Search

जुड़िशीतल पर दरभंगा मे हास्य कवि सम्मेलन

319 भ्यूज

समाचार साभारः हरिश्चन्द्र हरित, दरभंगा । १६ अप्रैल २०२६, मैथिली जिन्दाबाद !!

विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगाक तत्त्वावधान मे ‘जुड़िशीतलक दिन कविगणक अधीन’ शीर्षक अन्तर्गत हास्य कवि सम्मेलनक आयोजन कयल गेल । एहि सन्दर्भ मे कवि हरिश्चन्द्र हरित सामाजिक संजाल फेसबुक पोस्ट मार्फत निम्न सूचना प्रवाह कएने छथि –
शब्द नहि अछि हमरा लग जे. …….
उपरोक्त बात महाराजा महेश ठाकुर कालेज मे अपन उद्गार व्यक्त करैत विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा. बैद्यनाथ चौधरी बाजल छलाह । अवसर छल जुड़िशीतल पावनिक अवसर पर संकल्प-यात्रीक सम्मान-समारोहक ।
जनतब दी जे चैती नवरात्र मे मणिकान्तजीक संयोजनमे भिन्न-भिन्न गामक यात्रा कयनिहार कवि-लोकनिक सम्मान-समारोह एम. एम. टी. एम.
कालेजमे आयोजित छल । समारोहकेँ संबोधित करैत डा. बैजू कहलनि जे मैथिली हास्य कवि-सम्मेलनक माध्यम सँ एहेन-एहेन गाममे जतय आइधरि मिथिला-मैथिली केनिहार हमरा लोकनि नहि पहुँचि सकल छलहुँ, संकल्प-यात्राक माध्यम सँ ई सभजे अलख जगौलनि, से स्तुत्य अछि । सही अर्थमे कहल जाए तँ जे काज मैथिलीक आंदोलनी सभ मंचे पर करैत रहि गेलाह, तकरा साहित्यकार लोकनि अपन साहित्यक दम पर सहरजमीन पर उतारिकय देखा देलनि । हमरा लग शब्द नहि अछि जे कोनरूपे हिनकासभक अभिनंदन-वंदन करी ।
एहि अवसर पर डा. अशोक मेहताक अध्यक्षतामे बेस रमनगर कवि-सम्मेलन आयोजित भेल, जाहि मे डा.वंशीधर मिश्र, हरिश्चंद्र हरित, कौशलेश चौधरी, डा. दिनेश झा, चुनाव आयोगक आइकौन सह कवि-रेडियोसंचारकर्मी मणिकान्त झा सहितक कवि लोकनि अपन-अपन कवितासँ हास्यक तानल धनुष पर व्यंग्य-वाण बरिसबैत समुपस्थित-समवेतकेँ अंत धरि गुदगुदबैत रहलाह ।
सभ कविलोकनिकेँ डा.बैजूजी पुष्प-गुच्छ, पाग आ शालसँ सम्मानित करैत अभिभूत छलाह । कार्यक्रमक आरंभ आकाशवाणीक कलाकार
दीपकजीक गणेश-वंदना सँ भेल तँ समापन मणिकान्तजीक भोलाबाबाक नचारी सँ । महाविद्यालयक प्राचार्यश्री उदयकुमार सिंह द्वारा धन्यवाद ज्ञापनक पश्चात सभा विसर्जित भेल ।

Related Articles