स्वर्ग सन मिथिला के कियो जूनि बिसरू

142

लेख विचार
प्रेषित: पूनम झा
कलम के धार साप्ताहिक गतिविधि
श्रोत:दहेज मुक्त मिथिला
विषय: आब कियो गाम मे नै रहए चाहए अछी।

समूह के सब सदस्य के हमर सप्रेम प्रणाम 🙏आ अभिवादन । आइ हमहु फ़ीड्बैक दई क प्रयास क रहल छी ।
अहि समूह मे हम कहिया से छी अहि से ज़्यादा ई कहनाई उचित अछी जे
हम २३जुलाई २०२० के हम पहिल पोस्ट केने रही । जे आइयो ओतबे उचित लागि रहल अछी । समूह क नाम मे ततेक आकर्षक छे जे सब कियो जुड़ी क जानय चाहे छै जे अहिठाम की भ रहल अछि। हम आइ पहिल feedback क संदर्भ मे किछु लिख रहल छी । हम बस अहिना जुरलों जे देखिये की भ रहल छे ? फेर जूड़ले रहि गेलों । बहुत निक लागल । admin प्रवीण भाई साहेब हमर पड़ोसी गाम क छथि , ई देखि विश्वाश और मजगूत भ गेल ।वंदना दीदी क सपरिवार क फ़ोटो संग पोस्ट देखि क त बुझु अपन आँगन जेकाँ लागय लागल ई समूह
।अहिठाम पुरा ‘मिथिला आब एक गाम ‘ जेना बुझाईत अछि । अहि लेल विशेष क के समूह संचालक सब क संग पुरा मिथिला क बहुत धन्यवाद द रहल छी ।बहुत नहि ते किछु लोक के ज़रूर अहि समूह क माध्यम से कूटमैति भेल हेतनि ।ई एकटा निक काज लेल निक आधार भेटल अछि । अहिठाम घर बैसल , विना खर्च केने हज़ारो मे अपन बच्चा लेल संगी व संगिनी ताकि सकय छी । तें हम अतबे कहब जे सब कियो अहि समूह पर धीरज व शालीनता से जुड़ि कय रहु । समूह क सही उपयोग करु । निरर्थक बात व विवाद से अहि सुंदर आधार क दुरुपयोग होई से बचाऊ। ई समूह सुंदर प्रयोजन क लेल अछि । गलत बात ने पोस्ट करु आ नै कॉमेंट करु । सब अपने छी , तें किनको मज़ाक़ नै बनाऊ । ई आग्रह अछी सब सँ । अगर गलती सँ किछु ग़लत लिख देलियई ते सब से माफ़ी माँगी लिय। ई अपन घर , अपन समाज आ अपन मिथिला छी । सब अहिठाम जुरु आ बहुते किछ सिखु। हम बहुत आनंद उठबै छी । हम कोनो पोस्ट के विना पढ़ने like/comment नै करई छी।सब ज़रूर पोस्ट क पूरा पढु ।सब सदस्य सम्माननिय छी । कोनो अफ़रा तफ़री नै करैत स्नेह क वर्षा अपन कॉमेंट क रूप मे करु ।मिथिला क सबसे पैघ गुण आदर देनाय छिए, एकरा कियो नै बिसरु।