Search

दहेज मुक्त मिथिलाक महाराष्ट्र कार्यकारिणीक पुनर्गठन

प्रकाश कमती, मुम्बई। जनबरी ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

dmm maharashtraकाल्हि रवि दिन जनबरी ३ तारीख – दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा केर अध्यक्षता मे संपन्न आम बैसार द्वारा संस्थाक महाराष्ट्र कार्यकारिणीक पुनर्गठन कैल गेल अछि।

ई बैसार अपराह्न २ बजे सँ संध्या ५ बजे धैर चलल छल। संस्थाक महाराष्ट्र युनिट केर पूर्व कार्यसमिति द्वारा कैल गेल विभिन्न कार्यक्रमक समीक्षा करैत ओहि समितिक विघटनक घोषणाक संगहि नव कार्यकारिणी लेल विभिन्न नाम केर प्रस्तावना आर ताहि पर सदस्यक मत मुताबिक नव कार्यसमिति गठन कैल गेल छल।

एहि बेरुक बैसार मे दहेज मुक्त मिथिलाक युवा सदस्य लोकनिक उपस्थिति उल्लेखणीय छल। तहिना बरोबरि जोश आर ऊर्जा वरिष्ठ सदस्य लोकनि मे सेहो देखल गेल।

dmm maharashtra1नव वर्षक शुभकामना आदान-प्रदान सँ शुरु भेल एहि बैसार मे किछु नव सदस्य केँ सेहो जोड़ल गेल। संछिप्त परिचय-पाती आर समीक्षा – योजना आदि पर चर्चाक उपरान्त नव कार्यसमितिक गठन भेल छल।

संस्था द्वारा आगामी समय मे कैल जायवला विभिन्न तरहक कार्यक्रम आदि पर गंभीर चर्चा सेहो भेल। चर्चाक केन्द्र मे सर्वप्रथम कोष व्यवस्थापन, मुहीम संग नव सदस्य केँ जोड़बाक अभियान, दहेज मुक्त मिथिला केर सम्बन्ध मे ऑनलाइन जानकारी हेतू वेबसाइट केर पुनर्निर्माण, वर – वधु केर परिचय संकलन करैत डाटा वेबसाईट केर माध्यम सँ सबहक जानकारीक वास्ते राखब, मुहिम केर जोरदार प्रचार-प्रसार आदि शामिल छल। उपलब्धिमूलक परिणाम लेल सब सदस्य व अग्रज लोकनि आपसी एकजुटता व प्रतिबद्धता केँ आरो बेसी बढबैत वांछित कार्य केँ निष्पादन करबाक संकल्प लेलनि।

सब सँ अंत में दहेज मुक्त मिथिलाक नव टीम केर गठन लेल वोटिंग द्वारा चुनाव कैल गेल जेकर जानकारी निम्नलिखित अछि –

संरक्षक – श्री कुणाल ठाकुर, श्री संत झा, श्री नमो नारायण मिश्रा

अध्यक्ष – श्री विजय मिश्रा

उपाध्यक्ष – श्री सुबोध मिश्रा, श्री रामनरेश शर्मा

सचिव – रोशन मिश्रा

सहसचिव – श्री सगुण मिश्रा, श्री आशुतोष ठाकुर

कोषाध्यक्ष – श्री करुणेश निशेष

प्रवक्ता – श्री प्रकाश कमती

नव कार्यसमितिक द्वारा संस्थाक आगामी योजना पर निर्णय करबाक लेल शीघ्रे किछु दिन मे बैसार करबाक निर्णय सेहो लेल गेल छल।

 

Related Articles