दुबई, मार्च ११, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
दुबई स्थित एनआरएमए (नन रेजिडेन्ट मधेशी एसोशियेशन) द्वारा काल्हि शुक्र दिन १० मार्च पूर्व निर्धारित आ नेपाल सँ विभिन्न आमंत्रित मैथिली गायक व कलाकार सब संग होली उत्सव संपन्न कएल गेल अछि। आयोजक समिति सदस्य एवम् उद्घोषक भोगेन्द्र राज साह ‘विराज’ मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करौलनि जे सप्तरी मे मधेशी समुदाय द्वारा एमालेक मधेश मे अभियान विरुद्ध शान्तिपूर्ण विरोध कएनिहार निहत्था जनतापर नेपाली पूलिस द्वारा नस्लवादी बनि नरसंहार केर कारण आयोजक सब दुःखी मन सँ ई कार्यक्रम संपन्न कएलक। जाहि उत्साह आ हर्ष लेल होली उत्सवक आयोजन राखल गेल छल तेहेन अवस्था नहि रहल। शोक आ पीड़ाक माहौल मे उत्सव केहेन होएत छैक से स्वाभाविके बुझल जा सकैत छैक, तखन त नेपाल सँ विदेश धरि गायक, कलाकार आदि केँ बजा लेबाक कारण आ कार्यक्रम लेल महंग सभागार लेल पर्यन्त पाइ खर्च कय देबाक कारण आमंत्रित लगभग ५०० मधेशी समुदाय संग दुबई मे आयोजन संपन्न करब बाध्यता छल। कार्यक्रम मार्फत सब शहीद केँ श्रद्धाञ्जली दैत नेपाल मे मधेशी सहित अन्य अधिकारविहीन समुदाय केँ संविधान द्वारा सम्मानित ढंग सँ न्याय लेल अपील सेहो कएल गेल अछि।
विदिते अछि जे ३ मार्च केँ संपन्न पूर्व तैयारीक बैसार मे देल गेल जिम्मेवारी अनुसार डा. रबिन्द्र यादव द्वारा कलाकार सभक स्वागत-सत्कार, ब्याच व्यबस्थाक कार्य धर्मेन्द्र गोहिवार यादव आ मदन यादव, नास्तामे चना-मुरही-चुरा आ मलपूवा संग सोफ्ट ड्रिंक्स आ खाना प्लेन राइस, दाल फ्राई, मटन करी, पनीर विथ ग्रीन पिज आ सलाद केर जिम्मेवारी मदन यादव, कन्ट्रोलर – बिनोद यादव आ एक जना अन्य स्वयंसेवक सहित एक्स्ट्रा कुर्सीक व्यवस्था धर्मेन्द्र गोहिवार यादव आर टिकट बिक्री वितरणक मदन यादव, बिनोद पासमान, राम राउत, सन्त साह आ मुकेश झा विभिन्न स्थानपर तथा स्वयंसेवक १५ जना लेल सरोज यादब, कार्यक्रम संचालक – जग नारायण मण्डल आ भोगेन्द्र साह छलाह। मधेश सँ आयल कलाकार गायक संजय यादव आर आरती चौधरी संग स्थानीय गायक भोगेन्द्र राज साह, ब्रजेश शर्मा, जगत नारायण जोगाडु, कवि प्रभात राय भट्ट और कलाकार सब अपन-अपन प्रस्तुति देलनि।

1 Comment
happy holiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiiii