मैथिली फिल्म क्षेत्र मे एक आरो सुखद यात्रा
किसलय कृष्ण, सहरसा, मैथिली जिन्दाबाद – १७ मार्च, २०१५.
विगत किछु साल सँ मैथिली सिनेमा निर्माण मे तेजी अवश्य आयल अछि मुदा बेसी काज लौल मे भेल जेना प्रतीत होइत अछि। विभिन्न कमी-कमजोरीक कारण मैथिली फिल्ममे लगानी एकटा निराशाजनक वातावरण बनबैत अछि, कारण एहन फिल्म जाहि मे संतुलित पूँजीक लगानी सँ कलाकारक चुनाव तक मनमर्जी आ अतार्किक हो तऽ निश्चित रूप सँ एकर कोनो सार्थक परिणाम सोझा अबैत नहि देखाइत अछि।
किछु नीक काज सब सेहो होमय लागल अछि। व्यवसायिक फिल्म क्षेत्र मे हमर सौतिन, हाफ मर्डर, जेहने सासु तेहने पुतोहु, बिकल दूल्हा मौगीक गुलाम, आदि एहने किछु उदाहरण अछि। एखनहु तकनीक केर प्रयोग आ कथावस्तु केर आधार पर मैथिली मे सिनेमाक नाम प्राय: नहिये जेकाँ अछि। किछुवे मास पूर्व प्रदर्शित ललका पाग जे प्रशान्त नागेन्द्र द्वारा निर्देशित अछि ओ सर्वरूपेण स्तरीय फिल्म अछि। प्रसिद्ध रेडियोकर्मी आ साहित्यकार धीरेन्द्र प्रेमर्षि कहैत छथि जे एकर स्तर मैथिली फिल्मकेँ अन्तर्राष्ट्रीय स्तर पर लऽ जा रहल अछि।
किछु एहने तरहक काज आरम्भ भेल अछि चंपारण टाकीज केर बैनर तर मे। देसवा फेम निर्देशक नितिन नीरा चन्द्र केर निर्देशन मे बनि रहल मैथिली फिल्म केर नाम अछि “मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड’। न्युयोर्क आ टोरंटो मे फिल्मांकन उपरान्त तेसर चक्रक शूटिंग दरभंगा मे चलि रहल अछि। कलाकार रूप अधिसंख्य नाम एहेन अछि जे हिन्दी फिल्म उद्योग मे अपन सशक्त उपस्थिति पहिने दर्ज करा चुकल छथि। मुख्य भूमिका मे क्रान्ति प्रकाश, अनुरिता झा आ पंकज झा एहने नाम अछि। तहिना मैथिली रंगमंच केर माँ प्रेमलता मिश्र प्रेम संग अनेको परिपक्व अभिनेता-अभिनेत्रीक उपस्थिति अछि एहि फिल्म मे। प्रवेश मल्लिक केर संगीत मे सुरेश वाडकर आ श्रेया घोसाल केर मधुर गायन अछि। दरभंगा केर उपरान्त एहि फिल्मक शूटिंग सुपौल आ नेपाल मे होयत। निश्चित ई पहिल प्रयास अछि मैथिली फिल्म केँ वैश्विकता प्रदान करबाक आ आब लागि रहल अछि जे मैथिली साहित्ये जेकाँ फिल्म सेहो विश्व सिनेमा मे चर्चित होयत।
हरि: हर:!!