विन्देश्वर ठाकुर, दोहा, कतार। सितम्बर ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
वर्तमान समय नेपाल मे राज्य पक्ष द्वारा संविधान निर्माणक क्रम मे मधेश एवं मधेशी प्रति देखाओल गेल विभेद सँ असंतुष्ट मधेशी जनमानस द्वारा चलि रहल मधेश आन्दोलन केर क्रममे सप्तरीक भारदहमे नेपाल प्रहरीद्वारा कएल गेल दमनसँ 18 अगस्त 2015 मंगल दिन शहादत प्राप्त केनिहार शहीद राजीव राउत केर पीडित परिवार लेल राहत स्वरूप मानवीय धर्मक हिसाबें ‘बलदिया’ कम्पनी मे कार्यरत कामदार सबहक विशेष सहयोग मे ‘प्रवासी मिथिला समाज कल्याण, दोहा-कतार’ द्वारा 4 सेप्टेम्बर 2015 शुक्र दिन (काल्हि) हुनक पत्नी निलम देबी राउत केर खाता मे ने.रू. 1,11,111 सहयोग राशि प्रदान (जमा) कराओल गेल ।
ज्ञातव्य अछि जे किछु दिन पूर्व शहीद भेल राजीव राउत केर पीडित परिवार लेल कतारक मैथिल/मधेशी सब राहत संकलन शुरु कएने छल । एहि पुनित काज मे प्रत्यक्ष/अप्रत्यक्ष रुपसँ सहयोग केनिहार सबगोटा केँ ‘प्रवासी मिथिला समाज कल्याण, दोहा-कतार’ हार्दिक कृतज्ञता व्यक्त केलक अछि । संगे जानकारी करायल गेल अछि जे मधेशक हक-अधिकार लेल एखन धरि शहादत प्राप्त केनिहार सब समस्त शहीद सबकेँ चरणबद्ध रुप सँ ई संस्था सहयोग करत ।
ई समाचार मैथिली जिन्दाबाद केँ एहि अभियान अफिसियल मिडिया रूप मे प्रथमत: सौंपैत आरो समस्त मिडिया/पत्र-पत्रिका/ एफ.एम/ टि.भि. सब सँ अनुरोध कैल गेल अछि जे एहि सकारात्मक डेग केँ अपन-अपन क्षेत्र मे जरुर विस्तार दी। प्रवासी मिथिला समाज कल्याणक समान आरो कतेको दाता संस्था व सहयोगी सब मधेश मे जारी आन्दोलन प्रति अपन कर्तब्यनिर्वहन करता ताहि लेल एहि समाचार केँ विस्तार देबाक अनुरोध कैल गेल अछि। संगहि, मधेशक सब क्षेत्र सँ संपूर्ण शहादत देनिहारक परिवारक विवरण आ शहीदक विवरण सविस्तार उपलब्ध करेबाक लेल सेहो अनुरोध कैल गेल अछि। एहि लेल मैथिली जिन्दाबाद पर अपन प्रतिक्रिया वा इमेल द्वारा सम्पर्क स्थापित करबाक अनुरोध कैल गेल अछि।

3 Comments
मैथिली जिन्दाबादद्वारा हमरासबहक लेल कएल गेल मिडिया समर्थन हेतु नत्तमस्तक छी । मिथिला/मैथिलीक जनचेतना एवं जन-जागरण हेतु सदैव सनर्पित ई वेव न्युज पोर्टल सदैव अहिना जगमगाइत रहए से कामना करैत छी ।एकबेर फेरसँ एहि वेवसाइटक सम्पादक, हमर अग्रज गुरुवर, मिथिलाक सच्चा सपूत श्री प्रवीन नारायण चौधरी सरके दुनू हाथ जोडि प्रणाम करैत एहि पत्रिकाके उत्तरोत्तर प्रगतिके कामना करैत छी
बहुत धन्यवाद विन्देश्वर जी – अहाँ सब सराहनाक पात्र थिकहुँ जे एतेक महान कार्य कएलहुँ अछि। एहि मे हमर सहयोग सदिखन बनल रहत। मैथिली जिन्दाबाद अहीं सबहक थीक। एकर विकास लेल अहाँ सब गोटाक सहयोग सदिखन बनल रहय। शीघ्रे एकर प्रिन्ट रूप लेल सेहो विचार कय रहल छी। जाहि सँ जन-जन धरि अपन भाषाक पत्रिका पहुँचय आ मैथिली पठन संस्कृति मे उल्लेखनीय सुधार होइ। हरि: हर:!!
good