनतब परिवार केँ करबैत अछि थाना। सब बात केँ मिलाकय देखियौक। परिवारेक लोक हत्या करत, परिवारेक लोक लाश ठेकान लगायत, परिवारेक लोक मुदालह, परिवारे आत्मदाह करत, परिवारे सोशल मीडिया पर थानाक लापरवाही आदिक मुद्दा बनबैत टंटा ठाढ करत…. आ एसआइटी केर नजरि मे परिवारे शक केर घेरा मे रहत। साफ छैक न सब बात?
पीडित परिवार द्वारा बनायल गेल मुदालह केर वकील जे सफाई पेश करतैक से सफाई एसआइटी अपने पेश कय रहल छैक। साक्ष्य सेहो सोझाँ आबि गेलैक। सीसीटिवी फूटेज, आदि। महागठबंधन केर बैसार पैछला रवि दिन सेहो होएत छैक महादेव मठ मे जे ओ सब निर्दोष अछि, ताहि लेल आन्दोलनक तैयारी सेहो होएत छैक…. आर आब त लगभग आन्दोलनक सब बुनियादो ठाढ भऽ गेलैक। एसआइटी के फाइनल रिपोर्ट तक देखू कि होएत छैक! जस्टिस फर नैन्सी जारी अछि।
हरिः हरः!!