फैटकी, मधेपुर (मधुबनी)। अक्टुबर ३०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
दरभंगा-मधुबनी जिलाक सीमा आ बहेड़ा सँ फूलपरास केँ जोड़यवला बहेड़ा सँ फूलपरास केर राज्यपथ पर कमला-बलानक पूबरिया बान्हक कात मे अवस्थित छोट गाम फैटकी जेकरा लोक फैटकी कुटीक नाम सँ बेसी जनैत अछि, ताहि ठाम क्षेत्रीय जनप्रतिनिधि व दिग्गज नेता नीतीश मिश्रा केर विशेष प्रयास सँ विकास कैल जा रहल अछि। एहि सँ पूर्व श्री मिश्रा द्वारा विकास केर कार्य गाम ठाढी मे सेहो देखने रही, किछु ताहि तर्ज पर ओ फैटकी मे सेहो गंभीर कार्य करौलनि अछि।
विदित हो जे फैटकी कुटी बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाईं केर समाधि-स्थलक रूप मे विख्यात अछि। सैकड़ों वर्ष बीतलो पर ई स्मारक स्थल उपेक्षित आ पुरान टूटल-फूटल घर ओ मन्दिर संग जीर्ण पोखैर केर महार पर अवस्थित छल। लेकिन वर्तमान एहि ठाम उल्लेखनीय सुधार करैत विकासक नीक कार्य कैल जा रहल अछि।
हाल धरि बाबाक स्मारक लेल पुरान भवन केँ जीर्णोद्धार कैल गेल अछि। बाबाक स्मारकक ठीक सोझाँ अवस्थित राधे-कृष्ण मन्दिर केर भवन एहि सँ जुटले भव्यताक संग पुन: निर्माण करायल गेल अछि। एकर अतिरिक्त कुटीक चारूकात छहरदेवाली आ बीच मे एकटा सभा भवन केर निर्माण सेहो करायल गेल अछि। सोझाँ पोखरि पर सुन्दर सनक घाटक निर्माण कैल गेल अछि।
एहि बीच बाबाक एकमात्र पुत्री सँ चलि रहल परिवारक वर्तमान पीढी मे रहनिहार विभिन्न व्यक्ति लोकनि द्वारा सेहो एहि स्थल पर अयबाक क्रम जारी अछि आ हुनका लोकनि द्वारा सेहो एहि ठाम भव्य स्मारक स्थल बनेबाक आश्वासन देल गेल अछि। लेकिन बिच्चहि मे सरकार द्वारा एहि स्थलक विकास लेल नीतीश मिश्रा केर गुणगान करैत लोक अघा नहि रहल अछि।
नीतीश सरकार द्वारा ठेंगहा-रजौर-फैटकी केँ जोड़ैत कमला-बलान नदी पर पूल निर्माण तथा सड़क निर्माणक कार्य पूरा करैत बहेड़ा-कुर्सों-मधेपुर-फूलपरास केँ जोड़ि देलाक कारण सड़कक ठीक किनारा मे अवस्थित एहि सुन्दर संत-स्मारक भूमि निकट भविष्य मे पर्यटन स्थल बनब निश्चित अछि।
फोटो फीचर:




2 Comments
neek vivran achhi.mithila tourism ke vi9kas kaynaai ati jaruri achhi.
Dhanyabad
-Bipul jha
apne koknick bahut bahut dhanvad .