Search

अपना पर नियन्त्रण राखि सदुपयोगी ‘रील’ देखब लाभदायक अछि

34 भ्यूज

लेख विचार

प्रेषित :- शेफालिका दत्त श्रीजा
लेखनी के धार, वृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
श्रोत -दहेज मुक्त मिथिला

विषय – “रील लाभदायक या हानिकारक”
*****************
आजुक डिजिटल युग मे मोबाइल आ इंटरनेट मानव जीवनक महत्वपूर्ण हिस्सा बनि गेल अछि। सोशल मीडिया पर “रील” बहुत लोकप्रिय भऽ गेल अछि। फेसबुक, इंस्टाग्राम, यूट्यूब आदि प्लेटफॉर्म पर छोट-छोट वीडियो बना कऽ लोक अप्पन प्रतिभा देखबैत छैथि। बच्चा सँ लऽ कऽ बूढ़ धरि सभ रील देखय आ बनाबय मे रुचि राखैत छथि। मुदा प्रश्न ई उठैत अछि जे रील समाज लेल लाभदायक अछि कि हानिकारक? वास्तव मे रीलक दुनू पक्ष अछि—जतय एकर किछु लाभ अछि, ओतय एकर किछु गंभीर हानि सेहो अछि।

#रीलक लाभ
1. मनोरंजनक साधन
रील लोक सभ लेल मनोरंजनक सरल माध्यम बनि गेल अछि। थाकल-हारल मनुष्य छोट-छोट हास्य, गीत, नृत्य वा प्रेरणादायक वीडियो देखि अप्पन मन बहला लैत अछि।

2. प्रतिभा देखेबाक अवसर
रीलक माध्यम सँ अनेक लोक अपन कला दुनियाक सामने प्रस्तुत करैत छथि। गायक, नर्तक, कवि, चित्रकार आ कलाकार सभ कम समय मे प्रसिद्धि प्राप्त कऽ रहल छथि। गाम-घरक प्रतिभा सेहो आब विश्व स्तर धरि पहुँचि रहल अछि।

  • 3. शिक्षा मे सहायता
    बहुत रील एहन होइत अछि जे ज्ञानवर्धक रहैत अछि। छात्र-छात्रा छोट वीडियो द्वारा विज्ञान, गणित, भाषा, सामान्य ज्ञान आदि विषय सहज रूप मे सीखि सकैत छथि। खेती, व्यवसाय, स्वास्थ्य आ रोजगार संबंधी जानकारी सेहो रील द्वारा भेटैत अछि।

4. व्यवसाय आ रोजगार
बहुत लोक रीलक माध्यम सँ अपन व्यवसायक प्रचार करैत छथि। छोट व्यापारी सेहो अपन वस्तु लोक सभ धरि पहुँचा रहल छैथि। किछु लोक रील बना कऽ आर्थिक उपार्जन मतलब पाइ सेहो कमा रहल छथि।

#रीलक हानि
1. समयक बर्बादी
रील देखैत-देखैत लोक घंटों समय व्यर्थ कऽ दैत छथि। विद्यार्थी अप्पन पढ़ाइ सँ ध्यान हटा कऽ मोबाइल मे लागल रहैत छथि, जाहि सँ समय आ ऊर्जा दुनू नष्ट होइत अछि।

2. मानसिक प्रभाव
लगातार रील देखबाक कारण मनुष्यक मन चंचल भऽ जाइत अछि। एकाग्रता कम होइत अछि आ मोबाइलक लत लागि जाइत अछि। बहुत लोक वास्तविक जीवन सँ दूर भऽ आभासी दुनिया मे जीबऽ लगैत छथि।

3. अश्लीलता आ गलत प्रभाव
किछु रील अश्लील, हिंसात्मक वा गलत संदेश देनिहार होइत अछि। बच्चा आ युवा वर्ग एहन वीडियो देखि गलत आदत अपनाबऽ लगैत छथि। फैशन, दिखावा आ अनावश्यक प्रतिस्पर्धा सेहो बढ़ैत अछि।

4. परिवारिक दूरी
रीलक अत्यधिक प्रयोग सँ परिवारक लोक आपस मे बातचीत कम कऽ रहल छथि। सभ अपन-अपन मोबाइल मे व्यस्त रहैत छथि, जाहि सँ पारिवारिक संबंध कमजोर होइत अछि।

5. स्वास्थ्य पर असर
लगातार मोबाइल देखबाक कारण आँखिक समस्या, नींद मे कमी, तनाव आ शारीरिक कमजोरी बढ़ि रहल अछि। विशेष रूप सँ बच्चा सभक स्वास्थ्य पर एकर नकारात्मक प्रभाव पड़ैत अछि।

#निष्कर्ष
रील स्वयं मे खराब नहि अछि, बल्कि ओकर उपयोग कतेक आ कोना कयल जाइत अछि, ई महत्वपूर्ण बात अछि। यदि रीलक प्रयोग ज्ञान, मनोरंजन आ सकारात्मक उद्देश्य लेल सीमित समय धरि कयल जाय, तँ ई लाभदायक साबित भऽ सकैत अछि। मुदा अत्यधिक उपयोग, गलत सामग्री आ समयक दुरुपयोग एकरा हानिकारक बना दैत अछि।

अतः आवश्यकता अछि जे हम सभ रीलक प्रयोग समझदारी सँ करी, उपयोगी सामग्री देखी आ अप्पन समय तथा जीवनक सही संतुलन बनाक’ राखी। तखन रील समाज लेल लाभकारी सिद्ध होएत।

*****

Related Articles