दरिभंगाक युवा सर्जक सेहो जाग्रतः साहित्यिक चौपाड़िक आयोजन

सुमित मिश्र गुंजन, दरिभंगा। जून १३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

darbhanga sahitya chaupariसाहित्यिक चौपाड़ि दरभंगाक दोसर आयोजन आइ 12/06/2016 केँ पाँच बजे साँझमे मनोकामना मंदिरक प्रांगनमे कैल गेल।
एहि आयोजनमे हम सुमित मिश्र ”गुंजन”, सूरज भारती मिश्रा, विवेकानंद, दुर्गेश झा, सुमित झा, धनंजय झा, दिलीप कुमार,  सुन्दरम झा, गौतम यादव इत्यादि उपस्थित भेलहुँ।
आयोजनमे मुख्य रुपसँ मैथिली गीत, कविता, गजल, कथा इत्यादिके पाठ भेल। सुमित मिश्र ”गुंजन” आ सुमित झा अपन कविता तथा गजलक पाठ केलनि। संगे -संग दुर्गेश झा, सूरज भारती मिश्रा आ दिलीप कुमार मधुर स्वर मे स्वरचित रचना गीत सभ सुनेलनि।
कार्यक्रम मे अपन रचना पाठ ओ गायनक अलावे सम-सामयिक मुद्दा (साहित्य, समाज, शिक्षा आ राजनीति) पर सेहो चर्चा सब भेल। नारी सशक्तीकरण, चीनी मिल अभियान, मैथिलीक विकास, प्रकृतिक दोहन इत्यादि पर साहित्यकार लोकनि अपना रचना कहला।
नवतुरिया सभक प्रयाससँ एहि चौपाड़िक दोसर आयोजन सफल भेल। नवतुरियाक उमंग देखबा योग्य एवं सराहनीय अछि। खुजल अकास त’र गीत-गजल आ कविताक लहरि बड मोहक लागैत छल। इ साहित्यिक चौपाड़िक मासिक आयोजन अहिना निरंतर चलति रहत से विश्वास। सभक प्रयाससँ मैथिलीक झंडा लहराइत रहतै। जय मिथिला! जय मैथिली!