विराटनगर, अप्रैल २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
प्रिय बंधुगण,
ताहि हेतु, जेठ १ तथा २ गते, यानि मई १४ तथा १५ तदनुसार शनि आ रवि दिन अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल समाजिक अभियन्ता सम्मेलन २०१६ केर आयोजन करबाक निस्तुकी निर्णय भेल अछि। ई कार्यक्रम क्रमशः ९-१० अप्रैल आ फेर १६-१७ अप्रैल केँ करबाक पूर्व निर्णय रद्द करैत आब अन्तिम निर्णयानुसार जानकी नवमीक शुभ अवसर पर विराटनगर मे करबाक निश्चित कैल गेल अछि।
कार्यक्रमक बाकी प्रारूप सब मोटामोटी पूर्वहि जेकाँ अछि। अपने लोकनि जे एहि मे सहभागिता लेल पूर्व मे टिकट वगैरह बनेने होयब से कृपया एहि नव जानकारी मुताबिक अपडेट होएत पुनः यात्रा योजना मे परिणति आनब से अपेक्षा करैत छी।
विदित अछि जे ‘मैथिली महायात्रा’ जाहि उद्देश्य सँ पैछला दुइ वर्ष सँ निरन्तर प्रगति मे अछि, तेकर पहिल पड़ाव मे मैथिल कवि व विद्वान् लोकनिक सहभागिता सँ पैछला साल ११ अप्रैल, २०१५ कुल १५३ गोट प्रतिनिधिक सहभागिता मे संपन्न भेल छल। एहि वर्ष सामाजिक अभियान मे संलग्न ठाम-ठाम केर कार्यकर्ता सब केँ सम्मिलित कय ई आयोजन करबाक नियार अछि। एहि बेरुक मुख्य फोकस ‘नेपालक मिथिलाक पुरातात्त्विक महत्वक स्थल पर परिचर्चा गोष्ठी’ एवं मिथिलावासी द्वारा विभिन्न ठाम संचालित अनेकानेक सामाजिक कार्यक्रम सबपर भिन्न-भिन्न सत्र मे चर्चा करब सम्मिलित अछि। कार्यक्रमक लाइव प्रसारण करबाक लेल स्थानीय टेलिविजन तथा इन्टरनेट चैनेल्स केर सेहो इन्तजाम रहत। तहिना दूर-दूर केर सामाजिक अभियन्ता जे सशरीर नहियो उपस्थित भऽ पेता हुनका लोकनिक सहभागिता अनलाइन विडियो कान्फ्रेन्सिंग केर माध्यम सँ एकटा सुनिश्चित सत्र मे कैल जायत, जाहि लेल निर्धारित समय आर चैनल्स आदिक जानकारी पहिनहि करायल जायत। तथापि, जे नजदीक मे छथि हुनकर आर जे अपन समर्पण भाव सँ एहि यात्रा मे सहभागिता दैत आबि रहल छथि तिनकर, अपने सबहक उपस्थिति तऽ मात्र वांछणीय टा नहि वरन् परम अनिवार्य सेहो अछि। ताहि हेतु सब केओ एहि महायज्ञ मे सहभागी बनब ई उम्मीद आ अपेक्षा करैत छी।
सहभागिता लेल स्पष्ट नियम पूर्वहि समान अछि। अपन पूर्ण परिचय, संचालित अभियानक विवरण तथा अपन यात्रा (विराटनगर पहुँचबाक) संपूर्ण जानकारी ईमेल द्वारा [email protected] पर पठाबी। कोनो रजिस्ट्रेशन शुल्क अथवा आर्थिक सहयोग करबाक न नियम न बाध्यता अछि, बस यज्ञ मे स्वैच्छिक सहभागिताक स्वागत होयत से जानकारी हो। यात्रा खर्च अपन-अपन स्तर सँ वहन करब, जखन कि रहबाक – भोजन करबाक सब इन्तजाम आयोजन समिति द्वारा कैल जायत।
कार्यक्रमक विवरण निम्न अछिः
जेठ १ गते १४ मई, २०१६ः उद्घाटन १० बजे सँ विभिन्न सत्र आ मनोरंजनात्मक कार्यक्रम रातिक ८ बजे धरि।
जेठ २ गते १५ मई, २०१६ः जानकी नौमी केर उपलक्ष्य जानकी पूजन व सीतायन केर पाठ प्रात १० बजे सँ १ बजे धरि आ फेर अलग-अलग सत्र मे सम्मेलन तथा मनोरंजनात्मक व समापन कार्यक्रम रातिक ९ बजे धरि।
सधन्यवाद,
विनीतः
आयोजन समिति, विराटनगर।
हरिः हरः!!


2 Comments
samyik aa sarthak aayojan.
Koshish Karab hum sahbhagita lel.
Hardik swagat Sanjeev Jee. Aha ke ela sa ehi sabha ke garima badhat.