विद्यापति सँ शुरु – विद्यापति सँ अन्तः नवी मुम्बई मे समारोह

नवी मुम्बई मैथिल समाज द्वारा विद्यापति स्मृति समारोह मुम्बई मे संपन्न

“छलकैत नोर संग सम्पन्न भेल बाबा विद्यापतिक स्मृति पर्व समारोह”

– प्रकाश कमती, नवी मुम्बई। जनबरी १२, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद

vsps navi4बीतल १० जनबरी २०१६ रवि दिन “नवी मुम्बई मैथिल समाज समिति” द्वारा बाबा विद्यापतिक स्मृति पर्व खूब धूमधाम सँ मनाओल गेल जाहि में अनेकानेक संस्थाक मैथिल अभियानी लोकनि, विभिन्न क्षेत्र सँ मैथिली गीत केर प्रेमी श्रोता लोकनि, आर दूर-दूर सँ आयल विशाल मैथिल जनसमूहक संग स्थानीय मैथिल प्रवासी लोकनि भाग लेलैन।

कार्यक्रम आयोजन करबाक लेल मुख्य किरदार नवीमुम्बई मैथिल समाज केर संयोजक श्री रवि कुमार मंडल ‘मिथिला’, अध्यक्ष श्री नंदन झा, श्री राजेश श्रीवास्तव, आशीष झा, रामनरेश सिंह, प्रवीण झा, प्रेम प्रकाश, अवधेश कुमार मिश्रा केर ऊपर छल।

vsps navi3एहि आयोजनक निवेदक व सहयोगी संस्था में सुच्चा मैथिल, दहेज मुक्त मिथिला, संस्कार मिथिला फाउंडेशन, महाराष्ट्र मैथिल समाज एवं मैथिली दर्पण केर पदाधिकारी व कार्यकर्ता लोकनिक उपस्थिति नीक छल।

vsps navi2मुख्य अतिथि श्री प्रशांत सेठ ठाकुर विधायकजी छलाह। आर विशिष्ट अतिथिक रूप मे श्री जयनारायण झा, श्री एस. सी. मिश्रा, श्री जवाहर मंडल, नगरसेविका श्री पुतुल रविंद्र झा, श्री कमल सेठ, दहेज मुक्त मिथिलाक संरक्षक पंडित धर्मानंद झा उपस्थित भेलाह।

कार्यक्रम केर आरंभ बाबा विद्यापतिक लिखल गोसाउनिक गीत सँ भेल तत्पश्चात आमंत्रित अतिथि लोकैन द्वारा सामूहिक रूप दीप प्रज्वलन करैत विधिवत् उद्घाटन कैल गेल।

उद्घाटन उपरान्त संछिप्त विचार गोष्ठीक कार्यक्रम सेहो कैल गेल। सब अतिथि लोकनि केँ दोपटाक संग फूलक गुलदस्ता सँ सम्मान कैल गेलनि। विद्यापति महाकवि हमरा लोकनिक भगवान् समान छथि, हिनक रचना आ योगदान केँ हम व हमरा लोकनिक आबयवला संतति सब दिन सुरक्षित राखैथ – ई विचार वक्ता फूल सिंह द्वारा राखल गेल छल। नगरसेविका पुतुल रविन्द्र झा अपन मौनताक संग बस सांस्कृतिक कार्यक्रम आगाँ बढेबाक लेल आग्रह करैत आनन्द मे डूबल रहली। कार्यक्रमक एक मुख्य अतिथि एस. सी. मिश्रा द्वारा सेनाक त्याग आर देशक रक्षा प्रति सबहक जिम्मेवारीक बात कहलनि। आयोजनक प्रशंसा करैत ओ मैथिल समाज मे आबि रहल जनजागरण काफी प्रभावित करयवला अछि से कहलनि।

कार्यक्रम संयोजक रवि मंडल द्वारा भिवंडीक एक गामक २५ वर्ष धरि निरंतर सरपंच रूप मे सेवा कएनिहार जवाहर मंडल केर सम्मान
कार्यक्रम संयोजक रवि मंडल द्वारा भिवंडीक एक गामक २५ वर्ष धरि निरंतर सरपंच रूप मे सेवा कएनिहार जवाहर मंडल केर सम्मान

अहि आयोजन में रवि जीक अथक परिश्रम सँ बहुत रास नव प्रस्तुति देखै में आयल जे पहिने आंशिक रुपे कुनो कार्यक्रम व आयोजन में होईत छल। गीत-नाद, बाबा विद्यापतिक लिखल गीत जाहि में आवाज स्वरसम्राज्ञी लता मंगेशकर केर छल आ ओहि गीत पर मैथिली नृत्य प्रस्तुति कैल गेल। ई क्षणक विलक्षणता उपस्थित हजारों-हजार दर्शक केर मन-मस्तिष्क पर अमिट छाप छोड़लक आर एहि कार्यक्रमक सुन्दरता में चारि चाँद लगा देलक।

मैथिली हास्य सम्राट श्री गोविंद पाठक जीक प्रस्तुति सब उपस्थित दर्शक केँ भरपूर मनोरंजन केलक। हुनका द्वारा कहल एकटा गरीब बाप केर बेटा एकटा नेता ओहि ठाम काज करैत छल, अहि काज केर दरमियान ओ बेटा ओहि नेता लेल कि कि नै करैत अछि तेकर वर्णन, ओ गरीब बाप एकटा टीवी पत्रकार केर समक्ष कय रहल छल, एहि प्रस्तुति में गोविंद पाठक केर आँखि सँ यथार्थतः दहो-बहो नोर बहैत देखि श्रोता व दर्शक मंत्रमुग्ध भऽ गेलाह आ एहि दृश्यक सराहना मे स्वस्फूर्त जोरदार ताली मिनटों-मिनटों धरि बजैत रहल। मैथिलीक जानल-मानल गायक आर मंचीय प्रस्तुति लेल सेहो मशहूर माधव राय द्वारा मिथिला वर्णन गान भेल, मैथिली लोकगीत जाहि मे जट-जटिन सँ शुरु आ सामा चकेवाक चुगला आदिक वर्णन कैल गेल छल – ताहि तरहक मिथिलाक लोकसंस्कृति केँ झलकाबयवला कार्यक्रमक प्रस्तुति सब दर्शक केँ आनन्द-मग्न कय देलक।

बहुत रास कार्यक्रम में शुरुवात बाबा विद्यापतिक गोसाउनिक गीत सँ त होईत अछि मुदा धीमा-धीमा अनेक तरहक गीतनाद सँ जनता केँ आकर्षित करबाक प्रयास मे कतेको अभद्र गीत सेहो गेबाक एकटा नव परंपरा जगह-जगह देखल जाएछ, परंतु नवी मुम्बई केर एहि समारोह मे प्रारम्भो बाबा विद्यापति सँ आर समापनो बाबा विद्यापति पर कैल गेल। समस्त दर्शक द्वारा एहि कार्यक्रम केर आयोजनक प्रशंसा कैल गेल आर सब कियो संयोजक रवि मंडल सहित आयोजक लोकनि केँ भरपूर आशीर्वाद ओ बड़ाई दैत रहल देखेलाह।

मैथिली मंचक हास्य उद्घोषक राधे भाइ केर मंच संचालन सेहो खूब प्रशंसा पेलक। गायिका जुली झा द्वारा सेहो तरह-तरह केर मैथिली गीतक चटनी श्रोता सबकेँ झूमय लेल मजबूर कय देलकैन। मन्नु ठाकुर केर दहेज प्रथा पर आधारित आवाह्न गीत आ मनोरमा जीक बाबा विद्यापतिक गीत पर नृत्यक भरपूर सराहना कैल गेल।

कार्यक्रम में एस. सी. मिश्रा सेहो अपन प्रस्तुति एकटा बॉडर (सीमा) पर शहीद बेटाक सूचना जखन बुढ़ बाप के पुलिस अधिकारी दैत छथिन आ तखन ओहि बाप पर कि बीतैत छैक जे पहिने सँ एक पैर सँ अपाहिज रहैत छैथ, तकर दुःख भरल व्यथा पर अपन प्रस्तुति सँ उपस्थित मैथिल समूह केँ कना देला।

अतिथि स्वागत समरोह पश्चात रात्रिभोज केर सेहो व्यवस्था छल। एहि भोज केँ बरहवर्णा भोजक संज्ञा देल गेल छल।

कार्यक्रम मे आरो महत्वपूर्ण अतिथि लोकनिक सहभागिता भेल छल जाहि मे फूल सिंह जी सेहो छलाह। सहयोगी संस्था दहेज मुक्त मिथिला सँ राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री पंकज झा, महाराष्ट्र इकाईक पूर्व अध्यक्ष श्री धर्मेन्द्र जी, संगहि वरिष्ठ सदस्य श्री राजेश राय, आशुतोष ठाकुर, रोशन मिश्रा, सगुण मिश्रा, संस्कार मिथिला फाउंडेशन सँ श्री कुणाल ठाकुर एंड टीम तथा सुच्चा मैथिल सँ श्री रामनरेश शर्मा, सुशील मंडल, दिगंबर मंडल, अरुण ठाकुर, मदन शर्मा, अशोक ठाकुर एंड टीम अपन सारगर्वित सहभागिता देने छलाह। कार्यक्रमक सुन्दरता एतेक भव्य भेल जे सब कियो व्हाट्सअप आर फेसबुक पर पर्यन्त एखन धरि चर्चा कइये रहला अछि।