लेख विचार
प्रेषित: आभा झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- रामनवमी
रामनवमी हिन्दू धर्मक एक प्रमुख पाबनि छी, जे भगवान श्रीरामक जन्म उत्सवक रूप में मनाओल जाइत अछि। ई पाबनि विशेष रूप स’ चैत्र माहक शुक्ल पक्षक नवमी तिथि क’ मनाओल जाइत अछि। श्रीरामक जन्म अयोध्याक राजा दशरथ आ रानी कौशल्या के घर भेल छल, आ हुनक जीवन मानवता लेल आदर्श बनल अछि। रामनवमी केर पूजा आ उपासना द्वारा श्रद्धालु भगवान श्रीरामक जीवनक आदर्श के अनुसरण करैत छथि आ अपन जीवनमें सत्य, धर्म आ कर्तव्यक पालन करबाक संकल्प लैत छथि।
रामनवमी कियैक मनाओल जाइत छैक?
रामनवमी के मनएबाक कारण मुख्य रूपसँ भगवान रामक जन्मक समर्पण आ पूजा अछि। भगवान राम, जे कि मर्यादा पुरुषोत्तम केर रूपमें प्रसिद्ध छथि, श्रीरामक जीवनक आदर्शसँ सम्पूर्ण मानवताकेँ मार्गदर्शन भेटैत अछि। रामनवमी पर भगवान श्रीरामक पूजा क’ भक्तजन हुनक जीवनसँ प्रेरणा ग्रहण करैत छथि।
रामनवमी केर एक विशेष महत्व एहि अर्थ में सेहो अछि जे एहि दिन भगवान रामक जन्म होइछ, जखन अयोध्याक लोक आ राजा दशरथ विषम परिस्थितिमें छलाह। श्रीरामक जन्म स’ अयोध्यामें सुख-शांति आ समृद्धि आयल। एहि दिन पर विशेष पूजा, पाठ, भजन-कीर्तन आ रामायणक पाठ कयल जाइत अछि। बहुतो स्थान पर रामलीला आ रथयात्रा सेहो आयोजित कयल जाइत अछि, लोक उत्साह आ श्रद्धा संग भगवान श्रीरामक जन्मक उत्सव मनबैत छथि।
धार्मिक महत्व
रामनवमी केर धार्मिक महत्व अत्यंत उच्च अछि। भगवान श्रीरामक जीवनमें सत्य, धर्म, कर्तव्य आ समाजिक समरसता केर आदर्श देखल जाइत अछि। श्रीरामक जीवनक प्रमुख घटना, जेना कि रावणकेँ संहार, सीता माताके अपहरण आ हुनका लंका स’ वापस अननाइ , आ वनवासक दौरान जीवनके कठिनाई स’ निपटि क’ वापस एनाइ हमरा सबके धर्मक पालन आ आत्मबलकेँ महत्व बुझबैत अछि।
रामनवमी पर पूजा आ उपासना सँ भक्तजन अपन जीवनमें सत्य आ धर्मक मार्ग पर चलबाक संकल्प लैत छथि। एहि दिन भगवान रामक पूजासँ समस्त दुखक नाश होइत अछि और सुख-शांतिके अनुभव होइत अछि। रामनवमी एक अवसर होइछ, जे भक्तजन के अपन जीवनमें रामक आदर्शके आत्मसात करबाक प्रेरणा दैत अछि।
वैज्ञानिक महत्व
रामनवमी केर वैज्ञानिक दृष्टिकोण सँ सेहो महत्व अछि। चैत्र माहक शुक्ल पक्षक नवमी तिथि पर वसंत ऋतुके आगाज़ होइत अछि, जाहिसँ धरती पर हरियाली आ ताजगी बढ़ैत अछि। वसंत ऋतुक दौरान मौसमके परिवर्तन शरीर आ मानसिक स्वास्थ्यक लेल फायदेमंद होइत अछि। एहि समय प्रकृतिमें सकारात्मक ऊर्जाक प्रवाह बढ़ैत अछि, जे मानव जीवनमें सुख, शांति आ समृद्धिके स्थिति उत्पन्न करैत अछि।
रामनवमी के अवसर पर पूजा आ ध्यानक माध्यम स’ मानसिक शांति प्राप्त होइत अछि। वैज्ञानिक दृष्टिकोण स’, मानसिक शांति आ संतुलन जीवनके तनावपूर्ण परिस्थितिमें अत्यंत महत्वपूर्ण अछि। रामनवमी पर श्रीरामके जीवन स’ जुडल बातकेँ स्मरण क’ व्यक्ति अपन भीतर एक आंतरिक शक्तिके अनुभव करैत अछि, जे जीवनमें कठिनाइके सामना करबामें सहायक होइत अछि।
रामनवमी केवल एक धार्मिक पाबनि नहि, बल्कि ई वैज्ञानिक दृष्टिकोण सँ सेहो महत्वपूर्ण अछि। धार्मिक रूप स’ ई पाबनि भगवान श्रीरामक आदर्शके अनुसरण करबाक अवसर होइछ, जखनकि वैज्ञानिक दृष्टिकोण स’ ई पाबनि मानसिक शांति, शारीरिक स्वास्थ्य आ प्रकृति संग संतुलन बना क’ रखबाक प्रेरणा दैत अछि। अत: रामनवमी ने केवल एक धार्मिक पाबनि अछि, बल्कि एक सम्पूर्ण जीवनके सद्गति आ भलाई केर संदेश दैत अछि।एहि तरहे, रामनवमी एक धार्मिक, सांस्कृतिक आ वैज्ञानिक दृष्टिकोणसँ महत्वपूर्ण पर्व अछि, जे हमर सभक जीवनमें शांति, स्वास्थ्य आ सदाचारक संदेश दैत अछि।
