लेख विचार
प्रेषित: आभा झा अद्विका
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- सामाजिक_उत्थानमे_कंटेंट_क्रिएटरक_योगदान
वर्तमान समय डिजिटल क्रान्तिक समय अछि। मोबाइल फोन आ सामाजिक माध्यम आब केवल मनोरंजनक साधन नहि रहल, बल्कि विचार-विनिमय, ज्ञान-वितरण आ जनजागरणक प्रभावी माध्यम बनि गेल अछि। एहि बदलैत परिवेशमे कंटेंट क्रिएटर समाजक नव स्वरक रूपमे सामने आबि रहल छथि। लेख, कविता, वीडियो, चित्र, कथा आ रचनात्मक सामग्रीक माध्यमसँ ओ लोकक सोचकेँ प्रभावित करैत छथि।
सामाजिक उत्थानक अर्थ केवल आर्थिक प्रगति नहि, बल्कि समाजक सोच, व्यवहार आ संवेदनामे सकारात्मक परिवर्तन सेहो अछि। शिक्षा, स्वास्थ्य, स्वच्छता, पर्यावरण-संरक्षण, नारी-सशक्तीकरण, बालिका शिक्षा, दहेज-विरोध आ सामाजिक समरसता जेहन विषयपर कंटेंट क्रिएटर प्रभावशाली सामग्री तैयार कऽ जनसाधारणमे जागरूकता उत्पन्न कऽ सकैत छथि। एकटा सार्थक लेख अथवा वीडियो हजारों लोक धरि पहुँचि सकैत अछि।
शिक्षाक क्षेत्रमे डिजिटल सामग्रीक विशेष महत्व अछि। कठिन विषयकेँ सरल भाषामे बुझेनाइ, उपयोगी जानकारी देनाइ आ विद्यार्थीक जिज्ञासाकेँ प्रोत्साहित केनाइ कंटेंट क्रिएटरक महत्वपूर्ण योगदान भऽ सकैत अछि। ग्रामीण क्षेत्रक विद्यार्थी सेहो डिजिटल माध्यमसँ ज्ञान प्राप्त कऽ सकैत छथि। एहि प्रकारे ज्ञानक पहुँच व्यापक होइत अछि।
नारी-सशक्तीकरण सेहो सामाजिक उत्थानक महत्वपूर्ण आधार अछि। महिला सभक संघर्ष, उपलब्धि आ आत्मनिर्भर बनेबाक यात्राकेँ सामने अनबासँ दोसर महिलाकेँ प्रेरणा भेटैत अछि। दहेज, बाल-विवाह आ लैंगिक भेदभाव जेहन कुरीतिक विरुद्ध निरन्तर आवाज उठेनाइ सामाजिक सोचमे परिवर्तन अनबाक प्रभावी माध्यम बनि सकैत अछि।
हमर अपन अनुभव एहि बातकेँ पुष्ट करैत अछि। दहेज-विरोध आ सामाजिक सहयोगसँ जुड़ल अपन अनुभव साझा कएलाक बाद एकटा पाठक संदेश पठौलनि जे ओ अपन परिवारमे विवाहक अवसरपर दहेज आ अनावश्यक खर्चक विरोध करबाक निर्णय लेने छथि। हुनकर प्रतिक्रिया हमरा लेल अत्यन्त प्रेरणादायक छल। एहि घटनासँ विश्वास मजबूत भेल जे एकटा छोट लेख सेहो ककरो सोच बदलि सकैत अछि।
सामूहिक विवाहक अवसरपर अपन सामर्थ्य अनुसार किछु धनराशिक संग दू टा नव साड़ी, चूड़ी आ सिन्दूर दऽ सहयोग करबाक अवसर सेहो हमरा भेटल छल। सहयोग छोट छल, मुदा ओकर भाव पैघ छल। एहि अनुभवकेँ साझा करबासँ समाजक प्रति अपन दायित्वक भावना आरो मजबूत होइत अछि।
मुदा डिजिटल प्रभावक संग जिम्मेदारी सेहो आवश्यक अछि। तथ्यहीन जानकारी, अफवाह अथवा घृणात्मक सामग्री समाजमे भ्रम आ विभाजन पैदा कऽ सकैत अछि। अतः कंटेंट क्रिएटरकेँ सत्यता, संवेदना, मर्यादा आ सामाजिक उत्तरदायित्वकेँ अपन सृजनक आधार बनेबाक चाही।
वास्तवमे कंटेंट क्रिएटरक कलम, कैमरा आ आवाज सामाजिक परिवर्तनक शक्तिशाली साधन बनि सकैत अछि। एकटा विचार चेतना जगा सकैत अछि, एकटा अनुभव प्रेरणा दऽ सकैत अछि आ एकटा सकारात्मक सृजन समाजमे परिवर्तनक बीजारोपण कऽ सकैत अछि।
