अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुरक नवल प्रशासीदल

– शिव कुमार झा ‘टिल्लू’, जमशेदपुर। मार्च १५, २०१५; मैथिली जिन्दाबाद

 

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुरक नूतन कार्यकारिणीक गठन राति मे नववर्षक समारोह मे कएल गेल . एहि संस्थाक प्रदेश महासचिव आ मैथिलीक चर्चित साहित्यकार प्रो. डॉ . रवींद्र कुमार चौधरी जी सकल प्रशासी कार्यकरिणीक घोषणा कयलनि. नव संगठनमे जमशेदपुरक चर्चित संस्कृति प्रेमी आ एहि अधिवासक मानसपटल पर लोकप्रिय ” युवातुर्क” श्री अमलेश झा अध्यक्ष बनाओल गेलाह . महासचिव पद पर झारखण्ड पत्रकार संगठनक चर्चित नेता श्री प्रमोद झा निर्वाचित भ’ संस्थाक लेल पुनि कतिपय विश्वस्त प्रशासी प्रमाणित भेलाहें . उपाध्यक्ष पद पर प्रखर विदुषी मैथिलानी डॉ ममता झा आ चिकित्सक डॉ ए. के . लाल . जीक संग संग सचिव पद पर रसायनशास्त्रक पूर्व प्राध्यापक प्रो. आर . एन. पोद्दार आ अपन लेखनीक संग संग मैथिल समाजक नवतुरिया वर्ग मे रास जनप्रिय श्री पंकज कुमार झा निर्वार्चित घोषित कएल गेलाहें . कोषाध्यक्षक पद शांत कान्तिक मैथिल श्री हेमंत कुमार झा केँ प्रदान कएल गेलनि . विदित हुए जे एहि अंतर्राष्ट्रीय संस्था मे पदाधिकारीक चयन केंद्रीय नेतृत्व करैत अछि .