२१ अप्रैल २०२५ । मैथिली जिन्दाबाद !!
गत सप्ताह ‘संजीव सिन्हा वाणिज्य आ उद्योग मंत्रालयक हिंदी सलाहकार समितिमे नामित’ समाचार मिथिलावासी सभक ध्यानाकर्षण कयलक । मैथिली ओ मिथिला प्रति सदिखन सेवाभाव आ समर्पण सँ कार्य करनिहार कमल सन्देश पत्रिकाक सह-सम्पादक संजीव सिन्हाक नाम राजभाषा विभाग, गृह मंत्रालय, भारत सरकारक अनुशंसा पर उद्योग संवर्धन एवं आंतरिक व्यापार विभाग, वाणिज्य आ उद्योग मंत्रालयक हिंदी सलाहकार समितिक सदस्य रूप मे नामित कयल गेल छल । सिन्हा अनेक संगठनक माध्यम सँ हिन्दी भाषा केँ प्रोन्नतिशील बनेबा मे महत्त्वपूर्ण योगदान करैत आबि रहल छथि ।
मूलत: झझिहट गामक रहनिहार संजीव सिन्हा एलएम उच्च विद्यालय, पुपरी सँ मैट्रिक पास कय केँ राधाकृष्ण गोयनका कॉलेज सीतामढ़ी सँ आईएससी, दिल्ली विश्वविद्यालयसँ स्नातक तथा गुरु जंभेश्वर विश्वविद्यालय, हिसार सँ जनसंचार मे स्नातकोत्तरक डिग्री प्राप्त कएने छथि ।
प्रारंभहि सँ साहित्य, रंगमंच आ क्रिकेट जगतमे अनेक संगठनक माध्यम सँ संजीव सिन्हा सक्रिय रहलाह अछि । पुपरीमे कोरस क्रिकेट क्लब, बालवृन्द नाट्यकला परिषद्, दिल्ली मे प्रवक्ता डॉट कॉम, मैथिली साहित्य महासभा, मैथिली साहित्य सम्मेलन, मैथिल पत्रकार समूह, मिथिला राज्य निर्माण सेना, कर्ण कायस्थ महासभा, साहित्यिकी डॉट कॉम आदि संस्था-मंचक स्थापना कय उल्लेखनीय योगदान करैत आबि रहल छथि । ओ अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद्क दिल्ली विश्वविद्यालय इकाइक प्रमुख आ ओकर मुखपत्र राष्ट्रीय छात्रशक्तिक सह संपादक सेहो रहल छथि । दिल्ली जर्नलिट्स एसोसिएशनक सचिव आ उपाध्यक्ष पद पर निर्वाचित सेहो भेल छथि । सम्प्रति राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ सँ प्रेरित इंद्रप्रस्थ साहित्य भारती, दिल्ली प्रदेशक महामंत्री आ भाजपाक राष्ट्रीय मुखपत्र कमल संदेशक सह संपादकक दायित्व निभा रहल छथि सिन्हा ।
हिन्दी सलाहकार समितिक सदस्य नामित भेला पर संजीव सिन्हा मोदी सरकार आ भाजपा संगठनक शीर्ष नेतृत्वक प्रति आभार प्रकट करैत कहलनि जे ओ मंत्रालयमे संघक राजभाषा नीतिक कार्यान्वयनकें सुनिश्चित करेबाक लेल प्रयत्नशील रहताह ।
सिन्हा कें प्रख्यात साहित्यकार गंगेश गुंजन, शेफालिका वर्मा, प्रमोद झा, नरेश विकल, विनोद कुमार झा, शिवशंकर श्रीनिवास, केदार कानन, हरीश चन्द्र हरित, अरविन्द ठाकुर, भैरब लाल दास, रमण कुमार सिंह, चंदना दत्त, मानवर्धन कंठ, किसलय कृष्ण, मुख्तार आलम, मिथिला अभियानी बीके कर्णा, प्रवीण नारायण चौधरी, राजकिशोर झा, राजेश कुमार झा, पंकज कुमार झा, प्रकाश झा, राहुल झा, आशीष नीरज समेत अनेक विशिष्ट जन बधाइ देलनि अछि ।
