
झारखंड मिथिला मंच केर महिला समूह द्वारा काल्हि जानकी नवमीक शुभ अवसर पर कुमारि भोजन कराओल जेबाक समाचार भेटल अछि। झारखंड मिथिला मंच केर फेसबुक पेज द्वारा कुमारि भोजनक फोटोक संग जानकी नवमी पर अपन मिथिलाक मूल संस्कृतिक रक्षार्थ एहेन सान्दर्भिक डेग उठेबाक जानकारी स्रोत द्वारा भेटल अछि। विदित हो जे झारखंड मैथिली मंच सँ हालहि किछु महीना पूर्व अलग भेल ई नवोदित संस्था हरेक मास किछु न किछु सक्रिय क्रियाकलाप सँ मैथिली तथा मिथिला नाम केँ निरंतर आगाँ बढा रहल अछि। वास्तविकता मे यैह स्वस्फूर्त सेवा संस्कार मिथिलाक सनातन पहिचान केँ सुरक्षित आ संरक्षित रखैत अछि। समूचा मिथिला मे राँचीक एहि संस्थाक सक्रियता प्रति एकटा नव समाचार पसरबाक उम्मीद जागल अछि। संगहि महिलाक सक्रियता तऽ आरो विशेष रूप सँ सकारात्मक आ प्रासंगिक अछि वर्तमान युग मे जखन मैथिलक अपन पहिचान कतहु हेराइत अनुभूति भऽ रहल अछि।