Search

बुजुर्ग परिवारक प्राचीन धरोहर होइत छथि

 

लेख विचार
प्रेषित: आभा झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- “परिवार मे बुजुर्ग केँ महत्व ”

हमर समाजमे परिवारक एक खास स्थान अछि। परिवारक हर सदस्यकेँ अपन-अपन भूमिका होइत अछि, जे परिवारक सुख-शांति आ समृद्धि लेल जरूरी अछि। परिवारमे बुजुर्गक स्थान विशेष महत्वपूर्ण होइत अछि। हुनक अनुभव, ज्ञान आ आशीर्वाद स’ परिवारक प्रत्येक सदस्यकेँ जीवनक मार्गदर्शन प्राप्त होइत अछि। बुजुर्ग परिवारक प्राचीन धरोहर होइत छथि  आ ओ परिवारक संस्कृति आ परंपरा के संरक्षण करैत छथि।

बुजुर्ग सभक जीवन अनुभव आ हुनक ज्ञान ओतबे कीमती होइत अछि, जे परिवारक समृद्धि आ खुशहाली लेल बहुत महत्वपूर्ण अछि। हुनकर अनुभव कखनहुँ परिवारक सामने उत्पन्न समस्याक समाधान क’ सकैत अछि। जखन कियो कठिनाईकेँ सामना करैत अछि, त’ बुजुर्गक मार्गदर्शन ओकरा सही मार्ग देखबैत अछि। आर्थिक संकट, मानसिक तनाव या अन्य चुनौतीक समधानमे बुजुर्गक अनुभव अत्यंत उपयोगी होइत अछि। हुनकर सलाह आ निर्णय परिवारक लेल एक मजगूत सहारा बनि सकैत अछि।

बुजुर्गक अन्य महत्वपूर्ण योगदान हुनक भावनात्मक सहारा होइत अछि। ओ परिवारक सदस्य सभक बीच प्रेम आ स्नेहक संबंध बनबैत छथि। छोटका बच्चा सबहक लेल बाबा-बाबी या नाना-नानीकेँ स्नेह बहुत मूल्यवान होइत अछि। ओना त’ बुजुर्ग सभकेँ बिना परिवारक अस्तित्व अधूरा बुझाइत अछि। हुनकर आशीर्वाद परिवारक सदस्यकेँ जीवनमे शक्ति आ खुशी आनैत अछि। परिवारक संग-संग बुजुर्ग सेहो अपन जीवनक महत्वपूर्ण शिक्षा दैत छथि जाहि सँ परिवारक भावनात्मक संतुलन बनल रहैत अछि।

आजुक समयमे जखन सब कियो व्यस्त अछि, त’ बुज़ुर्ग सभक संग समय बितेनाइ कम भेल जा रहल अछि, मुदा एहिसँ परिवारमे बुज़ुर्गक महत्व पर प्रभाव पड़ैत अछि। यदि हम अपन बाबा-बाबी, नाना-नानी संग समय बिताबी त’ हमरा जीवनक मूल्यवान बात सीखैकेँ अवसर भेटैत अछि। ओ परिवारक महत्वपूर्ण स्तंभ छथि, जे परिवारक समृद्धि, परंपरा आ संस्कृतिकेँ संरक्षण करैत छथि।

बुजुर्ग स’ हम जीवनक विभिन्न पहलु सिखैत छी। हुनकर अनुभव हमरा मुश्किल समयमे सही मार्ग पर चलबाक प्रेरणा दैत अछि। हुनकर सलाह आ आशीर्वाद स’ हम जीवन के प्रति सकारात्मक दृष्टिकोण अपनाबैत छी। ओ कतेको बेर बच्चा सभकेँ नैतिक शिक्षा सेहो देल करैत छथि, जे हुनकर जीवनमे सही आ गलतकेँ पहचान करैमे मदद करैत अछि।

अंत में, हम कहि सकैत छी जे परिवारमे बुजुर्गक महत्व अतुलनीय अछि। हुनकर अनुभव, आशीर्वाद, आ प्रेम परिवारक हर सदस्यकेँ जीवन में एक स्थिरता आ समृद्धि आनैत अछि। एहि लेल हमरा सब लेल ई जरूरी अछि जे हम बुज़ुर्गक संग समय बिताबी, हुनक सम्मान करी आ हुनकर ज्ञान स’ सीख ली अपन जीवनमे सुख-समृद्धि आनी। ताकि हम परिवारक परंपरा आ संस्कृति केँ सहेजि क’ राखि आ आगू बढ़ा सकी। बुज़ुर्ग सभक प्यार आ आशीर्वाद स’ ही हम अपन जीवनक सही दिशामे मार्गदर्शन प्राप्त क’ सकैत छी ।

Related Articles