Search

मिथिला मे जयमाल मात्र देखसी उतारब थिक

600 भ्यूज

लेख विचार
प्रेषित: नीलम झा निवेधा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- मैथिल विवाह मे जयमाल

एहि विषय पर हमर मन्तवय-

विवाह जखन दू परिवारक मनबंध होइत अछि त’ निश्चित कएल जाइत अछि दूगोटाकें (लड़का- लड़की के ) संबंध।
एहि मे पहिने लोग बर के देखैत छल कनियाकें नञि। फेर कनियोंके देखा सुनि होमए लागल। आधुनिक समयमे लड़का- लड़की दुनू बराबर पढ़ल लिखल रहैत छथि त ई नीक बात । जखन जीवन बितेबाक हुनका दुनुगोटें के छनि त’ विवाह सँ पूर्व देखा सुनी उचिते थीक।

विवाह तय भेलापर दुनू फोन पर बात करैत छथि सेहो ठीक मुदा बरमालाक रिवाज त’ कथमपि सही नञि होइत अछि। बरियाती आ सरियाती सँ खचाखच भरल वियाहक वो पंडाल आ ताहिमे लड़की विवाह सँ पूर्वे अबैत अछि आ लड़का ओकरा जा कए हाथ पकड़ी मंच पर अनैत छथि आ दुनू पक्षक बुजुर्ग आ संगतुरिया एकै रंगमे रांगल थोपड़ी माइर स्वागत करैत छथि। हमरा सभकें त’ देखी कए मोन लजाइत अछि।बड्ड अनसोहांत लगैत अछि, मुदा जिनका नीक लगैत छैन वो करैत छथि आ हुनका होइत छैन जे ,जे नञि केलनि से या त’ धन हीन छलीह या त’ बकलेल।

#सोहागक_कोन_औचित्य??

सचमे जखन पूरा बरियाती कनियांके पंडालमे स्वंवरके माध्यम सँ देखिए लेलकै त’ फेर सोहाग कुन महत्व आ प्रयोजन? सभटा बकवास, ढकोसला आ देखसी थीक। विध पर कियो धियान नञि देती आ फोटो सूट पर खाली फोकस।

जखन भरल पंडालमे लड़का लड़की के हाथ पकैर मंच पर बैसबैत छथिन, माला पहिरबैत छथिन, दुनू गोटे संगमे कुर्सी पर बैसल लोकक मुंह तकैत रहैत छथिन त’ फेर कनिया निरीक्षण के की प्रयोजन? बर कनियाक पहिल भेंटक कुन उत्सुकता?

हमरा त’ ई नञि नीक लगैत अछि मुदा हम अपने संतानटामे रोइक सकैत छी ने? हम रोकलौं। दोसराक कार्य मे कियो हस्तक्षेप नञि क’ सकैत अछि कारण आब समाजिक लोक लज्जा नञि रहि गेलैक अछि। मुदा ई सर्वथा देखसी थीक, व्यवहार नञि।

या त’ ई कहियौ जे जीवनमे बदलाव जरूरी थीक, त’ एकरा सौहार्द स्वीकार करी।

Related Articles