लेख विचार
प्रेषित: नीलम झा निवेधा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय- “सोशल मीडियाक प्रभाव”
सोशल मीडियाक सभहक जीवनपर बड्ड पैघ प्रभाव भगेल अछि। पहिने त’ बहुत कम छल ,साधारण घरमे सिर्फ फोन करबा आ उठेबामे काज दैत छल, फेर कुनू समारोह भेल त’ लोक एक -आधटा फोटो सैहो घीचाब लागल ,फेर कुनू कुनू विडियो सेहो देख लागल ।
बेजाय प्रभाव-
मुदा आब त’ ई सभहक निजी जीवनपर अपन एहन स्थान बना नेने अछि जे कियो क्षणभरि एहिके बिना नञि रहि सकैत अछि। जेना लगैत अछि जे एक साँझ भोजन नञि करब त’ बैन जाएत मुदा मोबाइल बिन नञि बनत। कनेको काल कोनहुँ कारण बस ज्यों मोबाइल हाथमे नञि अबैत अछि त’ छटपटी लाइग जाइत अछि, लगैत अछि हाथ सँ मोबाइल नञि हेराएल अछि हाथे हेरागेल। समय सेहो बहुतो बितैत अछि एहि सोशल मीडिया पर। पहिने रंग-बिरंग लुइर-़व्यवहार सभ करैत छलहुँ, लोकक मदति देह सँ सेहो बड्ड करैत छलहुँ मुदा आब एहि मोबाइल सँ पलखैत कहाँ अछि जे ककरहु मदति धियान सँ करबैक। पहिने पति हम आ बच्चा सभ एकहि संग सभ समय छुट्टी भेलापर बितबै छलहुँ मुदा आब सभ अपन-अपन कार्य सँ निवृत्त भ’ मोबाइल, लैपटॉप, टीवी लक बैस जाइत अछि आ समय संगमे बितेनाइ कम भ’ जाइत अछि। बच्चा सभ सेहो मोबाइल टीवी देखी बहुत बिगरैत अछि। आब माय सेहो काम काजी होइत छैथ त’ ओहो बच्चा सँ पलखैत पेबाक लेल मोबाइल पकड़ा दैत छथिन। किछु बच्चा ओहि सँ बिगरैत अछि त’ किछु सुधरैत सेहो छथि।
नीक प्रभाव-
सोशल मीडियाक प्रभाव सँ हम बहुत किछु सिखबो करैत छी। लुइगरि त’ हम बड्ड छलहुँ, सभ किछु अबैत अछि जे एकटा मिथिलानीक गुण होइत अछि ।
जेना- पाककलामे प्राय: सभ किछु अबैत अछि, स्वेटर, कुरूशीया समान, फैब्रिक पेन्टिङ, पुरहर – पातिल लिखनाइ, कोबर, मारब, विसहरा बनाना, कोबरक कोठी, एप्लीक, अरिपन ,गीत गबैत छलहुँ……। कहब जे ई लुइगरि प्रतियोगिता त’ नञि छैक तखन हम ई एतेक कियैक लिखलहुँ ,मुदा जरूरी छल लिखनाइ कारण गीत त’ सभ विधक गबैत छलहुँ मुदा गीतगाइनक सम्मानपत्र सोशल मीडिया देलक, लुइर-़व्यवहार सभ करैत छलहुँ मुदा लुइगरि मिथिलानीक खिताब, सोशल मीडिया देलक, मैथिली हेराइत शब्द लेल बड्ड उत्सुक रहैत छलहुँ मुदा हेराइत शब्दक संकलन कए पुरस्कृत मंच पर सोशल मीडिया करबेलक। भोजन त’ नित्य बनबैत छलहुँ मुदा पाककलामे विशिष्ट निपुण छी से ई शोसल मिडिया पर बुझल। मधुश्रावणी पावैनकेँ कथा अपन बेटी पूतौह संग पाँचटा आरो बेटीकेँ कहल लोक सुनलक, प्रसंशा सेहो केलैन मुदा पन्द्रह दिनक बाद बिसैर गेलैथ मुदा पाँचटा बिन्नी सुनेबाक बदला मंच पर सम्मानित हेबाक मौका सोशल मीडिया देलक। मित्र त’ पहिनहुँ बहुत छल मुदा एहन एहन बिज्ञ मित्र सोशल मीडिया पर भेटलैथ।बहिन, दीदी, छोट पैघ भाई सभरंग सम्बन्ध एहिठाम भेटल जे मोनकेँ बड्ड सुख चैन दैत अछि। आइ जे हम एखन ई लिख रहल छी से एकरे प्रभाव अछि। कतेको समूहमे लिखैत छी आ ज्यों व्याकरण के गलती वा वर्तनी के त’ छोट बच्चा सन टोकल जाइत छी आ ओ बड्ड नीक लगैत अछि कारण किछु सिखबाक मौका भेटैत अछि एहि अवस्थामे। एखन सोशल मीडिया पर चैट कए नीक- नीक मित्र बनाओल जा रहल अछि। गुगल पर सर्च कए लोक बहुत किछु सिखैत अछि आ बहुतो लोक बिगरैत सेहो छैक। एकर बहुत रास ऐपक माध्यम सँ सेहो गुणकारी अछि ।
जेना- फेसबुक, यूट्यूब, वेबसाइट, वाट्सएप, ट्यूटर, इंस्टाग्राम संग कम्प्यूटर सोशल साइट्स ।
बच्चा सभ देश-विदेश रहैत अछि फोनक माध्यम सँ सभखन गप्प सप कए लगैत अछि सभदिन भेंट होइत अछि। सोशल मीडियाक बहुत रास गुण छैक मुदा जखन वो आदति बैन जाइत अछि से बेजाय। अंतमे एकरे आ सबसँ बड़का प्रभाव ऐहन ऐहन मित्र भेटल आ बिनु देखने एना लगैत अछि जे बरखहुँ सँ एक दोसराकेँ जनैत छी ताहिलेल सहृदयतापूर्वक आभार व्यक्त करैत छी।
