-सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। मैथिली जिन्दाबाद – मार्च १८, २०१५.
महिषीक महिसरहो गाम मे शुक्र दिन एक घर मे आगि लागब सँ तीन बच्चा जरि कऽ मरि गेल। माटिक बर्तन बना – बेचि गुजर करयवला गांगो पंडितक पोता सब एसगरे आंगन मे छल । कहल जाइत अछि जे बिजलीक तार सँ उड़ल चिनगी सँ फूसक घर मे आइगलग्गी भेल, घर तऽ जरबे कैल, संगहि आंगन मे रहल ओ बच्चा सब केँ बचेनिहार कियो नहि भऽ सकल आ एहि सँ एहन ह्रदय विदारक वीभत्स घटना घटि गेल। सम्पुर्ण इलाका मर्माहत अछि । शोक केर एहि वेला मे जिला प्रशासन व समाजसेवी विमलकांत झा सेहो घटना स्थल केर निरीक्षण करैत पीड़ित परिवार केँ साँत्वना व मदद केला। लोक सब प्रतिक्रिया दैत बाजल जे विद्युत विभाग केर लापरवाही जे वायरिंग पर ध्यान नहि दैत अछि आ शॉर्ट शर्किट सँ आगि लगैत अछि कहि जिलाधिकारी सँ उचित कार्रबाई करबाक माँग सेहो केलक।