विशेष रिपोर्ट
– प्रवीण नारायण चौधरी
स्वदेश मे अपन पहिचानक महत्ता जल्दी लोक केँ ज्ञात नहि भऽ पबैत छैक, परञ्च परदेश मे प्रवास पर सतति अपन मूल केर स्मरण होइत रहैत छैक आ सजग लोक एहि स्मृति केँ आरो ठोस रूप देबाक लेल संस्थागत प्रयास करैत अछि। अपन निज पहिचान संग जुड़ल हरेक अस्मिता केँ उच्च स्थान पर विराजमान् रखैत अछि। निज देशक लोक केँ ताकि-ताकि कय एकर सदस्य बनबैत स्वाभिमानक रक्षा लेल निरंतर प्रयास करैत रहैत अछि।
बेलायतक राजधानी लंदन मे सेहो मैथिल लोकनि अपन मूल संस्कृति, भाषा आ पहिचानक रक्षा लेल एकटा गंभीर प्रयास केने छथि। ‘मिथिला कल्चरल सोसाइटी’ नाम सँ संस्थाक स्थापना कैल गेल अछि।
मिथिला कल्चरल सोसाइटी केर स्थापना मैथिली संस्कृति आ परंपरा केँ युनाइटेड किंगडम मे प्रोत्साहन दैत ब्रिटिश मैथिल आ खासकय युवा सबकेँ अपन संस्कार आ मूल्य सँ जोड़िकय रखबाक लेल कैल गेल अछि।
मिथिला संस्कृति केर संरक्षण, ब्रिटिश मैथिल युवा केँ प्रेरणा आ प्रोत्साहन दैत अपन संस्कृति आ मूल्य सँ जोड़ब, मिथिलाक विशिष्टताक रक्षा करबाक संग ओकरा युवा पीढी मे स्थानान्तरण करब, मिथिला संस्कृति, चित्रकला, रीति-रिवाज, लिपि, पावैन-तिहार आ गीत-संगीत प्रति जनचेतनाक प्रसार करब, मैथिली भाषा केँ एक पीढी सँ दोसर पीढी धरि विस्तार देब, लेखन-पठन-वाचन आदि केँ बढाबा देब, गैर-आवासीय आ आवासीय मैथिल केँ एक मंच पर आनि वैचारिक आदान-प्रदान करब – यैह मूल उद्देश्य संग स्थापित ‘मिथिला कल्चरल सोसाइटी’ प्रत्येक वर्ष अपन वार्षिकोत्सव मनबैत आबि रहल अछि।
वर्तमान समय, हालहि मई २०१५ मे चुनल गेला कार्यकारिणी सदस्य केर सूची निम्न अछि। मैथिल केर यैह जागरुकता एक न एक दिन मिथिला केँ फेर सँ भूगोल मे स्थापित करबाक संकेत करैत अछि।
|
President
Dr. Arun Kumar Jha
. |
|
|
|
|
|
Vice Chairman
Dr. Poonam Jha
. |
|
|
|
Treasurer
Dr. Mithilesh Jha
. |
|
|
|
|
Secretary
Dr.Vandana Karn
. |
|
|
|
Executive Member
Dr. Rajiv Ranjan Das
. |
|
|
|
|
Executive Member
Dr. Arun Kumar Jha
. |
|
|
|
Executive Member
Dr. Vibhash Mishra
. |
|
|
|
|
Executive Member
Mr. Rajendra Choudhary
. |
|
|
|
Executive Member
Alok Jha
. |
|
|
|
|
Executive Member
Dr. Ram Bhadra Jha
. |
|
|
|
Executive Member
Ajit jha
. |
|
|
|
|
Executive Member
Rahul Thakur
. |
|
|