Search

हिम्मते मर्द – मदते खुदाः मिथिला मखान केँ राष्ट्रीय पुरस्कार

जतेक बेसी हिम्मत करब, ओतेक बेसी सफलता भेटत!!
mithila makhaan1अन्ततोगत्वा मैथिली सिनेमा केँ सेहो राष्ट्रीय पुरस्कार भेटल…. बिहारहु मे पहिल बेर एहेन सम्मान आयल। कारण अनेक अछि। नितू चन्द्रा – बहुमूखी नायिका, मोडेल आ मार्शल आर्ट (ताइक्वान्डो ब्लैक बेल्ट, भारत केर प्रतिनिधित्व करनिहारि) खेलाड़ी – हिनकहि नाम सब सँ पहिने उच्च स्थान पर सफलता वास्ते लेल जाय। 
संपूर्ण कार्यदल मे खूब सुन्दर प्रतिभा देखेबाक भावना एहि सफलता केँ आनि सकल से हम आभास केलहुँ। एकटा महा-योजना एहि सफलताक पाछू देखायल हमरा कियैक तऽ बहुते नजदीक सँ सब किछु कोन तरहें कैल जा रहल अछि से देखैत आबि रहल छलहुँ।
नीक योजनाक संग तैयारी करब ई प्रशंसनीय जीत अहाँ केँ दियौलक से देखलहुँ आर निस्सन्देह मैथिली भाषाक मिठास पुरस्कार निर्णायक समिति केँ स्वाद पर चढि सकल ई कारक तत्त्व सेहो सर्वोपरि देखलहुँ।
जतेक हिम्मत करब, ततेक अहाँ जीतब! नीतीन निरा चन्द्रा केर कठिन परिश्रम – हुनक जिज्ञासू होयबाक संग दृढता सँ कार्य करबाक कला सदिखन सिद्धिक कारक भेल अछि, आर हुनकहि सर्वश्रेष्ठ निर्देशन ई सम्मान हासिल करौलक अछि।
पूर्वहि मे एहि फिल्म पर बहुत बेर विश्लेषणक संग संपादकीय सेहो लिखल जा चुकल अछि – सामाजिक संजाल एकर प्रचारक मुख्य स्रोत रहल; फिल्म निर्माता व निर्देशक तथा अन्य सदस्य लोकनि द्वारा सेहो नीक सहकार्य सब स्तर पर चलैत रहल जाहि सँ एकटा महान् मैथिली फिल्म जे पहिले नहि कियो हिम्मत तक नहि केने छल से बनि सकल। बहिन निर्माता व भाइ निर्देशकक मूल संग जुड़ाव केर कारक तत्त्व आर तहिना समूचा कार्यदल द्वारा मैथिली केँ उच्च स्थान पर लय जेबाक दृष्टि आइ हिनका लोकनि केँ सम्मानक पात्र बनौलक अछि।

एक बेर तऽ हम घोर आश्चर्य मे पड़ि गेल रही जे आखिर एतेक सुन्दर फिल्मक नाम मे प्राइवेट लिमिटेड सनक उपनाम कियैक जोड़ल गेल अछि। एहि नामकरणक निर्णयक हम शुरुहे मे तीक्ष्ण आलोचना सेहो केने रही… विस्मित होएत प्रश्न उठौने रही जे जाएन ई प्राइवेट लिमिटेड उपनाम केहेन मैथिली फिल्म देमय जा रहल अछि। बाद मे पता चलल जे हमर ओहि आलोचना केँ सेहो ई कार्यदल सकारात्मक रूप मे लेलनि आर नाम मे परिवर्तन करैत मात्र मिथिला मखान टा रखलैन।

मिथिला मखान – आब आवाज मे मात्र विशुद्ध मिथिलाक मूलतत्त्व टा बाँचि गेल, नामक पवित्रता सेहो सफलताक श्रेयरूप थीक सेहो हम कहि सकैत छी। ई हमहीं टा नहि, समूचा राज्य आर जनमानस जेकरा एहि निर्णय सँ प्रसन्नता भेट रहलैक अछि, ओ सब कियो कार्यदल केँ बधाई दय रहल अछि आर आगामी सफलता वास्ते सेहो शुभकामना दय रहल अछि। हम तऽ बेर-बेर ईश्वर सँ प्रार्थना सेहो करैत छी जे एहने‍-एहने आशीर्वादित सपुत सब बेसी मात्रा मे होएथ जिनका अपन मूल पहिचान पर गर्व अछि आर ओ ताहि दिशा मे कार्य कय रहला अछि। वैह सब जीतबो करता, सदिखन जितैत रहता।

Related Articles