नवीन वी मिश्रा द्वारा निर्माण आ निर्देशन मे बनि रहल नव फिल्म मिशन मिथिला मे सामाजिक कूरीति आ हेराइत – भोथलाइत संस्कृति पर कथा-पटकथा लिखल जेबाक जानकारी भेटल अछि। हालहि संपन्न दहेज मुक्त मिथिलाक मुंबई महोत्सव मे एकटा डक्युमेन्ट्री फिल्मक योगदान दैत नवीन अपन प्रतिबद्धता प्रकट केने छलाह। एहि फिल्मक तैयारी जोर पर अछि। दहेज समान कूरीतिक उन्मुलन हो एहि मूल ध्येयक संग एहि फिल्मकेर निर्माण मैथिली मे कएल जा रहल अछि। मैथिली तथा हिन्दी साहित्यकार बुद्धिनाथ मिश्र द्वारा लिखल गेल गीत केर सेहो एहि मे समावेश कैल गेल अछि। विदित हो जे दहेज मुक्त मिथिला अभियानकेर संचालन सँ प्रेरित होइत निर्माता नवीन वी मिश्रा एहि फिल्म केर निर्माण मे अपन लगानी कय रहल छथि। मनोरंजनक संग मैथिली फिल्मक प्रवर्धन आ सामाजिक कूरीतिक उन्मूलन – एक संग बहुत रास लक्ष्य पर कार्य करबाक एहेन अदम्य साहस लेल एहि फिल्मक चौतरफा चर्चा एखनहि सँ चलय लागल अछि।
मिशन मिथिला: निर्माणाधीन मैथिली फिल्म
153 भ्यूज


4 Comments
नवीन भाई कर्मठ आ प्रतिबद्ध युवा फिल्मकार छैथ। हिनका ढेरों शुभकामना
Bahut bahut dhanyawaad maithili jindabaad ke je hamar antaraatma ke soch ke bahut sundar dhang san Likhalaith…. Jai mithila
Navin Mishra sir Aahak bahut bahut dhanyabaad
Jai hoo
Navin bhaiya ke bahut bahut dahanywayad