विशेष सम्पादकीय
एक बेटी अपन अदम्य साहस आर योग्यता सँ मातृभूमि मिथिला ओ मातृभाषा मैथिली प्रति २५ करोड़ दर्शक देखयवला टीवी शो मे उद्गार प्रकट कयकेँ आइ १० करोड़ मैथिलीभाषीक आँखिक तारा बनि गेली अछि। ओना त मैथिलीभाषी कतेको योग्य छथि मुदा एहि तरहें खुलेआम अपन निर्दोषभाव सँ समर्पण देखबैत निडर बनिकय मैथिली ओ मिथिला प्रति समर्थन करबाक काज एहि सँ पूर्व नहि कियो कय सकल छल। समाचार सब भेटिते रहैत अछि जे फल्लाँ मैथिल फल्लाँ शो (प्रतियोगिता) मे गेली वा गेल अछि, फल्लाँ मैथिल एतेक उच्च पद पर आसीन भेल अछि, आदि-आदि; परन्तु मैथिली ठाकुर जेकाँ कियो खुलिकय अपन मिथिलावासी मात्र केँ धन्यवाद करैत – मैथिली भाषा मात्र लेल उच्चस्तरीय काज करबाक प्रतिबद्धता जनबैत अपन साधल सुर आर तानक संग अति मीठ स्वर मे गायन सब प्रस्तुत केली जे शो केर निर्णायक, प्रस्तोता, दर्शक सभक मन जीत लेली आर समस्त मिथिलाक लोक मे अपन मातृभूमि-मातृभाषा प्रति नेह जगा देली। जे काज बहुत पैघ-पैघ अभियानी लोकनि अपन पूर्ण समर्पण ओ योगदान सँ नहि कय सकल छलाह से काज यथार्थतः मैथिली अपन योग्यता ओ दक्षता सँ उचित मंच धरि पहुँचिकय पूरा केलीह। एहि सँ पैघ आर किछु नहि भऽ सकैत छैक अपन प्रतिभा सँ एकटा उच्च स्थान पर पहुँचिकय मैथिलीक एक आवाज पर समस्त मिथिलावासी एक भऽ गेल अछि।
महत्वपूर्ण बात ईहो छैक जे यदि मैथिली ठाकुर विजेता बनितथि त मिथिलावासीक आत्मसम्मान बेसी बढितय, मुदा जाहि तरहें हुनका उपविजेता बनायल गेलनि – ओ खिताब सँ वंचित राखल गेलीह – ई प्रकरण मिथिला सहित समस्त विश्व मे संगीतप्रेमी केँ हिनका प्रति सहानुभूतिक बड पैघ लहर चला देलक। मिथिलाक लोक मे आक्रोश अछि। ई त्रासदीपूर्ण – अन्याय – अत्याचारक प्रसंग भऽ गेल जे यथार्थ विजेता केँ छलपूर्वक उपविजेता बनायल गेल। एतेक रास फैक्टर्स मैथिलीक पक्ष मे रहितो अन्तिम प्रस्तुति मे प्रतिद्वंद्वी बैनेट दोसाँझ केर ६१% पर रुकि गेल वोट केँ २ सेकेन्ड मे १६% बढाकय मैथिलीक लब्धांक ७६% सँ मात्र १% ऊपर यानि ७७% पर बन्द कय हुनका विजेता बना देलक कूचक्री सट्टाक खेल। ई प्रसंग ओहिना भेल जेना रावण द्वारा राम सँ बदला लेबाक लेल सीताक हरण करबा वास्ते अनेक छल, कपट आ कूचक्र कएल गेल छल। पहिने त मायारूपी स्वर्णमृग केँ उपस्थित केलक रावण, तदोपरान्त भिखारीक भेष बना भीख देबाक बहन्ने सीता पर नैतिक दबाव बनेलक, आर सीता सँ लक्ष्मण रेखाक पार कयकेँ भीख प्रदान करबाक वास्ते नैतिक प्रेरणाक छलपूर्ण प्रवचन देलक आर फेर एकला नारी केँ अपन बाहुबल सँ अपहरण कय लंका लय गेल। रस्ता मे जटायू द्वारा रावण केर अत्याचार विरुद्ध युद्ध सेहो भेल, मुदा रावण अपन जिद्दक आगाँ ‘मैथिली’ केँ हरण कयकेँ लंका लय चलि गेल। ठीक तहिना मैथिली ठाकुर संग अन्यायपूर्ण व्यवहार भेल हम सब अनुभव कय रहल छी आर विपत्ति मे सदिखन हमरा लोकनिक एकजुटता अत्यन्त सामर्थ्यवान होयबाक जीवनपद्धति हेबाक कारण हम सब मैथिलीक कारण एकजुट भ गेल छी। ओकर अपमानक बदला लेबाक लेल एहेन सीख देबा वास्ते उद्यत् छी जे फेर दोसर कोनो मैथिली संग अत्याचार करय सँ पूर्व केकरो बेर-बेर सोचय पड़ि जेतैक, ताहि तरहक एकजुटता सँ मैथिली ठाकुर केँ हम सब अपन मुकुटमणि जेकाँ लगाकय सम्मान समारोह आ मुंहमांगा पारितोषिक देबाक उत्कृष्ट एकता प्रदर्शन कय रहल छी। एहि सँ पूर्व हमरा अनुभव मे एतेक जोश आ उत्साह कहियो केकरो लय केँ नहि भेल छल जतेक मैथिली केँ लेल भेल अछि।
एखन धरि मैथिली ठाकुर मिथिलाक कतेको रास ब्रान्ड ओनर केर एम्बैसेडर बनि गेली अछि। विराटनगर मे सम्पूर्ण मिथिलाक ब्रान्ड एम्बैसेडर होयबाक खिताब जनता-हस्ताक्षरित सम्मानपत्र मार्फत भेल। दरभंगा मे इम्पल्स कोटा सनक प्रतिष्ठित कोचिंग संस्थान द्वारा मैथिली ठाकुर केँ ब्रान्ड एम्बैसेडर बनायब अत्यन्त महत्वपूर्ण आर आर्थिक रूप सँ हुनका सबल बनेबाक लेल कएल गेल अछि। तदोपरान्त बिहारक राजधानी पटना मे डा. मदन मोहन झा – राजस्व मंत्री द्वारा मैथिलीक सम्मान ओजक संग कएल गेल अछि। पुनः मैथिली ठाकुर बोकारो पहुँचैत छथि आर सम्मानित होयबाक संग-संग पुरस्कृत सेहो होएत छथि। आइ मैथिली राँचीक हरमू पटेल मैदान पहुँचती। ओतय विशाल सम्मान समारोह होयत। हजारों ठाम सँ मैथिली ठाकुर केँ आमंत्रित कएल जा चुकल अछि। हुनकर सम्मान समारोह आ सांगीतिक प्रस्तुतिक ई दौड़ चलिते रहत। दरभंगा मे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर केर कएल घोषणा जे राइजिंग स्टार केर पारितोषिक रकम २० लाख टकाक दोब्बर हुनका स्वयं मिथिलावासी हस्तान्तरित करत आर हस्तान्तरण समारोह दरभंगा मे कएल जायत – ई सब संकेत छी जे मैथिल अपन भाषा आ सभ्यताक महत्व मैथिली ठाकुर केर खुलेआम आह्वानक चलते बुझि गेल अछि। ई शुभ संकेत थिक आर यैह सब कारण सँ हम हुनका जानकीक अवतार सेहो कहल अछि। मिथिलाक पुनर्निर्माण केवल आ केवल जानकीक कृपा सँ संभव होयत कारण एतुका लोक मे अपन माटि-पानि-संस्कार सँ मोह टूटि गेल छल जे मैथिली ठाकुर रूपी जानकीक एक आवाज पर फेर आबि गेल देखाएत अछि।

1 Comment
Humko aapka program clours tv pe bahut achha laga sach me aapka awaj bahut hi lajabab hai kya batau mai to chahata hu ke indian idal tv ke program me us sit me aap bhi baitho**********