Search

‘तत्त्वचिन्तामणि’ केर रचयिता गंगेश उपाध्याय बारे भ्रम पसारबाक निन्दनीय कार्यक भर्त्सना

78 भ्यूज

गंगेश मिश्रोपाध्याय बारे भ्रमक खेती

सामाजिक संजाल मे ‘तत्त्वचिन्तामणि’ केर रचयिता गंगेश मिश्रोपाध्याय जे मिथिलाक्षेत्रक अद्भुत विद्वान् – नव्य न्याय ओ मीमांसाक सुपरिचित विद्वान् – जिनकर सृजन ‘तत्त्वचिन्तामणि’ विश्व-समुदाय लेल उच्च-सन्दर्भित विवेचनाक रूप मे गण्य अछि, तिनका बारे कुत्सित कथ्य-तथ्य सब परोसल जा रहल अछि ।

निन्दनीय काज जुनि करू कियो

हम एहेन खेदपूर्ण सृजनक घोर निन्दा करैत छी । ई कुत्सित काज पुनः गजेन्द्र ठाकुर नाम्ना महापाखंडी विद्वान् कयलनि जिनकर कुकृत्य महाकवि विद्यापति तक केँ घेंट दबेबा सँ नहि चूकल छल । ई महान् छद्मविद्वान् मैथिल ब्राह्मणक पंजी प्रथा पर गोटेक ५००० पृष्ठक एकटा पोथी केँ कम्प्यूटर टेक्नोलौजीक उपयोग सँ प्रकाशित कयलनि, आर तहिया सँ स्वयंघोषित ‘पंजीप्रथा आ विज्ञानक द्रष्टारूप’ मे महापुरुष लोकनिक गला-घेंट दबेबाक उपद्रवी कुकार्य करय लगला ।

२०११-१२ मे हिनकर एहने कुकर्मक कारण मिथिला समाज मे ब्राह्मण-सोलकन आ कि-कहाँदन भेल, ‘सगर राति दीप जरय’ जेहेन प्रतिष्ठित साहित्यिक उपक्रम दुइ भाग मे विभाजनक दुष्परिणाम सेहो निकलल जे आइ तक कायमे अछि ।

गंगेश उपाध्याय समान सर्वत्र पूज्य विद्वानक सन्दर्भ गजेन्द्र ठाकुर आ आशीष अन्चिन्हारक कुत्सित दुष्प्रचार अत्यन्त चिन्ताजनक लागल । एहि कुकर्म मे एक गोट फुद्दूवाचार्य (रामानन्द मंडल) जे गोटेक वर्ष सँ एहने सामाजिक विभाजन आ साहित्यिक कित्ताकाट मे ‘मैथिली’ केँ ओझरेबाक दुष्प्रयत्न मे लागल छथि, ओहो दुष्प्रचार मे देखेलाह ।

कुतर्कक पराकाष्ठा जुनि नांघू – बेसिरपैरक बात एकदम नहि करू

“मिथिला मे गंगेश मिश्रोपाध्याय पूज्य नहि छथि, हुनकर तत्तचिन्तामणि एतय अगण्य अछि, आदि वीभत्स दावी करब, हुनक जन्म पिताक मृत्योपरान्त होयबाक कुतथ्य, पिता गैर-ब्राह्मण होयबाक कुतर्क, आदि भ्रमपूर्ण अन्वेषण आ दावीक संकेत करैत एक बेर फेर उपद्रवी – विषवमनकारी विध्वंसक रूप मे सोझाँ अयलाह अछि ई गजेन्द्र ठाकुर ।”

– ई हम बेमन लेकिन जरूरी बुझि लिखय लेल बाध्य भेल छी । हमर समाज एहि तरहक कुतर्की सब सँ सचेत रहय ।

ई दोसर बेर थिक जखन ई उपद्रवी दुर्जन मैथिली साहित्य मे रद्द-दस्त कयलनि वा करबाक कुचेष्टा कयलनि अछि । एहि सन्दर्भित कोनो ज्ञात दावा मे एहेन कुतथ्य आइ धरि पढ़य लेल नहि भेटल ।

महान् गंगेशो मिश्रोपाध्याय बारे दक्षिणक विद्वान् आ शंकराचार्यक मत

हालहि शंकराचार्य चन्द्रशेखरेन्द्र द्वारा लिखल गेल ‘वेद’ केर मैथिली अनुवादक क्रम मे ज्ञात भेल छल जे ई ब्राह्मण जातिक अत्यन्त उच्चकुलीन परिवार मे जन्म लेने रहथि । हिनक पिता व समस्त पुरखाजन वेद आ दर्शनक महान् विद्वान् सब रहथि ।

विदित हो जे ‘मिश्र’ उपाधिक एहि परिवारक गणना मिथिलाक अपभ्रंश संज्ञा ‘बिकाउ ब्राह्मण’ मे होइत छल । पंडित वाचस्पति मिश्र केर परम्परा केँ आगू बढ़ेबाक श्रेय गंगेश मिश्र (उपाध्याय) केँ जाइत छन्हि ।

हिनकर योगदानक चर्चा पूरे विश्व मे होइत अछि । गजेन्द्र ठाकुर जँ ई अन्ट-बन्ट दावी नहि करितथि, तँ ‘तत्त्वचिन्तामणि’ केर मैथिली अनुवादकक रूप मे नाम अमर भ’ जयतन्हि, परन्तु मनुष्य मे जखनहिं अहंकार आबि जाइछ, ओ भगवानक भोजन बनि गेल करैछ । हम अनुवादकार्यक मुक्तकंठ प्रशंसा करैत बाकी बात लेल हुनका सँ फेर क्रोधित भ’ ई लेख प्रस्तुत कय रहल छी ।

गंगेश – गंगा सँ गंगेश मिश्र बनल छलाह । (रोचक कथा वर्णन)

गंगेश एहेन सन्तान भेलाह जे मन्दमति जेकाँ बाल्यकाल बितौलनि । बाल्यकाल मे हिनका गंगा नाम सँ पुकारल जाइत छलन्हि । बिकाउ ब्राह्मण परिवारक उच्च-कुलीनता सँ अन्य छोट-कुलमूलक ब्राह्मण लोकनि बहुविवाह तक करबथि । हुनका बेश जमीन-जथा दय केँ अपन गामहि मे बसायल सेहो करथि । गंगाक जाहि घर विवाह भेलनि, ओतहि घरजमैया बनि गेलाह ।

हिनक मन्दमति आ आलसी हेबाक दुर्गुण गमिकय सासुर मे सेहो लोक बड अपमान करनि । सासुर (घर) मे माछ बनैन त आर लोक सब गुदगर वला अपने खा लियए, आ ई बड़ीकाले खायल करथि त हिनका काँटवला भाग (जेना पुच्छर, मुड़ा, आदि) खाय लेल देल करन्हि ।

अत्यन्त अपमान केँ पर्यन्त ई घोंटिकय रहैत-रहैत एक दिन भोरे-भोर नित्यकर्म लेल बाहर निकललाह त सीधे काशी धरिक यात्रा कयलनि । ओतय किछु वर्ष ततेक मनोयोग सँ विद्यार्जन कयलनि आ पूर्ण विद्वान् ‘मिश्र’ – अर्थात् मिश्रित वेदक बेहतरीन ज्ञाता बनिकय घुरलाह । नाम अनुसारक उपलब्धि हासिल करब मानवक सर्वोपरि गुण मानल जाइछ ।

सासुर मे फेर हिनका काँटवला माछ परसल गेलनि त कहलखिन जे “आब हम गंगा नहि गंगेश मिश्र छी’ । अर्थात् हम वेदविद् गंगेश मिश्र पूर्ण नाम अनुरूप विद्वान् लोक छी, आब गंगा जेकाँ मन्दमति आ उपेक्षाक पात्र बुझि हमरा संग विभेद उचित नहि होयत । – सासुरक लोक काफी सजग भेल आ तदोपरान्त हिनका प्रति सभक श्रद्धाभाव आ विश्वास मे परिवर्तन भेल ।

गंगेश मिश्रोपाध्यायक पुत्र सेहो अत्यन्त प्रसिद्ध द्रष्टा आ स्रष्टा भेलाह । सम्भवतः हिनकहि कुलक एक आर कुलदीपक मदनोपाध्यायक नाम सेहो अपने सब अवश्य सुनने होयब । कहल जाइछ, माता कामाख्या हिनकर सिद्धि आ भक्ति लेल हवा मे धोती सुखा देल करथि । अर्थात् माँ कामाख्याक ओ एतबे प्रियपात्र रहथि, से अपन सिद्धि सँ । पंडित भवनाथ मिश्र कहैत छथि,

“गजेन्द्र ठाकुरक विद्वता एहि बात सँ पता चलैत अछि जे १७म शताब्दी मे जन्म लेनिहार मदन उपाध्याय केँ ओ १३म शताब्दीक अत्यन्त आरम्भवि, किंवा १२म शताब्दीक आखिरी समय मे भेलाह गंगेशोपाध्यायक पुत्र कहलनि अछि, आब एहि सँ अधिक हास्यास्पद आर कि भ’ सकैछ । हुनक इतिहासक ज्ञान मादे एहि दावी सँ सब किछु स्पष्ट भ’ जाइछ ।”

अन्त मे – फेर सभक सुचेतना लेल अनुरोध सहित

एहेन नित्यस्मरणीय विद्वानक प्रति घोर निन्दनीय तथ्य-कथ्य परोसब बहुत खराब लागल, तेँ ई निन्दाक लेख लिखि समाज केँ एहि तरहक उपद्रवी आ कुटिल सोचक विद्वान् सब सँ बचबाक आह्वान करैत छी ।

प्रणाम – आ बेर बेर प्रणाम हे महात्मा गंगेश मिश्रोपाध्याय एवं समस्त मिथिलावासी विद्वान् समाज ! ध्यान देब, ई उपद्रवी सभक उपद्रव सँ समाज पर खराब प्रभाव एकदम नहि पड़य ।

हरिः हरः!!

Related Articles