Search

गाजापट्टी मे मानव समुदायक त्रासदीपूर्ण अवस्था

420 भ्यूज

गाजापट्टीक त्रासदीपूर्ण दृश्य

काल्हि BBC News वा एकर अनुसांगिक अन्य पेज सब पर कतहु गाजा सिटीक आम लोकक त्रस्त जीवनक दुखद वृत्तान्त सब पढ़िकय हमर मन अत्यन्त व्याकुल भ’ गेल । हम सोच मे पड़ि गेलहुँ जे हम मानव अपन ईगो आ वर्चस्व लेल आमलोकक जीवन मे कतेक पैघ त्रासक प्रसार करैत छी जे आइ एकटा माय-बापक आँखिक सोझाँ युद्धक छर्रा सँ लहुलुहान परिवार आ खासकय बच्चा सब तड़पि रहल अछि । गोली-छर्राक चोट सँ घायल अवस्थाक दर्द त ओहुना बुझल जा सकैछ, मुदा तखन आर बेसी कष्ट भेल जखन ई पढ़लहुँ कि भूख आ प्यास सँ तड़पि-तड़पिकय बच्चा सब मरि रहल अछि । हे भगवान् ! केहेन कारुणिक दृश्य होयत ओतय ?

फेर ई पढ़लहुँ जे इजरायल आनो-आन देश सँ राहत पहुँचेबाक लेल सख्त मना कएने छल किछु दिन लेल । एकर कारण हमास लड़ाकू जेकरा विरूद्ध ई लड़ाई लड़ल जा रहल अछि ओकरा सभक संग बातचीत आ सीजफायर केर शर्त सब एखन धरि पूरा नहि कयल जा सकल छैक – या आर कोनो बात छैक… हम अनभिज्ञ छी । इजरायल आ हमास बीचक राजनीतिक द्वंद्व आ तेकर खतरनाक दुष्परिणाम जे इजरायल गाजापट्टी मे रहनिहार सम्पूर्ण मानव समुदाये केँ अपन आजन्म दुश्मन मानि समूल नाश करय पर अमादा अछि ।

यूएन आ विश्वक तथाकथित सुपर पावर सब इजरायल-हमास बीच समझौता आ शान्ति कायम नहि करा सकल अछि, हम छगुनता मे छी । भारत-पाकिस्तान मे कश्मीरक मुद्दा पर जारी द्वंद्व केँ सीमित युद्धक सीमा मे बान्हिकय एक-दोसरक मीडिया मे छद्म युद्धक बाढ़ि नीक, मुदा इजरायल-हमास बीच जारी वर्षोंक बेतरतीब युद्ध आ एकर दुष्परिणाम सँ मानव समुदाय लेल घोर त्रासदीपूर्ण जीवनक अवस्था – हमरा अन्दर तक सिहरा रहल अछि । शायद हमरे जेकाँ आर-आर मानवक संवेदना केँ ई घटनाक्रम आ युद्ध अत्यन्त विह्वल बनबैत होयत !

हरिः हरः!!

Related Articles