बिपिन मिश्रा, दरभंगा। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २१, २०१५.
ब्राह्मण महासभा तथा परशुराम सेवा संस्थान केर संयुक्त तत्त्वावधान मे भव्य परशुराम जयन्ती महोत्सव दरभंगा मे मनायल गेल। वर्तमान समय राजनीतिक वातावरण सँ सृजित परिस्थिति मे परशुरामक नाम पर ब्राह्मण जाति मे एकता बनेबाक लेल एहि तरहक समारोहक महत्त्व बहुत बेसी भऽ गेल अछि, जहिना परशुराम अपना हाथमे परिस्थितिवश फरसा उठौने छलाह, तहिना आब हुनक संतानकेँ सेहो आब कठोर संकल्प लेबाक बेर आबि गेलनि अछि, एहि तरहक भावना जतौलनि आयोजक पक्ष।