मूर्ति सज्जाक संग इन्टेरियर डेकोरेशनमे मिथिला पेन्टिंगक प्रयोग

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः प्रभाकर झा, मिथिला चित्रकार, जितवारपुर, मधुबनी

prabhakar1सर्वविदिते अछि जे मिथिला पेन्टिंग आब वर-कनियांक कोहबर घर आ लोकक घरक भीत पर सँ निकैलकय – अंगनाक अरिपन व अन्य साज-सज्जा सँ निकैलकय संसारक विभिन्न डिजाइन मे बेस उपयोग कैल जा रहल अछि।

prabhakar3एकटा एहने नव प्रयोगक अन्वेषक छथि प्रभाकर झा। मिथिला चित्रकलाक माहिर परिवार केर पुत्र – पूर्वज केँ राजकीय सम्मान सँ सम्मानित होएत देखनिहार प्रभाकर झा जितवारपुर (मधुबनी) गाम सँ अबैत छथि। हिनकर नेतृत्व मे बहुते रास चित्रकार सब देशक विभिन्न भाग मे मिथिला चित्रकलाक छवि ओ छटा सँ लोक सबकेँ साक्षात्कार करबैत छथि।

prabhakar2रंग आ कलाक अनुपम संगम मिथिला पेन्टिंग केर अद्भुत प्रयोग मूर्ति निर्माणक संग पूजा-पंडाल ओ अन्य इन्टेरियर डेकोरेशन मे कएनिहार प्रभाकर हालहि बंगालक विभिन्न शहर मे दुर्गा भगबतीक मूर्ति निर्माण मे कसगर अनुबंध पर कार्य कएलनि। एतय हिनकर नेतृत्व मे कैल गेल किछु कार्यक तस्वीर सब राखल जा रहल अछि। प्रभाकर ऐगला वर्ष मे सेहो अपन कला सँ अनुपम छटा पसारबाक लेल एखनहि सँ अग्रिमे अनुबंधित छथि।

prabhakar4हाल धरि हिनकर कलाक प्रदर्शनी भारतक पैघ-पैघ शहर मे कैल जा चुकल अछि। हिनकर इच्छा छन्हि जे काठमांडु जे नेपालक राजधानी अछि ओत्तहु ई अपन कला प्रदर्शनी लगाबैथ। मैथिली जिन्दाबाद पर हालहि प्रकाशित मिथिला चित्रकलाक सुप्रसिद्ध स्टार एस. सी. सुमन केर १५म एकल प्रदर्शनीक समाचार सँ अवगत भेलाक बाद ई अपनो विषय मे विस्तृत जानकारी दैत अपन समाचार एतय प्रकाशित करबाक अनुरोध केलैन अछि।

prabhakar5प्रभाकर जानकारी दैत कहैत छथि जे सब काज हम दुर्गा पूजा मे केलौं से फोटो उपलब्ध करा रहल छी, ई सबटा हमर अपन परिकल्पना आर अपन अलग सोच थीक। हमर दादी राजकीय सम्मान सँ सम्मानित भेलीह, राज्य आ राष्ट्र स्तर पर हुनका सम्मान भेटलनि। मिथिला पेन्टिंग हमर जन्मजात गुण मे शामिल अछि। हमर कलाक प्रदर्शनी हम काठमांडु मे सेहो लगाबय चाहैत छी।

prabhakar6

prabhakar7prabhakar8