विराटनगर, ९ जून २०२५ । मैथिली जिन्दाबाद !!
काल्हि ८ जून २०२५ ग्लोबल मैथिल समूह केर एक महत्वपूर्ण बैठक (ऑनलाइन) “गलोबल मैथिल मीट 2025(1) शानदार ढ़ंग सँ आयोजित कयल गेल । एहि मे राजकिशोर झा, मणिकांत झा अमारूपी, प्रेमकान्त चौधरी, संजोग ठाकुर, माला झा, निशा मदन झा, अनूप झा, जेएन झा, पालन झा, कार्तिकेय मैथिल संग हम प्रवीण नारायण चौधरी भाग लेलहुँ । ग्लोबल मैथिल द्वारा 2020 सँ 2025 धरिक विभिन्न गतिविधि पर समीक्षा करबाक संग भविष्य में 5 वर्षक योजना आ ठोस उद्देश्य पर केंद्रित काज हो ताहि पर विस्तृत चर्चा भेल ।
विद्यापति जन्मस्थली विस्फी में राज्य सरकार द्वारा राष्ट्रीय स्मारक भवन निर्माण हो एहि दिशा में ग्लोबल मैथिल द्वारा चरणबद्ध सँ डिजाइनिंग सँ विस्तृत रूपरेखा एवं अवधारणा पत्र समेत सौंपैत माननीय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ समेत भेंटघांट कय माननीय संजय झा एवं मंत्री नीतीश मिश्रा संग प्रतिनिधि मंडल द्वारा निरन्तर आग्रह तथा 5 दिसम्बर 2020 केँ विशाल जनसहभागिता में बिस्फी सम्मेलन आयोजित कयल गेल छल । एकर सुखद परिणाम स्वरूप बिस्फी में निर्माण कार्य आरम्भ भ गेल अछि । समस्त योगदान कर्ता केँ धन्यवाद ज्ञापन कयल गेल ।
आगामी समय मे ग्लोबल मैथिल समक्ष दुइ गोट महत्वपूर्ण योजना उपर काज करबाक प्रस्ताव आयल । कोसी पश्चिमी नहर परियोजना के पूर्णता आ एकर सदुपयोग सँ कृषि एवं जलस्रोत आधारित अन्य योजना पर अध्ययन अनुगमन पर ग्लोबल मैथिल जरूरी काज करय तथा दोसर जानकी जन्मभूमि पुनौराधाम सँ जनकपुर होइत बराहक्षेत्र, दंतकाली-पिंडेश्वरधाम, विराटनगर, छोटी कामाख्या (पूर्णिया), सिंहेश्वरस्थान, मण्डनधाम, कारू खिरहर, कुशेश्वरस्थान, विद्यापति डीह, फुलहर, अहिल्यास्थान, विद्यापतिधाम, सिमरिया, मुंगेर किला, आदिक मिथिला सर्किट पर सेहो आवश्यक अध्ययन एवं पर्यटकीय सम्भावना संग प्रचार प्रसार एवं उद्यम निवेश केर वातावरण तैयार करबाक काज प्रस्तावित भेल ।
उपस्थिति अनुसार आपस मे सदस्य लोकनिक अपन विज्ञता व रुचि अनुसार प्रस्ताव सब लिखित रूप में तैयार करबाक जिम्मेदारी ग्रहण करैत समूह केर अन्य सदस्य सब सँ सलाह मशवरा कय केँ आगू बढ़बाक निर्णय लेल गेल अछि । एकर अतिरिक्त समूह के सदस्यता विस्तार आ वेबसाइट निर्माण लेल सेहो आरम्भिक चर्चा भेल अछि, विस्तृत चर्चा आ रूपरेखा तैयार कय आगामी समय मे ई काज सेहो करबाक निर्णय भेल अछि ।
ग्लोबल मैथिल के कन्सेप्ट पर विभिन्न स्थान पर कार्यरत अनेकों संस्था-संगठन जिम्मेदारी स्वीकार कय सहकार्य करबाक निर्णय सेहो लेल गेल अछि ।
हरि: हर:!!
