विराटनगर, १६ फरवरी २०२६ । मैथिली जिन्दाबाद !!
काल्हि महाशिवरात्रि पूजनोत्सवक सुअवसर पर विराटनगर वडा नम्बर १४ केर कठकुप्पा गाम मे मैथिली एसोसिएशन नेपालक तरफ सँ एकटा ‘धर्मसभा’ केर आयोजन कयल गेल ।
श्री श्री १०८ बिन्देश्वर शिव मन्दिर प्रांगण मे मन्दिरक महन्थ भुपिन्दर दासक अध्यक्षता मे आयोजित एहि धर्मसभा मे मैथिली सेवा समितिक वरिष्ठ उपाध्यक्ष डा. योगेन्द्र प्रसाद यादव संगहि राजनीतिक-सामाजिक अभियन्ता रमेश प्रसाद यादव, उद्यमी-व्यवसायी भरत यादव, राजेश देव, बबलू देव, किशन गोपाल देव, भाष्कर चौधरी, जयराम यादव यदुवंशी संग-संग स्थानीय लोकक संलग्नता छल ।
‘धर्म’ बारे आमलोकक समझ कि रहि गेल अछि तथा धर्म निर्वाह केना कयल जेबाक चाही – एहि दुइ मूल विन्दु पर केन्द्रित विचारगोष्ठी केँ डा. योगेन्द्र प्रसाद यादव, रमेश प्रसाद यादव एवं भरत यादव द्वारा सम्बोधन कयल गेल । डा. यादव द्वारा धर्मक आम समझ बारे, हिन्दू धर्मावलम्बी सभक मान्यता ३३ कोटि देवता प्रति अपन-अपन स्वतंत्र आस्था, विश्वास व समर्पण अनुरूप हेबाक यथार्थ सब पर बहुत विलक्षण ढंग सँ प्रकाश देल गेल छल ।
तहिना रमेश यादव कहलनि जे अपन वैचारिक शुद्धता आ केकरो अहित नहि करबाक सोच संग सनातन धर्म प्रति पूर्ण आस्था राखब हमर धर्म थिक आ एहि लेल हम सदिखन अपना केँ तैयार रखैत छी । भरत यादव द्वारा अपन परम्परा आ लोक व्यवहार मे धार्मिक आस्था आ समर्पणक बात पर प्रकाश देल गेल छल ।
सभाध्यक्ष महन्थ भुपिन्दर दास द्वारा अपन स्वर्गीय पिता बिन्देश्वर यादव संगहि माताक समाधिस्थल पर शिव मन्दिर केर स्थापना एकटा पुत्रक रूप मे कर्तव्यरूपी धर्म निर्वाहक क्रम मे कयल गेल उदाहरण रखैत आम सनातनी समाज मे लोकोपकारक काज केनाय, केकरो अहित नहि केनाय, शुद्ध आचार-व्यवहार बनेनाय, इत्यादि धर्म अनुसार मानल जेबाक विन्दु पर जोर देल गेल ।
देवाधिदेव महादेव केर पार्वती संग विवाहक पाबनि यानि महाशिवरात्रिक अवसर पर बिन्देश्वर शिव मन्दिर मे शोभायात्रा, सिंगिया घाट सँ जल भरि कलश सहित सैकड़ों कलश जल सँ महादेवक अभिषेक सेहो भेल छल । एसोसिएशन द्वारा स्थानीय गाम-समाज मे धर्मक सही समझ आ तदनुसार सम्पूर्ण मानव समाज मे धार्मिक एकजुटता लेल धर्मसभाक आयोजन व तदोपरान्त भजन-कीर्तन तथा रात्रि जागरण कार्यक्रम आयोजित कयल गेल ।
एहि अवसर पर इहो संकल्प लेल गेल जे तुलसीकृत् रामचरितमानसक सप्ताह परायण पाठ एहि एक वर्षक दरम्यान निरन्तर आयोजित कयल जेबाक चाही । एहि लेल सप्ताहक प्रत्येक सोम दिन ई आयोजन एहि मन्दिर परिसर मे कयल जेबाक प्रस्ताव पर आम सहमति सँ लेल अलग सँ बैसार करैत आगू बढ़बाक निर्णय लेल गेल ।
मैथिली एसोसिएशन नेपालक अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा संचालित धर्मसभा मे मानवीय धर्मक वास्तविक मर्म मे आपसी भाईचारा, सामाजिक सौहार्द्रता, लोकहित, लोक उपकार, भाषा-साहित्य एवं संस्कार-संस्कृति प्रति सजगता आदि विभिन्न सन्दर्भ पर चर्चा करबाक संग भाव-कीर्तन सेहो प्रस्तुत कयल गेल छल ।
मिथिला अमर विभूति राजा जनक, जगज्जननी जानकी, राजा सलहेश, वीर लोरिकदेव, लोकदेव दीना-भदरी एवं कविकोकिल विद्यापतिक कैलेन्डर विमोचित करबाक संग जन-जन मे निजभाषा प्रति सचेतनाक प्रसार हो ताहि लेल आम आह्वान कयल गेल ।
