Search

International Maithili Poets’ Meet at Biratnagar – Pravin Introspects

321 भ्यूज

हमर मनक बात – अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन-२०१५

आत्मसमीक्षा

ई हमर सपना छल जे एक मंच पर एक संग सगर मिथिलाक लोक जमिकय वार्ता करी। अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन एकरे उपक्रम छल। सबहक प्रेम भेटल। ईश्वरक कृपा साक्षात् यैह होइत छैक। बहुत लोक तऽ नहि आबि सकलाह। व्यक्तिगत कार्य-व्यस्तता आ विराटनगरक दूरी ओहि प्रेम-पिपासाकेँ मिलन करबाक मौका प्रदान नहि कय सकल। मुदा जतेक लोक एलाह ओ अपना आप मे एकटा अकाट्य इतिहास रचि देलक। मंच सँ निम्न किछु पाँतिक सुमिरन करैत त्रुटि हेतु क्षमायाचना केने रही, एक बेर एहि पोस्ट द्वारा कार्यक्रम मे सहभागिताक इच्छानुरूप लिलसा पूर्ण नहि कय सकबाक लेल अपने सब गोटा सँ क्षमा-प्रार्थना करैत छी।

कहल सुनल सब क्षमा करियौ यौ बैद्यनाथ
आब मेटि दियौ सब अपराध!!
सब दिन रहलौं यौ बाबा अहींके चरण धय
आब राखियौ चरणियां के लाज!!

आदरणीय Uday Shanker Mishra​ सर संग डा. मंजर सुलेमान, चन्द्रेश, बुढा भाइ, रामकुमार भाइ व लगभग एक दर्जन नामी-गिरामी कवि लोकनिक सहभागिता नहि करा सकलहुँ। तहिना Manikant Jha​ सर संग पहुँचल जय प्रकाश जनक व अन्य कविवर लोकनिक सहभागिता सहभागी जनमानसक इच्छानुरूप नहि करा सकलहुँ। भाइ पंकज कुमार, भागलपुर व हुनका संग पहुँचल करीब दुइ दर्जन शोधार्थी कवि लोकनिक भरपूर सहभागिता नहि करा सकलहुँ। आर तऽ आर, कविश्रेष्ठ रामचैतन्य धीरज, कवि-गोष्ठीक अध्यक्षता कय रहला अरविन्द मिश्र निरज, धीरेन्द्र प्रेमर्षि, रमेश रंजन, उमाकान्त झा बक्शी, अरविन्द ठाकुर, सदरे गौहर, श्याम शेखर झा, करुणा झा, सियाराम झा सरस, आ आरो कतेको गणमान्य नामी-गिरामी सिद्धहस्त कवि लोकनिकेँ सुनबाक मौका जनमानस केँ नहि भेटल। विदेश सँ अनलाइन कतेको भाइ-बहिनक प्रस्तुति नहि लेल जा सकल…. Bhogendra Raj Sah​, Pankaj Jha​, Jha Mahesh​, Manish Jha Bauabhai​, Rupesh Teoth​, चंदनकुमार झा​, Rajeev Ranjan Mishra​, Madan Kumar Thakur​, Aditya Bhushan Mishra​, आदि कतेको शुभेच्छु-मित्र लोकनिक सहभागिता नहि लेल जा सकल।

लेकिन प्रसन्नताक बात ई जे नवतुरिया आ युवा-कवि लोकनि जे मुहदुब्बर आ दबल-कुचलल मैथिलक आवाज केँ अपन सुन्दर-सुन्दर रचना मे सजाकय अनने छलाह तिनका सबहक भरपूर सहभागिता सँ ‘मैथिली मंच’ केँ लागि रहल कलंक केँ धोबाक प्रयास एहि सम्मेलन मे कैल जा सकल। तहिना साहित्य आ मिथिलाक भूगोल हेतु संघर्षरत अभियानीक बीच जे दूरी छल तेकरा विचार-गोष्ठी मे सहभागी लगभग ६५ वक्ता अभियानीक सहभागिता सँ दूर कैल जा सकल, क्रान्तिक बिगुल फूकल जा सकल। आगामी समय मे साहित्य आ अभियान बीच समन्वय होइत मैथिली साहित्यकारक कलमक मोसि मे खूनक लालिमा देखायत – कारण मैथिली या मिथिलाक हत्या वा एकरा मृत्युदान देनिहार केँ कदापि छोड़ल नहि जा सकैत अछि से प्रमाणित होयत। मैथिली आ मिथिला सनातन कोन आत्मबल पर अछि ताहि मर्म केँ ऊपर वर्णित बुजुर्ग आ प्रतिष्ठित स्रष्टा लोकनिक आँखिक सोझाँ युवा पुस्ता राखि सकल ई एहि कार्यक्रमक उपलब्धि मानल जा सकैत अछि।

आउ, देखी एक नजर, के सब सहभागी कतय सँ भेलाह:

१. रमण कान्त चौधरी, जेआरएफ (जुनियर रिसर्च फेलो) – मैथिली, पटना विश्वविद्यालय, लखनीपट्टी, महिषी, सहरसा

२. पुरुषोत्तम कुमार चौधरी, जेआरएफ-मैथिली, पटना विश्वविद्यालय, डुमरी, बिरौल, दरभंगा

३. श्याम रूप चौधरी, जेआरएफ-मैथिली, पटना विश्वविद्यालय, खोजपुर, भोगरपट्टी, मधुबनी

४. नरेश कुमार, जेआरएफ-मैथिली, पटना विश्वविद्यालय, बिरौल, खजौली, मधुबनी

५. विनीत कुमार लाल दास, नेट, पीएचडी, मैथिली, पटना विश्वविद्यालय, काको, झंझारपुर

६. रश्मि कुमारी, नेट, पीएचडी, मैथिली, पटना विश्वविद्यालय, बघवा, सहरसा

७. दिया चौधरी, कवि एवं संस्कृतिकर्मी, जनकपुर-मुंबई

८. पंकज कुमार, जेआरएफ, मैथिली, भागलपुर विश्वविद्यालय, भागलपुर

९. सुरेश पासवान, जेआरएफ, मैथिली, मिथिला विश्वविद्यालय, नरुआर, मधुबनी

१०. नवीन कुमार आशा, एमए (इतिहास), मिथिला विश्वविद्यालय, उजान, दरभंगा

११. संजीवन कुमार सिंह, एमए (मैथिली), आरके कालेज, मधुबनी, उछाल, जयनगर, मधुबनी

१२. अर्जुन प्रसाद गुप्ता ‘दर्दीला’, कवि, लहान, सिरहा

१३. सुभाषचन्द्र झा, कवि एवं पत्रकार, सहरसा

१४. प्रो. अरविन्द निरज, कवि-गीतकार, सहरसा

१५. सुमन कुमार खाँ ‘समाज’, अभियानी, बनगाँव, सहरसा

१६. स्वाती शाकम्भरी, कवियित्री, सहरसा

१७. नारायण मधुशाला, कवि, सिरहा

१८. मैथिल सदरे आलम गौहर, कवि, मैथिली तथा उर्दू, पुरसौलिया, मधुबनी

१९. राम कुमार सिंह, अभियानी, सहरसा

२०. श्याम शेखर झा, कवि, गौर, रौतहट

२१. सियाराम झा ‘सरस’, कवि-गीतकार, राँची, झारखण्ड – मूलग्राम-मेहथ, मधुबनी

२२. कृष्ण मोहन झा, कवि व अभियानी, राँची

२३. अरविन्द ठाकुर, कवि-गीतकार-कथाकार-नाटककार-उपन्यासकार, सुपौल

२४. रमानाथ झा, मैथिली सिनेमा निर्माता-निर्देशक, हरिपुर, मधुबनी – हाल दिल्ली

२५. दीप नारायण विद्यार्थी, कवि, मधुबनी

२६. धीरेन्द्र प्रेमर्षि, कवि-गीतकार-कथाकार-रेडियोकर्मी, हेल्लो मिथिला, काठमांडु, मूल-ग्राम – बस्तीपुर, सिरहा

२७. प्रीति झा, कवियित्री, विराटनगर

२८. करुणा झा, कवियित्री-कथाकार-अभियानी, राजविराज (अध्यक्षा – दहेज मुक्त मिथिला, नेपाल)

२९. साधना झा, कवियित्री-अभियानी, राजविराज (सचिव, दहेज मुक्त मिथिला, नेपाल)

३०. विद्यानन्द बेदर्दी, कवि-गीतकार, राजविराज, सप्तरी

३१. प्रिन्स सिंह कृष्ण, कवि, विष्णुपुर, सिरहा

३२. कर्ण संजय, कवि-गीतकार, विराटनगर

३३. सुरेश विद्रोही, कवि, विराटनगर

३४. गिरीन्द्र नाथ झा, साहित्यकार-स्तम्भकार, चनका, पुर्णिया

३५. चिन्मयानन्द सिंह, स्वतंत्र पत्रकार, श्रीनगर, पुर्णिया

३६. कुन्दन कुमार मिश्र, पत्रकार-अभियानी, महिषी, सहरसा

३७. अमित आनन्द, स्वतंत्र पत्रकार एवं अभियानी, महिषी, सहरसा

३८. प्रेम नारायण झा, कवि, देवडीहा, जनकपुर

३९. रवीन्द्र मण्डल, कवि, राजविराज

४०. प्रा. अमरकान्त झा, शिक्षाविद् तथा अभियानी, राजविराज

४१. सुधीरनाथ मिश्र, राजनीति एवं अभियानी, अररिया

४२. प्रकाश प्रेमी, कवि, जनकपुर

४३. जगदीश यादव, अभियानी, अररिया

४४. उदय चन्द्र गोपाल, कवि, बुद्धनगर, मोरंग

४५. सूर्यनाथ प्रसाद सिंह, अध्यक्ष, मधेशी नागरिक समाज, विराटनगर

४६. अमित झा, अध्यक्ष, मिथिलाँचल महासभा उत्तरप्रदेश, कानपुर

४७. अनिल झा, प्रवक्ता, मिथिलाँचल महासभा, उत्तरप्रदेश, कानपुर

४८. रविनाथ मिश्र, संस्थापक, मिथिलाँचल महासभा उत्तरप्रदेश, कानपुर

४९. डा. सुरेन्द्र ना. मिश्र, संस्थापक अध्यक्ष, मैथिली सेवा समिति, विराटनगर

५०. ई. फूल कुमार देव, उपाध्यक्ष, मैथिली सेवा समिति, विराटनगर

५१. कुमार राजेन्द्र झा, उपाध्यक्ष, मैथिली सेवा समिति, विराटनगर

५२. जागेश्वर ठाकुर, कवि, रेडियोकर्मी, सदस्य मैथिली सेवा समिति, विराटनगर

५३. हरिश्चन्द्र हरित, कवि, दरभंगा

५४. विष्णुदेव झा ‘विकल’, कवि, आसी, दरभंगा

५५. मणिकान्त झा, कवि-रेडियोकर्मी-अभियानी, शुभंकरपुर, दरभंगा

५६. वसुन्धरा झा, कवियित्री, विराटनगर

५७. पिंकी कुमारी मेहता, कवियित्री, विराटनगर

५८. राधा मंडल, रेडियोकर्मी-अभियानी, विराटनगर

५९. दयानन्द दिग्पाल यदुवंशी, कवि, बुद्धनगर, मोरंग

६०. विनय कर्ण लाभ, अभियानी, विराटनगर

६१. डा. जयप्रकाश चौधरी ‘जनक’, कवि-गीतकार, कोर्थू, दरभंगा

६२. शिवनारायण पण्डित ‘सिंगल’, कवि, विराटनगर

६३. मीरा झा, लोकगीत गायिका, विराटनगर

६४. विमल जी मिश्र, कवि एवं अभियानी, सिमराही, सुपौल, हाल: दिल्ली

६५. अखिलेश मिश्र, अभियानी, सिमराही, हाल: दिल्ली

६६. चन्द्रशेखर झा ‘बुढाभाइ’, अभियानी, दरभंगा

६७. उदय शंकर मिश्र, अभियानी, दरभंगा

६८. रत्नेश्वर झा, राजनीति एवं अभियानी, मधुबनी – अखिल भारतीय मिथिला पार्टी महासचिव

६९. दिलीप कुमार चौधरी, अभियानी-कवि, महिषी, सहरसा

७०. सुशील कुमार खाँ, अभियानी, बनगाँव, सहरसा

७१. रुद्रकान्त झा ‘रवि’, अभियानी, अररिया

७२. एस. एस. ठाकुर, कवि, विराटनगर

७३. पंकज कुमार झा, अभियानी, राजविराज

७४. सुनील झा ‘पवन’, गायक-अभियानी, दिल्ली

७५. राज तिलक, अभियानी, गोविन्द्पुर-१, मोरंग

७६. जितेन्द्र सिंह, अभियानी, पिपरा, सिरहा

७७. दशरथ साह, अभियानी, पदमपुर, सिरहा

७८. पर्वत राज झा, अभियानी, विराटनगर

७९. अलाउद्दीन मियाँ बेचैन, कवि व उर्दू शायर, विराटनगर

८०. अरुण कुमार कर्ण, कवि एवं अभियानी, विराटनगर

८१. धीरज बर्मा, छात्र राजनीति तथा अभियानी, विराटनगर

८२. सरिता दाहाल, नेपाली भाषा कवि, विराटनगर

८३. सरिता तुलाधर, नेवारी भाषा कवि, विराटनगर

८४. राजकिशोर मेहता, कवि तथा अभियानी, रामधुनी, सुन्सरी

८५. पृथ्वी चौधरी राजभर, अभियानी, इनरुवा, सुनसरी

८६. सुनील प्रसाद गुप्ता, अभियानी, सारस्वर, सिरहा – प्रतिनिधि सउदी अरब, अध्यक्ष, मिथिला एकता समाज

८७. प्रभात राय भट्ट, कवि एवं अभियानी, धिरापुर, महोत्तरी – प्रतिनिधि यूएई (दुबई) – मिथिला एकता समाज, सउदी।

८८. पी के चालिया, भारतीय राजनयिक, भारतीय राजदूतावासक कैम्प अफिस, विराटनगर

८९. अमर नाथ झा, राजनीति एवं अभियानी, दिल्ली – मूलग्राम: ठाढी, मधुबनी

९०. संजीब सिन्हा, साहित्य, राजनीति, पत्रकारिता, स्तम्भकार एवं अभियानी, दिल्ली – मूलग्राम: झझिहट, पुपरी, सीतामढी

९१. बिन्देश्वर ठाकुर, कवि – कतार सँ अनलाइन प्रस्तोता

९२. अशरफ राइन, कवि – कतार सँ अनलाइन प्रस्तोता

९३. अब्दुल रज्जाक, कवि – कतार सँ अनलाइन प्रस्तोता

९४. बेचन महतो, कवि – कतार सँ अनलाइन प्रस्तोता

९५. अभिमन्यु खाँ – कवि-शिक्षाविद्-अभियानी, बनगाँव, सहरसा

९६. मनोज साण्डिल्य, कवि, – कोलकाता सँ अनलाइन प्रस्तोता

९७. रामचैतन्य धीरज, कवि एवं गीतकार, सहरसा

९८. कुमार आशीष, पत्रकार एवं अभियानी, सहरसा

९९. कन्हैयाजी, पत्रकार एवं अभियानी, सहरसा

१००. किसलय कृष्ण, संस्कृतिकर्मी, सहरसा

१०१. कौशल कुमार, मैथिली कारपोरेशन केर संस्थापक एवं अभियानी, दिल्ली – मूलग्राम: कमलपुर, पण्डौल, मधुबनी

१०२. निराजन झा, अभियानी, राजविराज

१०३. रंजित झा, अभियानी, जनकपुर

१०४. रमेश रंजन, प्राज्ञ, प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमांडु

१०५. डा. एस. एन. झा, अध्यक्ष, मैथिली सेवा समिति, विराटनगर

१०६. सरोज कार्की, वेब डिवलपर, मैथिली जिन्दाबाद डट कम, विराटनगर

१०७. निर्मल तामांग, वेब डिवलपर, मैथिली जिन्दाबाद डट कम, विराटनगर

१०८. जितेन्द्र ठाकुर, संचारकर्मी, विराटनगर

१०९. अवधेश झा, संचारकर्मी, विराटनगर

११०. अजित तिवारी, संचारकर्मी, विराटनगर

१११. डा. महानन्द मिश्र, अभियानी, विराटनगर

११२. डा. निलाम्बर झा, अभियानी, विराटनगर

११३. पवन नारायण, गायक एवं अभियानी, मधुबनी

११४. उमाकान्त झा बक्शी, कवि, कोलकाता

११५. जयराम यादव, पूर्व सांसद, संविधान सभा, नेपाल

११६. संजय कुमार चौधरी, अधिवक्ता एवं अभियानी, बेनीपुर, दरभंगा

११७. वरुण मिश्रा, संचारकर्मी आ अभियानी, जोगबनी, अररिया

११८. रंजित कुमार झा, अभियानी, विराटनगर

११९. सुमन पोखरेल, नेपाली भाषा कवि, विराटनगर

१२०. वैद्य ओ पी महतो, अभियानी, दरभंगा

१२१. विद्या भूषण राय डबलू, अभियानी, दरभंगा

१२२. प्रवीण नारायण चौधरी, संयोजक, विराटनगर

Related Articles