मैथिली जिन्दाबाद!!
भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी प्रति दुनियाक दिवानगी जगविदित अछि। नहि सिर्फ भारतीय बल्कि विश्व भरिक सब देश केर जनता मे मोदी प्रति लोकप्रियता माथ चढिकय बजैत अछि। ई एकटा नेताक आत्मविश्वास आ जन-जन संग लगावक आपरूपी प्रेमक प्रकटीकरण थीक।
सच छैक जे मोदी जाहि कोनो देश वा स्थानक यात्रा पर जाएत छथि ओहि ठामक सेन्टीमेन्ट्स सँ जुड़ल भावुक अनुभूति लोकक सोझाँ रखैत छथि। एहि मे हुनकर भीतर रहल सहज प्रेम केँ अपना सँ जुड़ल बुझि लोक मे हुनका प्रति सिनेहक दिवानगी आर तरंत उत्पन्न करब स्वाभाविके अछि।
कहल जाएत अछि जे नरेन्द्र मोदी हिमालय मे तपस्या सँ लैत दर्शन योग्य विभिन्न स्थलक भ्रमण पूर्वहि संपन्न कय चुकल छथि। नेतृत्व मे एलाक बाद वैह विभिन्न अनुभवकेँ प्रकट करैत जन-जन केर मन मे ओ अपन स्थान बनाबय मे महारत हासिल केलैन अछि। आलोचना कएनिहार हुनकर एहि लोकप्रियता केँ जुमला आर झाँसा आदिक विशेषण सँ संबोधित करैत हुनकर कर्मठता पर भले प्रश्न ठाढ करैत हो, लेकिन दुनिया भरि मे एतेक कम समय मे भारतक स्थान सेहो उच्च कएनिहार प्रधानमंत्री मोदी मे जरुर देवत्व हासिल अछि, ई कहल जा सकैत छैक।
मोदीजी केर वर्तमान बेलायत केर यात्रा पर सेहो अनेको प्रकारक द्विपक्षीय समझौताक संग-संग विदेशी लगानीक मात्रा बढेबाक कार्य कैल जायत। एकर संग मोदीक स्वागत आ सत्कार सँ दुइ देशक बीच दोस्ताना संबंध केँ उच्च प्राथमिकता देल जा रहल स्पष्ट अछि। मोदी व बेलायती प्रधानमंत्री कैमरून आपस मे बेसी समय संगे बितेता, कारण मोदीक रात्रि विश्राम सेहो कैमरून केर निजी फार्म हाउस मे राखल गेल छैक। तहिना मोदीजी केर दर्शन व संबोधन सुनबाक लेल करीब ७०००० दर्शक केर सहभागिताक बीच वेम्बली स्टेडियम मे संभव होयत।
एहि यात्रा केँ हलाँकि राजनीतिक उपयोग करबाक लेल सेहो ब्रितानी प्रधानमंत्री कैमरून केर प्रयास होयत, लेकिन ईहो लाभ दुइतर्फा होयत। जतय १८९२ मे भारतीय मूल केर एकमात्र सांसद सदस्य दादाभाइ नौरोजी छलाह, ताहिठाम वर्तमान समय मे करीब १० सांसद भारतीय मूल केर अछि आर ई संख्या आगामी समय मे आरो बढबे करत यैह संभावना देखायल जा रहल अछि। ब्रिटेन मे भारतीय आप्रवासीक संख्या काफी अछि आर वर्तमान समय मे हिनका लोकनिक राजनैतिक सामर्थ्य केँ कियो नकारि नहि सकैत अछि। मोदीक स्वागत आर विभिन्न कार्यक्रम सँ एहि वर्ग केँ अपना पक्ष मे करबाक एकटा मंत्रणा सेहो संभव अछि।
हर तरहें मोदीक एहि यात्रा सँ दुनू राष्ट्र बीच संबंध सुमधुर होयबाक संग देशक विकास दर मे उल्लेखनीय वृद्धि होयब सुनिश्चित अछि।