बरखा सँ बेहाल सहरसा – अस्त-व्यस्त अछि लोकक जीवन

मुरारी कुमार मयंक, सहरसा। सितम्बर १७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

saharsa-rain-waterसहरसा – शहर में लगातार भ रहल बरखा आ प्रशासनिक लापरवाही सँ शहरक स्थिति नरक जेकाँ भ गेल अछि। लोकक जीवन अस्त-व्यस्त भ गेल अछि। सबसँ बेसी समस्या स्कूल कॉलेज आ ट्युशन पढयवला छात्र-छात्रा केँ भ रहल अछि।

जलनिकासीक समस्या सँ शहर केर आम जनता में त्राहिमाम मैच गेल अछि। नगर परिषद् जल निकासी प्रति अप्पन कुन्नू दिलचस्पी नय देखा रहल अछि। शहरक मुख्य मार्ग मानल जायवला तिवारी टोला सँ प्रशांत मोड़ धरिक बाट केर बीच मे मधेपुरा ढाला सँ भी-मार्ट तक केर सड़क वनवे बैन गेला सऽ पैदल, रिक्शा, टेम्पु आदि केर चलब मुश्किल भ गेल य। परिणामस्वरूप सड़क जाम केर समस्या सेहो बढि गेल य।

saharsa-rain-water1ई समस्या शहरक मुख्य मार्ग सहित आसपास केर मोहल्ला में थाल-खीच भैर देलक। संगहि सुगरक आवर-जातक चलते बाट-घाट आरो दुर्गंधित बनि जेबाक कारण सहरसावासी परेशानी मे अछि। शहर केर बाईपास मार्ग जाहि सँ बस स्टैंड पहुँचल जाएत अछि ताहू मे पंचवटी चौक पर रस्ता सहित मोहल्ला पैन में डूबल अछि जाहि सँ विभिन्न दुर्घटना सब होएत रहैत अछि। एतय बाहनक चलब खतरा सँ खाली नहि अछि। गांधी चौक, रहमान चौक, गांधी पथ मोहल्ला, हटियागाछी, प्रताप नगर आदि क्षेत्र मे रहनिहार लोक सबकेँ घरो सँ निकलब मोसकिल भ गेल छैक, दुकानदार के दोकान में पैन पैसि गैला सँ आजीविकाक सेहो समस्या उत्पन्न भ गेल छैक।

किछ दिन पूर्व भारतीय जनता पार्टीक नगर ईकाई द्वारा शहरक बदहाली पर पर नगर परिषद केर घेराव कैल गेल छल, मुदा तेकरो कोनो परिणाम नहि भेटल।