सौतिन केर प्रदर्शन २७ सँ

159

किसलय कृष्ण, मिथिला। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५ । मैथिली फिल्म हमर सौतिनक प्रदर्शन एक संग २५ सिनेमाघरमे भ रहल अछि । आगामी २७ मार्चकें मिथिलाक विभिन्न जिलामे प्रदर्शित हुअ जा रहल एहि फिल्मक प्रचार प्रसार युद्धस्तर पर भ रहल अछि । सन्तोष झा निर्मित उक्त फिल्मक संगीतकार पवन नारायण जानकारी दैत कहलनि जे फिल्मक कथावस्तु सामाजिक अछि। मुख्य भूमिका मे विनोद साजन, नेहाश्री, मीना गौतम, शुभनारायण झा आदि छथि।