Search

Maithil Kanya Photo Contest – 2015

मैथिल सुन्दरी कन्या फोटो कन्टेस्ट – २०१५
 
वर्तमान युग मे फैशन आ मेक अप केर अनेक रूप देखय लेल भेटैत अछि। भारतीय संस्कार पर पाश्चात्य सभ्यताक असर पड़ि गेल अछि। तथापि अपन पौराणिकता मे सेहो आधुनिकताक अनुकरणीय उदाहरण मैथिल कन्या द्वारा स्थापित कैल जाइछ। अंबिका एक स्कूली छात्रा रहैत अपन विद्यालयक फेयरवेल शो मे सब संगी केँ एहि लेल मनेलक जे अपन परंपरागत परिधानकेँ विशेष रूप सँ हम सब प्रोत्साहित करी। आउ देखी, साड़ीक परिधान मे अपन प्रस्तुति किछु एहि अन्दाज मे दय रहल अछि जे केकरो प्रभावित कय सकैत अछि।
 
मैथिली जिन्दाबाद पर ‘मैथिल सुन्दरी कन्या फोटो कन्टेस्ट – २०१५’
 
शर्त: अहाँ मैथिलीभाषी होयब जरुरी अछि। अहाँक उम्र ३१ मई, २०१५ धरि १५ वर्ष हेबाक चाही। फोटो मैथिल परिधान मे होयब जरुरी अछि।
 
अपन नाम, पिताक नाम, वर्तमान पता ओ संछिप्त व्यक्तिगत परिचयक संग कान्टेस्ट मे देल जायवला फोटो [email protected] पर पठाउ। फोटो पठेबाक अन्तिम तिथि: ३१ मई, २०१५.
 
निर्णायक मंडली: श्रीमती रूपा झा, श्रीमती पुष्पा ठाकुर, श्रीमती वन्दना चौधरी, श्रीमती राधा मंडल आ श्रीमती सीता यादव।
 
विजेता लेल आकर्षक उपहारक संग प्रमाणपत्र पठेबाक इन्तजाम कैल जायत। साक्षात्कार दूरभाष द्वारा उपरोक्त निर्णायक मंडली द्वारा कैल जायत।
 
परिणामक घोषणा संछिप्त समारोह द्वारा विराटनगर मे जुन १५, २०१५ केँ कैल जायत।
 
आयोजक: मैथिली जिन्दाबाद – संपूर्ण मिथिलाक समग्र समाचार (पोर्टल)
 
हरि: हर:!!

Related Articles