सगुन मैथिल, मुम्बई। फरवरी २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली सिनेमाक इतिहास मे आइ धरि जे कियो सिनेमा बनेलक ओ दोबारा फेर सँ बनेबाक हिम्मत नहि कय सकल, कारण जे प्रोड्यूसरकेँ अपन लगानी सँ बनायल गेल सिनेमा कोनो कमाई करबाक त बाते दूर लागत रकम तक सेहो नहि निकलबाक शिकायत आम बात होएत छैक। एकर बहुते रास कारण सब अछि ताहि में एकटा मुख्य बात ई अछि जे मैथिल जनमानसक रुचि अपनहि भाषाक सिनेमा मे कोनो खास नहि होएत अछि, आर हिन्दी, भोजपुरी, अंग्रेजी सिनेमा देखबाक लेल मानू जे लौल बनल रहैत अछि। कहबी छैक न जे बारीक पटुआ तीत आर दूरक ढोल सोहाओन… ई बात अक्षरशः सही साबित होएत अछि मैथिल सिनेमा दर्शक सब संग। ओकरा हिरोइन हो या गीत या नाच या फाइट या स्टंट – ई सब बात आनक भाषा आ संस्कृति मे देखायल बेसी नीक लगैत छैक। गामक लोक सब भोजपुरी सिनेमा पैसा खर्च कय केँ देखैत अछि मुदा मैथिली सिनेमाक नामे लैत ओकरा एना लगैत अछि जे धू, ई त अपने भाषा के थिकैक, एहि मे देखले बात सब देखेतौ।
तथापि सिनेमा बनेबाक शख मैथिल निर्माता सब केँ अन्त नहि भेल अछि। उलटा ई बढिते जा रहल अछि। अपन घाटा नोक्सानी केँ बिसैरकय नित्य नव-नव उद्यमी मैथिली फिल्म बनेबाक आर अपन भाग्यक आजमाइश करबाक काज करैत आयल छथि। एहि सूची मे अनिल कुमार झा सेहो अपन पूर्वक सब हानि-नोक्सानी बिसैरकय मैथिली सिनेमा बनेबाक साहस केलनि जेकर सराहना विज्ञजन सब कय रहला अछि आर हुनका सफलता भेटय ताहि लेल शुभकामना सेहो दय रहल अछि। हुनकर नवनिर्मित सिनेमाक नाम छन्हि – “जेहने साउस तेहने पुतौह”। एहि मे अपन सुन्दर सन अभिनय मैथिलीक सुपर स्टार गायक माधव राय तथा सुप्रसिद्ध गायिका पूनम मिश्रा कएलनि अछि। चन्दन मिश्रा द्वारा निर्देशन कएल गेल अछि। मिथिला केँ फेर सँ विश्वपटल पर स्थापित करबाक लेल लचरल अवस्था मे रहल मैथिली सिनेमा केँ ऊपर उठायब बहुत जरुरी अछि। फिल्मक माध्यम सँ मिथिलाक मौलिक पहिचान, संस्कार, साहित्य, आर मैथिली भाषाक मिठास केँ प्रचार-प्रसार करब बहुत आवश्यक छैक। ३ फरवरी सँ ई सिनेमा दरभंगाक प्रसिद्ध चित्र-मन्दिर “लाइट हाउस” मे लागि रहल अछि आर आशा कएल जा रहल अछि जे सिनेमा मे जानल-मानल कलाकार सभक एक संग उतरला सऽ निश्चिते दर्शक लोकनि एकरा देखता आर मैथिली सिनेमान इतिहास मे क्रान्तिकारी बदलाव आयत।