ई सौन्दर्य प्रतियोगिता किछु अलग होयबला अछि

कि विशेष आयोजन कय रहल छथि मिथिलाक ई युवा लोकनि

आइ हमर ध्यानकेन्द्रित भेल अछि ‘फेस औफ मधेश प्रदेश’ नाम्ना एकटा आकर्षक बैनर पर। “फेस औफ मधेश प्रदेश” ‍- मिथिलाक्षेत्रीय नेपालक एक प्रान्त ‘मधेश प्रदेश’ मे मैथिली, भोजपुरी व विभिन्न भाषा-संस्कृति केँ सौन्दर्य प्रतियोगिताक माध्यम सँ ग्लोबल पटल पर उजागर (विस्तार) करबाक लेल आयोजन भ’ रहल अछि। एकर तैयारी मे बहुत रास युवा शक्ति सब मनोयोग सँ लागल देखाइत छथि।

हमरो लग मैसेन्जर मे एकटा अनुरोध आयल, हमरो कहल गेल जे अपने मैथिलीभाषी जनमानस मे अपन एकटा छाप छोड़ने छी आ तेँ अहाँ सेहो हमरा सभक एहि प्रयास केँ कनी विस्तार स्तर पर प्रसार कय दी। जनरली मैथिली-मिथिला केन्द्रित विषय मात्र हमर सरोकार रखबाक सैद्धान्तिक निर्णय मे एहि युवकक अनुरोध हमरा बहुत प्रभावित कयलक आ हम हुनकर प्रयास केँ अपना ढंग सँ आशीर्वाद प्रदान करबाक लेल अपन फौलोअर्स बीच साझा कयलहुँ।

पुनः एक दोसर युवा एहि लेल धन्यवाद दैत आरो बेसी जानकारी सब उपलब्ध करौलनि। हम कहलियनि जे ‘मैथिली जिन्दाबाद’ मार्फत सेहो जेना जे सम्भव होयत हम एकर समाचार प्रकाशित कय देब। युवकक नाम अनुज मिश्र छन्हि। आयोजनक मादे हुनकर वक्तव्य सेहो बहुत आकर्षित कयलक – ओ कहैत छथि –

“मिथिला आ मधेश के प्रतिनिधित्व करबाकलेल ‘फेस ऑफ मधेश प्रदेश’ कहिकय कार्यक्रम आपन जनकपुरधाम मे आइब रहल अछि, सौन्दर्य प्रतियोगिता मे मात्रा छोट कपड़ा पहिरि अंग प्रदर्शन वला सौन्दर्यता प्रदर्शनक बुझू जे बाढ़ि आबि गेल अछि। प्राचीन मिथिलाक राजधानी जनकपुर पर्यन्त मे एहि तरहक आयोजन सब होइत देखल गेल। मुदा पीआरजेड ग्रुप द्वारा किछु अलग रूप मे मिथिला आ मिथिलाक संस्कृति संग मधेशक आरो मौलिक भाषा-कला-लोकसंस्कृति सब केँ समेटिकय सौन्दर्य प्रतियोगिता कयल जा सकैत छैक, बस यैह सन्देश देबाक प्रयास मे ई आयोजन राखल गेल अछि। एहि सौन्दर्य प्रतियोगिताक आयोजन आषाढ़ १ गते सोचने छी हमरा लोकनि। प्रतियोगिता मे भाग लेबाक लेल इच्छुक सुन्दरी लोकनि सँ रजिस्ट्रेशन बैसाख २० गते सँ होयत।”

हम युवा सभक सोच मे नग्नता आ फूहड़ता सँ दूर होयबाक उत्कन्ठा सँ काफी प्रभावित भेलहुँ। सचमुच सीताक पदार्पण भूमि मिथिला मे प्रदर्शन योग्य श्रृंगार आ संस्कारक कोनो कमी नहि। आइ विश्वस्तर पर लोकगायिका मैथिली ठाकुर केर चर्चा भ’ रहल अछि, सेहो एहि तरहक सादा जीवन उच्च विचार आ पहिरन-प्रस्तुति मे सौम्यता-शालीनताक मूल कारण सँ। भरि भारत के अनेकों संस्कृतिक लोक सब मैथिली ठाकुरक उदाहरण दैत अपन मूल-मौलिकताक रक्षा लेल आह्वान करैत सेहो देखि रहल छी। मैथिली महाराष्ट्र, गुजरात, पंजाब, उत्तराखंड, राजस्थान आदि मे ओतबे लोकप्रिय सुसंस्कार सँ भरल लोककलाकार (गायिका) के रूप मे ख्याति हासिल कय सकैत छथि त ई युवा लोकनि अपन अलग अन्दाजक ‘सौन्दर्य प्रतियोगिता’ सँ निश्चिते सफलता हासिल कय सकैत छथि।

समय-समय पर आर विशेष जानकारी संग आ हिनका सभक टीम मेम्बर्स मे के सब छथि, हुनका सभक कि सब सोच छन्हि आ आयोजनक तैयारी केना-कि चलि रहल अछि, ताहि सभक संग उपस्थित होयब बाद मे।

हरिः हरः!!