Search

Gareeb Swaabhimaan Rally Patna Me Aai

328 भ्यूज

गरीब स्वाभिमान रैली आइ

– किसलय कृष्ण, सहरसा। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल २०, २०१५.

सहरसा सँ पटनाक यात्रा पर रैली सहभागी लोकनि

सहरसा सँ पटनाक यात्रा पर रैली सहभागी लोकनि

बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जितनराम मांझीक नेतृत्व मे गठित हिन्दुस्तान अवाम मोर्चा द्वारा गरीब स्वाभिमान रैली केर विशाल आयोजन गाँधी मैदान पटना मे आइये कैल जा रहल अछि। आयोजन मे सहरसा सँ प्रसिद्ध मैथिलीसेवी बिमल कान्त झा केर नेतृत्व मे करीब ५००० कार्यकर्ता पटना पहुँचि चुकल अछि। समाजसेवी झा आजुक सम्मेलन केर एक मुख्य वक्ता सेहो छथि। मैथिली-जिन्दाबाद केँ जानकारी करौलनि जे राजनीति मे रहैत हमर पहिल प्राथमिकता मातृभूमि मिथिला, मातृभाषा मैथिली आ अपन गाम-समाजक जमीनी मुद्दा रहत। गाम-समाजक उत्थान सँ राज्य आ देशक उत्थान होयत।

Related Articles