Search

भारत प्राचीन काल सँ शिक्षा के क्षेत्र मे अग्रणी छल, पर आब केर शिक्षा व्यवस्था तकरा ध्वस्त करै मे अग्रसर अछि

19 भ्यूज

लेख विचार
प्रेषित:  कीर्ति नारायण झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- शिक्षा पर हावी राजनीति

मिथिलांचल मे शिक्षा पर हावी राजनीति एकटा एहन कटु सत्य अछि जे एहि ज्ञानक भूमिक गौरवशाली इतिहास कें कलंकित कऽ रहल अछि। जे मिथिला कखनो याज्ञवल्क्य, गार्गी, आ मंडन मिश्र जकाँ विद्वानक लेल जानल जाइत छल, आइ ओतय के शिक्षा व्यवस्था राजनीति केर शिकार भऽ कऽ दम तोड़ि रहल अछि।
सत्रक अनियमितता आ राजनीति
मिथिलांचल के विश्वविद्यालय सभ जेना दरभंगाक ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय आ कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय मे समय पर परीक्षा नहि भेनाइ आ सत्र के ३ सँ ४ साल देरी सँ चलनाइ आम बात भऽ गेल अछि। एकर मुख्य कारण विश्वविद्यालय कऽ प्रशासन मे राजनीतिक हस्तक्षेप आ पदाधिकारी लोकनिक लापरवाही अछि। युवा सभक भविष्यक चिंता छोड़ि नेता लोकनि अपन रोटी सेकबा में लागल रहैत छथि।
शिक्षक बहाली मे भ्रष्टाचार आ जातिवाद
मिथिलांचल के कालेज आ स्कूल सभ मे शिक्षक सभक नियुक्ति आ ट्रांसफर-पोस्टिंग में योग्यता सँ बेसी राजनीतिक पैरवी आ जातिगत समीकरण कें देखल जाइत अछि। एकरा सँ योग्य शिक्षक के बदला अयोग्य लोक व्यवस्था मे आबि जाइत छथि, जकर सीधा असर बच्चा सभक पढ़ाई पर पड़ैत अछि।
छात्र संघक नाम पर गुंडागर्दी
दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर आ सहरसा जकाँ जिलाक कालेज सभ में छात्र राजनीति आब रचनात्मक नहि रहि गेल अछि। मुख्यधाराक राजनीतिक दल अपन स्वार्थ कऽ लेल छात्र सभ कें आपस में लड़बैत छथि। कालेज परिसर में पढ़ाईक माहौलक स्थान पर भय आ गुंडागर्दीक वातावरण बनि गेल अछि।
बुनियादी सुविधाक अभाव आ पलायन
राजनीतिक उदासीनताक कारण कालेज सभ में नहिं तँ नीक प्रयोगशाला अछि, नें पुस्तकालय आ नँ कंप्यूटर शिक्षा। एहि दुर्दशाक कारण मिथिलांचल के मेधावी छात्र सभ कें विवश भऽ कऽ दिल्ली, पटना, वा कोटा पलायन करय पड़ैत छैक , जे मिथिलांचल के आर्थिक आ बौद्धिक नुकसान अछि।

जँ मिथिला कें ओकर पुरान गौरव वापस देबाक अछि, तँ शिक्षा कें राजनीतिक चंगुल सँ मुक्त करब परम आवश्यक अछि। युवा सभ कें जाग्रृत भऽ कऽ शिक्षा क अधिकार लेल आवाज उठबय पड़त, नहि तँ राजनीति एहि ज्ञानक भूमिकेँ अन्हार मे धकेलि देत

Related Articles