लेख विचार
प्रेषित: प्रिया झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय :- माता पिता लेल बेटा बेटी के विवाह पहिने सं बेसी मुश्किल भ गेल से किएक
पहिलुक समय 21वीं सदी के नैय छल । पहिने दुनिया
कलम कागज के छल, मोबाइल आ वाई फाई के नैय छल ।लोक पढ़ल लिखल छल मुदा परिवार आ समाज सं बेसी जुड़ल छल ।सभहक सोच समयानुकूल चलय छल कहय के अभिप्राय जे अते आधुनिकता नैय छल। पहिने प्रौधोगिकरण नैय भेल छल ,जमाना बदलाव के ओहि स्थिती मे नैय छल जे आब भेल अछि ।
आब बेटी बचाओ आ बेटी पढ़ाओ के जमाना अछि तऽ सभ लेल समतुल्य शिक्षाक व्यवस्था भेलय आ ओहि अनुपाते नौकरी सेहो जरूरी भेलय मुदा पहिने ((शिक्षा)
पढ़ाई लिखाई तऽ छल मुदा नौकरी के अते महत्व नैय देल जाइत छल।ग्रेजुएशन करिते माता पिता पुत्र वा पुत्री के विवाह करवा दैत छलखिन । माँ पिता अपन जिम्मेदारी बुझैत विवाह करबैय छलैथ, पुछल नैय जाइत छल जत; नीक वर वा कनिया भेटय तऽ विवाह भऽ
जाइत छल ।
आबक समय मे परिस्थिति बदलि गेल अछि किछु कारण अछि जे विवाह आब चुनौति भेल अछि ।
पहिल कारण*
उच्च शिक्षा पुत्री आ पुत्र दुनु लेल सर्वप्रथम मानल जाइत अछि ।शिक्षा के महत्व बेसी देल जाइत अछि जहि मे एम.बी.बी.एस ,इंजीनियरिंग, ,बिजनेस डिग्री आब तऽ एग्रीकल्चर (कृषि )विज्ञान विषय सेहो लड़का आ लड़की सभ पढ़ैत अछि ।
ओहि हिसाबे आगु के डिग्री लेल जाइत अछि आ फेर आगु पढ़ाई के बाद नौकरी लेल इंटरव्यू वगैरह शुरू होइत अछि ।
दोसर कारण*
आब पढ़ाई संग संग आत्मनिर्भरता पर सेहो बेसी जोर देल जाइत अछि अहि लेल कि लड़का पढ़ाई केलक तऽ नौकरी करितय आ लड़की कि चुल्हा फुकतय तऽ दुनु लेल नौकरी आब प्राथमिकता भऽ गेल ।
तेसर कारण*
उच्च शिक्षा के करण बेटा बेटी परिपक्व भऽ गेल रहैत छैक अपन नीक बेजाए बेसी बुझय लगय छैक ।कतेक तऽ घर सं दूर रहि शिक्षा पूरा करैत छैक अहि बीच माय बाप सं बेसी गप्प नैय करैत छैक ,अहि अवस्था मे दोस्त संगी सभक संगति बेसी भऽ जाइत छैन जहि सं दोसरो के विचारक आदान प्रदान होइत छैन आ नव सोचक विचार उत्पन्न होइत अछि ।
ओना सभ एक विचारक नैय होइत छैक ।
चारिम कारण*
कतौ अगर पढ़ाई के बाद विवाहक गप्प होइत अछि तऽ मनमुताबिक वर नैय भेटैत अछि आ कतौ कनिया नैय भेटैत अछि ।उच्च शिक्षा ग्रहण केला के उपरांत लड़का वा लड़की हुनकर नौकरी आ पढ़ाई के अनुकूल घर ताकल जाइत अछि अहि सं समय लगैत अछि ।
पाँचम कारण*
उच्च शिक्षाक के कारणे व्यस्क आ परिपक्व बेटा आ बेटी रहैत छैक ओ अपन पसंद सेहो तकैत छैक जे विवाहक बिलंबता के मुख्य कारण बनैत अछि ।
ई सभटा कारण निष्कर्ष पर पहुँचेलक अछि कि आबक समय मे विवाह मे बिलंब के कारण आ चुनौती बनि गेल अछि ।
