Saharsa Sa Khabair

– सुभाषचंद्र झा, सहरसा, मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २०, २०१५.

चन्द्रशेखर जयन्ती पर रक्दान

परसू यानि १८ अप्रैल, पूर्व प्रधानमंत्री स्व चन्द्रशेखर जीक जन्म जयंती पूर्व विधायक किशोर कुमार मुन्नाक आवास पर आयोजित भेल। वक्ता सब हुनक चित्र पर माल्यार्पण करैत कहलनि जे युवा तुरक नेताक रूप मे सभ दिन आदर्शक राजनीति कयलनि । एहि अवसर पर श्री मुन्ना व हुनक सहयोगी सब मानवताक लेल रक्तदान सेहो कयलनि। आ रोगी सबहक बीच फल वितरण सेहो कयल गेल । रक्तदान करय मे जीशू सिंह, दिवाकर सिंह, मो. लुकमान अली, शिवभूषण सिंह, लल्लु झा, राजू सिंह, नव निर्माण मंचक विजय झा, कल्पतरू सिंह टिंकू, फौजी जीतेन्द्र सिंह सब शामिल छलाह। पूर्व विधायक मुन्ना कहलनि जे रक्तदान कयला सँ कोनो हानि नहि होइछ बल्कि रक्तदान सँ नव खुन बनैत अछि ओ जरुरतमंद के रक्त सँ जान बचैत अछि ताहि लेल हर युवा के नियमित रूप स रक्तदान करबा लेल आह्वान सेहो कयलनि।

मालिककेर हत्या कामदार द्वारा

चिमनी ईंटा भट्टा मालिक मन्नी प्रसाद सिंह केँ ओहि ठाम कार्यरत दुइ मजदूर मिलिकय धारदार हथियार सँ प्रहार कय मारि देलक। तकर बाद दुनू मजदूर सहरसा थाना मे आबि आत्मसमर्पण कय देलक। जुर्म कबूल करैत कूचबिहार निवासी मो. सिराजुल, प्रसेनजीत वर्मन बयान देलक जे पॉच महिना सँ हमर बेटी आ बहिन संग दुष्कर्म करैत छल। बाजला पर जान सँ मारबाक धमकी दैत छल। आरक्षी अधीछक पंकज सिन्हा कहला जे दुनू आरोपीक बात सत्य प्रतीत होइत अछि मुदा मामिलाक जाँच कयल जा रहल अछि। अनसंधानक बाद मामिला पुर्णरुपेन स्पष्ट होयत । घटनाक बाद लोक दहशत मे अछि। ओना प्रशासन सतर्कतापूर्वक मुस्तैद अछि। मृतक केर भाइ द्वारा सात आदमी पर मुकदमा कयल गेल अछि ।