Search

Dahej Mukt Mithila Madhubani Meeting

174 भ्यूज

संजय मिश्रा, मधुबनी। मैथिली जिन्दाबाद, अप्रैल १९, २०१५.

dmm madhubani

आइ दहेज मुक्त मिथिला के मधुबनी मे सफल बइसार भेल, जाही मे निर्णय भेल की मधुबनी मे बहुत जल्द दहेज मुक्त मिथिला के एक जिला स्तरीय टीम बनत, ओइ टीम मे सब जाती सब वर्ग के लोक के जोरइत साथ मे दहेज मुक्त मिथिला के पुरान सदस्य के साथ लेइत दहेज मुक्त अभियान के घर घर पहुँचावे के लक्ष्य राखल गेल।

विदित अछि जे वर्ष २०११ मे सौराठ सभाक ऐतिहासिक सभागाछी सँ ई अभियान मूर्तरूप लैत शुरुआत कैल गेल छल। एहि मे कतेको रास युवाक सामूहिक सहभागिता देखायल गेल छल। लेकिन विभिन्न कारण सँ एहि संस्थाक मधुबनी (मिथिला) कार्यसमितिक सक्रियता शिथिल पड़ि गेल आ मजबूरन दहेज मुक्त मिथिलाकेँ मिथिलाक एहि पावन धरा सँ स्थानान्तरण करैत राष्ट्र स्तरक पंजियन करबैत अन्यत्र प्रसार कैल गेल। वर्तमान समय संजय मिश्रा, मुजफ्फरपुर केर पुनर्सक्रियता सँ एक बेर फेर मिथिलाक मूल भूमि पर ई संस्था अपन नव रंग मे आबि रहल अछि। संगहि एहि मे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय अध्यक्ष श्याम झा सहित बिठौली-दरभंगाक अनेको सेनानीक सक्रियता सेहो सराहनीय अछि। आशा कैल जा सकैत अछि जे आब ई अभियान कोनो हालत मे रुकत आ ठमकत नहि।

 

Related Articles