Search

रामनवमी हिन्दू लेल विशेष त्यौहार थिक

735 भ्यूज

लेख विचार
प्रेषित: नीलम झा निवेधा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- रामनवमी

#रामनवमी अथवा मरजादा पुरुषोत्तम प्रभु श्री रामके जन्मदिवस।चैत्र शुक्ल नवमी तिथि कए भगवान रामके जन्म भेलनि।ई त’ अपनेआपमे बहुत खास अछि। मुदा मिथिलामे हिंदू लोकनि एकरा पर्वके रूपमे मनबैत छथि।
एहि दिन अयोध्याधाम और जानकी नगरी जनकपुरधाममे खासकए बहुत धुमधाम सँ मनाओल जाइत अछि #रामनवमी।लाखक संख्यामे भीड़ एकत्रित रहैत अछि जनकपुरधाम आ अयोध्यामे। रंग बिरंगक राम सँ अधारित कथा, प्रवचन, रामलीला, झांकी इत्यादि देखाओल जाइत अछि।

श्री रामके राम सँ मर्यादा पुरुषोत्तम बनबामे केहन यात्रा रहलैन।

रामके जन्म सँ अयोध्यामे सुख,समृद्धि ,शांति,हर्षोल्लास सँ परिपूर्ण भ’ गेल छल।जखन राम शिव पिनाक तोड़ी सीता सँ वियाह कए जनकपुरधाम सँ अवधपुरी अएलाह त’ अयोध्यामे खुशी बहार आइब गेल। राजा दशरथ श्री रामके राज तिलक देबाक तैयारी कएलनि। मुदा केकैयीके मोनमे एकटा बात एलनि। ओ राम लेल चौदह वर्षक वनवास आ भरत लेल राज तिलक मंगलैन। ओहि दिन जखन प्रभु राम राजपाट त्यागी तापसी वेश मे सीता लक्ष्मण संग वन जाए मर्यादित रहि अपन कर्तव्य निभेलनि त’ ओ प्रभु पुरूषोत्तम राम कहेलनि।राम सिर्फ भगवान रूपमे नञि वल्कि रामके आदर्श जीवनमे अनुसरण करबा योग्य होइत अछि।

चैत्र मास के बहुत लोक अशुद्ध महीना सेहो मानैत छथि मुदा चैत्रमे मुण्डन आ उपनायन सेहो होइत अछि। चैत्र शुक्ल परिव तिथि सँ बसंत नवरात्रि सेहो शुरू होइत अछि। पंचमी क’ चैती छठीके खरना,षष्ठी क’ सांझुक अर्घ्य आ सप्तमी कए भोरका अर्घ्य। शुक्ल नवमी क’ होइत अछि #रामनवमी पर्व।

 

Related Articles